“गणतंत्र दिवस हर भारतवासी के लेल विशेष गर्वक अनुभूति कराब’ बला पावन पर्व अइ”

442
ममता झा

— ममता झा।

ममता झा

#गणतंत्र_दिवस_के_महत्व
सबस पहिने त हम भारतीय छी, त हमरा सब में भारतीयता के गुण जे छई-आदर सेवा भाव सभ्यता संस्कृति सबके अपनेवाके चाहि। अहि सबस भारत देश महान अछि।
गणतंत्र दिवस पर किछ विशेष संदेश हेतु हम अप्पन जानकरी के अनुसार लिख रहल छी।
26 जनवरी गणतंत्र दिवस, 15अगस्त आ 2अक्टूबर के हमसब राष्ट्रीय पर्व मनाबैत छी। हम्मर राष्ट्रीय ध्वज में तीन रंग आ बीच में चक्र संदेश दैत अछि कि श्वेत रंग सत्य आ शान्ति के प्रतीक अई। केसरिया वीरता आ साहस के, हरियर रंग हरियालिक आ सम्पन्नता स भरल भारत बतबैत अई।चक्र कहैत अई चौबिसो घंटा साकारात्मक सोचू आ निरंतर आगू बढ़ैत रहू।ई संदेश भरल जे अई तिरंगा में ओ हमसब नई बिसरी ताहि लेल सब साल फहराबैत छी।

26 जनवरी 1930 सऽ पहिने 15 अगस्त 1947 आजादी भेट तक, 26 जनवरी कऽ स्वतंत्रता दिवस मनैल जाइत छल। चूंकि 26 जनवरी 1930 के भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस भारत के पूर्ण स्वराज घोषित कैल गेल छल।तां लक आई के दिन के महत्ता बनल रहै ताहि लेल 26 जनवरी 1949 के दिन तैयार संविधान आर 26 जनवरी 1950 के भारत सरकार के अधिनियम, 1935 के जगह भारत के संविधान शुरूआत कर के संग लोकतांत्रिक, संप्रभु ,गणतंत्र देश घोषित कर के लेल 26 जनवरी के गणतंत्र दिवस घोषित कैल गेल।तहिया सऽ गणतंत्र. दिवस राष्ट्रीय पर्व के रुप में मनैल जाइत अई। एकर अलावा स्वतंत्रता दिवस आर गाँधी जयंती राष्ट्रीय पर्व के रुप में मनैल जाइत अई ।
अई बेर हमसब मिलकऽ 73वां गणतंत्र दिवस मना रहल छी।
गणतन्त्र के आशय अछि कि अप्पन देश के सरकार राजा नई होइत अई। दुनियां में 206 संप्रभु देश में 135 देश रिपब्लिक यानी गणतंत्र शब्द व्यवहार में आनई छैथ।
गणतंत्र दिवस की पूर्व संध्या पर राष्ट्रपति राष्ट के संबोधित करैत छैथ। संगे संग संवैधानिक प्रमुख होब के नाते राजपथ पर 26 जनवरी कऽ राष्ट्रीय ध्वज फहराबैत छैथ। परेड सं सलामी देल जायत अई। राष्ट्रीय राजधानी में परेड निकालल जाईत अछि। ई मनोरम दृश्य देख के लेल देश के कोना कोना सऽ लोग राजधानी आबैत छैथ । राष्ट्रपति के सवारी बड्ड शान स निकालल जाईत अई। अन्य विविध, भव्य आयोजन, कार्यक्रम होईत अई। राजधानी दिल्ली के दुल्हन जकाँ सजैल जाईत अई।
एतबे नई देश के बाहर अन्य देश में भारतीय दूतावास आ भारतीय द्वारा भी गणतंत्र दिवस के भव्य ढंग सं उत्सव मनैल जाईत अई।विभिन्न कार्यक्रम आयोजित कैल जाइतअई।
गणतंत्र दिवस हर भारतवासी के लेल विशेष गर्व की अनुभूति कराब वाला पावन पर्व अई।

ममता झा
पिण्डारूछ