मैथिली जिन्दाबाद केर समाचार संपादक आ फिल्म समाचार विशेषज्ञ किसलय कृष्ण संग जास्मीन केर साक्षात्कार
किसलय: अहाँक जन्म स्थान कोन आ रहनिहार कोन ठामक छी? कि अहाँ मैथिली सेहो गबैत छी?
जास्मीन: हमर जन्मस्थान संभलपुर (उड़ीसा) आ मूल गाम झारसुगुडा (उड़ीसा) अछि। भाषा कोनो हो, हम स्वतंत्रताक संग गाबि सकैत छी।
किसलय: भविष्य मे यदि कोनो मैथिली मूवी मे काज भेटत तऽ करबैक? अहाँ मैथिली कोना बुझैत छी? मिथिला सँ कोनो तरहक जुड़ाव?
जास्मीन: निश्चित! कलाक प्रदर्शन लेल जे कोनो मंच भेटत, हम जरुर अपन प्रतिभाक प्रदर्शन करय चाहब। मैथिली माँ-बाबुजीक घर पर आपसी वार्ता सँ हमहुँ बुझैत छी। और हाँ, हम मैथिल ब्राह्मण परिवार सँ छी। हमर पूर्वज वास्तव मे मिथिला सँ छलाह। आइयो हमरा लोकनिक कुलक कतेको सदस्य सब मूल गाम मिथिलहि मे बसैत छथि। किछु पारिवारिक विवादक कारण सँ हमर माँ-बाबुजी मूल परिवार सँ अलग भऽ उड़ीसा मे बसि गेलाह। तैयो हमरा लोकनि काफी जुड़ल छी मिथिला व मैथिली सँ।
किसलय: तही लेल तऽ अहाँ सँ बेर-बेर गामक नाम पूछि रहल छी हम।
जास्मीन: चूँकि हम कहियो गेल नहि छी, लेकिन हमर गामक नाम अछि अन्डीपट्टी (शिवीपट्टी), मधुबनी।
किसलय: ई साक्षात्कार मैथिली जिन्दाबाद लेल कय रहल छी, ओतय मैथिली भाषा व मिथिलाक विशेषता छैक। ताहि हेतु हम चाहैत छी जे अहाँक जुड़ाव मैथिली-मिथिला सँ कोना अछि से सब बात अहाँ खुलिकय राखी।
जास्मीन: हँ! बहुत बढियाँ। जँ अपनहि प्रदेशक सिनेमा हो आ ओहि लेल मौका भेटत तऽ हमरा अपन कलाक प्रदर्शन करबा मे बहुत नीक लागत।
किसलय: बहुत सुन्दर बात कहलहुँ जास्मीन जी।
जास्मीन: बहुत धन्यवाद अपने केँ।
किसलय: अच्छा ई बताउ जे अहाँ सिंगिंग आ एक्टिंग केँ अपन कैरियरक रूप मे कियैक चुनलहुँ?
जास्मीन: हमरा बचपने सँ डान्स केर काफी सख छल। गेबाक प्रेरणा माँ-बाबुजी सँ भेटल। बाबुजी पुरान गीतक बहुत शौकीन छला। देर राति धरि हमरा लोकनिक घर मे खाना खेलहुँ वा नहि, संगीत-गीत जरुर बजैत रहैत छल।
किसलय: वाह! कतेक महत्त्वपूर्ण बात कहलहुँ। बहुत नीक!
जास्मीन: माँ भगवान् केँ अपन मधुर आवाज मे अनेको प्रकारक आरती सुना-सुना मनबैत रहैत छल… और हम हुनकर बदला मे आशीर्वाद पबैत छलहुँ।
किसलय: सिंगिंग आ एक्टिंग मे सँ पहिल प्राथमिकता केकरा दैत छी?
जास्मीन: एक्टिंग बेशक! कियैक तऽ सिंगिंग मे पिताजीक देहान्तक बाद हमर अभ्यास छूटि गेल। आर आब हम जौब करय लगलहुँ अछि। सिंगिंग वास्ते हमरा जीरो सँ मेहनत करबाक अछि। हलाँकि जौब मे रहितो हम डीडी चैनल्स और बहुते प्रोजेक्ट्स करैत रही। एहि मे कोरपोरेट एक्टिविटिज सेहो शामिल अछि। और जेना हमरा लगैत अछि जे गायन सेहो हम कोनो नीक मार्गदर्शक केर नेतृत्व मे नीक सऽ कय सकैत छी।
किसलय: वाह! यदि मैथिली फिल्म भेटैत अछि तऽ हाँ कहबा मे अहाँ केँ दिक्कत तऽ नहि न हैत?
जास्मीन: नहि! बाजय मे हम अप्पन बाबा केँ सेहो चुप करा देब। हाहाहा!
किसलय: हाहाहा! ग्रेट! बहुत धन्यवाद। मैथिली जिन्दाबाद यानि www.maithilijindabaad.com हमरा सबहक न्युज वेब पोर्टल थीक। आ परिकल्पना पत्रिका सेहो समय-समय पर प्रकाशित होइत अछि। सहयोग करैत एतेक समय देबाक लेल बहुत धन्यवाद अछि जास्मीन जी।
जास्मीन: अहाँ केँ सेहो बहुत धन्यवाद जे हमर कलाक विषय मे जिज्ञासा करैत एकरा समुचित अवसर भेटबाक एकटा नीक संयोग केर बात केलहुँ। मैथिली जिन्दाबाद केर संपूर्ण पाठक आ संपादक मंडल केँ हमरा तरफ सँ सेहो शुभकामना।

4 Comments
badhai jasmine g
bahut nik interview aa bahut nik prayas Kislay ji dwara. ahina maithila aa maithil ke mithila s jorait rahu. kuchhu bh jay log apna maet ke nai bhala papaidh chhaith. yay Jasmine ji ke interview mw dekhlau. ummid ki Jasmine jaroor maithili film s jarti aa maithily ke vikas me appan yogdan deti. thanks Kislay Ji aa Praveen ji
BEST WISHES
Congratulation !!!