सहरसा, जुन २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
युवा उत्साह आ जोश सहित गाम-गाम घूमिकय जन-जन केर हाथ मे परचा थमाबैत आ ‘वी वान्ट एम्स इन सहरसा’, ‘मुझे सहरसा में एम्स चाहिये’, आदि पोस्टर सहित फोटो खिचबैत सामाजिक संजाल द्वारा विशेष मुहिम निरंतर चलायल जा रहल अछि।
हालहि सर्वदलीय युवा समूह एकटा बैसार करैत ई निर्णय केने छल जे एहि आन्दोलन केँ जन सरोकारक विषय मानि गाम-गाम सँ सेहो आवाज उठेबाक लेल मुहिम चलायब। एहि मुहिम अन्तर्गत काल्हि बनगाम केर विभिन्न विद्यालय आ सार्वजनिक स्थल पर एकत्रित जनमानस केँ मुद्दा सँ अवगत करबैत सहरसा मे एम्स केर स्थापना लेल जोरदार आवाज उठेबाक अनुरोध कैल गेल।
मुहिम केर नेतृत्व देनिहार युवा समाजसेवी दीपनारायण ठाकुर, राहुल झा सहित अनेको युवजन नित्य अलग-अलग गाम मे पहुँचिकय लोक सबकेँ एहि माँग प्रति सजग बनबाक अपील कय रहला अछि। शायद यैह अन्तर छैक आर जिला आ सहरसा मे – जे बाजब से करिकय देखायब। मिथिलाक्षेत्रक सुसुप्त नागरिक समाज केर आँखि अहिना एक-एक टा मुद्दा पर खुजत से जानकारी करौलनि दीपनारायण जी। प्रस्तुत फोटो मे कलावती उच्च विद्यालयक शिक्षक एवं छात्र सब हाथ मे एम्स केर माँग करैत प्रदर्शन केलनि। क्रमश: ई आन्दोलन तीव्रता पाबि रहल अछि आ एक दिन केन्द्र सरकार केँ मजबूरन हमरा सबहक माँग पूरा करय पड़त। एहि अभियानक सक्रिय संचालक राहुल मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करौलनि। ओ सहरसाक जनप्रतिनिधि सबकेँ सेहो अपना-अपना तरहें एहि माँगकेँ पूरा करेबाक लेल पूर्ण सक्रियता सँ कार्य करबाक अपील सेहो केलनि।