सिसिडब्ल्यूजी द्वारा दोसर ई-ग्रैंड राउंड में सम्पूर्ण बिहार सँ 200 चिकित्सक व चिकित्साकर्मी सहभागिता देलन्हि

सिसिडब्ल्यूजी द्वारा दोसर ई-ग्रैंड राउंड में सम्पूर्ण बिहार सँ 200 चिकित्सक व चिकित्साकर्मी सहभागिता देलन्हि

पटना, 19 नवम्बर 2021 । मैथिली जिन्दाबाद!!

एम्स पटना के अगुवाई में कोरोना महामारी सँ लड़बाक वास्ते यूएसएड राइज व झपियेगो केर संयुक्त प्रयास सँ गठित क्रिटिकल केयर ग्रुप (सिसिडब्ल्यूजी) द्वारा दोसर राउंड के ई-ग्रैंड कार्यक्रम के आयोजन कयल गेल। ऑनलाइन प्रशिक्षण आ अंतर्क्रिया सँ प्रदेश भरिक चिकित्सक व अन्य स्वास्थ्यकर्मी सब केँ कोरोना महामारी केर विभिन्न रूप, विशेष रूप सँ बच्चा सभ पर एकर प्रभाव, कोरोना आ डायबिटीज के खतरनाक संयोग सँ उत्पन्न परिस्थिति आदि पर केंद्रित ई दोसर बेरुक ई-ग्रैंड आयोजन भेल। एहि में बिहार राज्य स्वास्थ्य समिति के कार्यकारी निदेशक संजय कुमार सिंह प्रमुख अतिथि आ पूरे प्रदेश सँ लगभग 200 चिकित्सक व चिकित्सा क्षेत्र सँ जुड़ल लोक भाग लेलनि।

कार्यक्रम के उद्घाटन एम्स पटना निदेशक डॉ प्रभात कुमार सिंह कयने रहथि। प्रमुख अतिथि संजय कुमार सिंह कहलनि जे सिसिडब्ल्यूजी केर मॉडल पूरे प्रदेश में लागू होयब जरूरी अछि, एहि सँ महामारी सँ लड़बाक लेल नव भरोस उत्पन्न होयत।

आजुक आयोजन व चर्चा में सिसिडब्ल्यूजी के नोडल समन्वयक डॉ नीरज कुमार द्वारा बच्चा सब मे देखाय वला सम्भावित लक्षण आ इमरजेंसी चेतावनी संकेत के सम्बन्ध में विस्तार सँ बतायल गेल। तहिना डॉ दिवेन्दु भूषण एहि महामारी में चिनिया रोग (डायबिटीज) केर संयोग सँ पड़य वला प्रभाव आ ताहि संदर्भित उपाय पर विस्तृत जानकारी देल गेल। एहि अवसर पर हँसमुख जैन, ए कुमार आ बाल रोग डिपार्टमेंट के चीफ सर्जन डॉ बिन्दे कुमार विशेषज्ञ रूप में उपस्थित छलाह।

विदित हो जे बिहार में स्थापित एहि आकस्मिक सेवा आ चिकित्सा लेल एम्स पटना संग अन्य सहयोगी संस्थाक उचित सहभागिता में गठित सिसिडब्ल्यूजी पूरे देश मे लोकप्रियता हासिल कय रहल अछि। एकर अनुकरण आब झारखंड, लद्दाख आ गुजरात सेहो कय रहल अछि। कार्यक्रम अधिकारी डॉ कुमार जानकारी साझा करैत कहलनि जे ई-ग्रैंड राउंड मासिक स्तर पर निरन्तरता में रहत आ कोरोना सँ पूर्ण निजात भेटय ताहि लेल सम्बंधित विषय पर चिकित्साकर्मी लोकनि संग सहकार्य, प्रशिक्षण आ सूचना आदान प्रदान करैत रहत। एहि योजना के जन्मदाता एम्स पटना निदेशक डॉ प्रभात कुमार सिंह केर परिकल्पना आ सपना अनुसार प्रदेश संग राष्ट्रीय स्तर पर सेहो सफलता भेटब सुनिश्चित अछि।