पटना एम्स द्वारा कोविड १९ महामारी विरूद्ध स्वास्थ्यकर्मी सब केँ विशेष प्रशिक्षण

पटना, मैथिली जिन्दाबाद!!

कोविड-१९ महामारीक निस्तुकी दबाइ नहि बनि सकल अछि। एकमात्र परहेज आ सावधानी एहि रोग सँ लोक केँ स्वास्थ्यलाभ मे सहायक होयबाक बात सर्वविदिते अछि। एहेन स्थिति मे एम्स, पटना द्वारा महामारी विरूद्ध स्वास्थ्यकर्मी आ चिकित्सक लोकनि केँ विशेष प्रशिक्षण देबाक कार्यक्रम, बिहारक सम्पूर्ण ३८ जिला मे कार्यरत प्रत्येक स्वास्थ्यकर्मी केँ प्रशिक्षित करबाक लक्ष्य आ महामारीक तेसर लहरि के आलोक मे लोकजागरण करैत परहेज आ विशेष देखभाल प्रति साकांक्ष करबाक प्रयासक सराहना सब कियो कय रहल अछि।

कोरोना रोगी केर गंभीर देखभाल वास्ते प्रशिक्षक लोकनि द्वारा ७ दिवसीय राज्य स्तरीय प्रशिक्षण देल गेल अछि। प्रशिक्षणक पहिल बैच १६ जून २०२१ केँ स्वास्थ्य और परिवार कल्याण राज्य मंत्री, भारत सरकार केर गरिमामयी उपस्थिति मे शुरू कयल गेल छल। अश्विनी कुमार चौबे संग स्वास्थ्य मंत्री, बिहार सरकार, मंगल पाण्डेय सेहो सहभागी छलाह। राज्य मंत्री चौबे द्वारा कोविड-१९ सँ सुरक्षार्थ के उपाय आ भविष्यक जोखिम सँ बचबाक लेल राज्य सरकारक तैयारी पर भरोसा जतेलनि। संगहि एहि प्रशिक्षणक आयोजन लेल क्रिटिकल केयर वर्किंग ग्रुप (CCWG) एम्स पटना द्वारा Jhpiego – जॉन्स हॉपकिन्स यूनिवर्सिटी सँ संबद्ध, USAID द्वारा वित्त पोषित रीचिंग इम्पैक्ट सैचुरेशन एंड एपिडेमिक कंट्रोल (RISE) केर प्रयास प्रति आभार केर शब्द सेहो रखलथि।

विदित हो जे राइज द्वारा देशक २० राज्य मे स्वास्थ्यकर्मी लोकनि केँ कोरोना महामारी सँ निपटबाक विशेष प्रशिक्षण देबाक कार्य कयल जा रहल अछि। एक लचीला आ जिम्मेदार स्वास्थ्य प्रणालीक निर्माण लेल राज्य सरकार संग सहकार्य करैत राइज द्वारा स्वास्थ्य कर्मचारी लोकनि केँ स्वास्थ्य सेवा प्रदान करबाक लचीला तकनीक संग गम्भीर सेवादान मे वृद्धि केर प्रबंधन क्षमता मे सुधार कय केँ कोविड-१९ सँ संक्रमित रोगीक देखभाल लेल सहायता प्रदान करैत अछि। तहिना भविष्यक जोखिम सँ निपटय लेल सेहो तैयार करैत अछि। CCWG टीम एम्स पटना और यूएसएड राइज JHPIEGO केर एहि सहयोग प्रति मंत्री विशेष धन्यवाद देलनि। ओ यूएसएड केँ एहि तरहक आरो कार्यक्रम संचालन बिहार मे अनबाक लेल आग्रह कयलनि तथा एहि लेल बिहार सरकार और भारत सरकार दुनूक वांछित सहयोग करबाक वचनबद्धता सेहो व्यक्त कयलनि।

एहि कार्यक्रमक विशिष्ट अतिथि बिहार राज्यक स्वास्थ्य मंत्री मंगल पांडे उपरोक्त सत्रक उद्घाटन करैत कहलथि जे सत्रक उद्घाटनक मुख्य उद्देश्य बिहार केर नरसिंग एवं मेडिकल सर्विसेज केँ नव ऊंचाई पर पहुँचेनाय, संगहि आईसीयू केर स्थापना कयनाय, एम्स टीम केर संग बिहार केर सब प्रतिभागी लोकनि केँ ओ धन्यवाद ज्ञापन कयलथि। ओ उम्मीद जतेलथि जे एहि प्रशिक्षणक बाद प्रशिक्षित स्वास्थ्यकर्मी लोकनि सम्बन्धित जिला मे जाकय आईसीयू मे रहल व अन्य सेवा-सुविधा प्राप्त कय रहल कोरोना मरीज सभक संग प्रशिक्षण सँ प्राप्त तालिम केेर सदुपयोग करैत उचित व्यवहार करता आ सीखल तकनीकक सेवा सँ मरीज केँ बेहतर सँ बेहतर चिकित्सा सुविधा भेटि सकत।

कोविड-१९ केर दोसर लहरि मे कोरोना मरीजक संख्या मे अप्रत्याशित वृद्धि देखैत आर तेसर लहरि केर संभावना देखैत विभिन्न स्वास्थ्य सुविधा संग अतिरिक्त स्वास्थ्यकर्मी व नर्सिंग स्टाफ केर आर बेसी कुशलता एवं प्रभावी ढंग सँ प्रबंधन करबाक आवश्यकता छैक। महामारी पर प्राप्त नियंत्रण केँ बरकरार रखबाक लेल एक साझा दृष्टिक संग एम्स पटना, राइज़ इंडिया केर सहयोग सँ स्वास्थ्य सेवा प्रदाता लोकनिक क्षमता केर निर्माण मे बिहार राज्य सरकार संग सहकार्य कय रहल अछि। एम्स पटना बिहार द्वारा सम्पूर्ण ३८ जिला मे २२० सँ अधिक प्रतिभागी धरि पहुंचबाक लेल छः गोट बैच मे प्रशिक्षण देल जा रहल अछि। यैह सब फेर अपना सँ संबंधित जिला लेल मास्टर ट्रेनर बनिकय अन्य स्वास्थ्यकर्मी सब केँ प्रशिक्षित करता से लक्ष्य लेल गेल अछि।

उपरोक्त कार्यक्रम मे आरोन बिशप, डिप्टी मिशन डायरेक्टर (एक्टिंग), यूएसएएड इंडिया टीमक सदस्य लोकनि सेहो भाग लेलनि। डॉ (प्रो.) पीके सिंह, निदेशक, एम्स पटना स्वागत भाषण देलनि, डॉ ए कुमार और डॉ बुलबुल सूद, कंट्री डायरेक्टर, झपीगो इंडिया द्वारा राइज कार्यक्रम केर तहत कयल जा रहल प्रयास पर प्रकाश देलनि। राज्य केर क्षमता निर्माण प्रयास केर सराहना करैत एकरा आगाँ बढेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयलनि। हुनकर कहब छलन्हि जे कोविड १९ महामारीक मामिला मे कुशल प्रबंधन लेल एकटा लंबा रास्ता तय करबाक अछि।

उद्घाटन और परिचयात्मक सत्र केर बाद एम्स पटनाक सीसीडब्ल्यूजी टीम केर डॉ नीरज कुमार, समन्वयक-सीसीडब्ल्यूजी, एम्स पटना सहित सब प्रतिभागी व डॉ ए कुमार यूएसएड राइज केर लेल व्याख्यान सत्रक सुविधा प्रदान कयलथि। आगामी छह दिन मे सीसीडब्ल्यूजी एम्स पटना टीम द्वारा एहि तरहक व्याख्यान सत्र संचालन कयल गेल, जे कक्षा-आधारित, व्यावहारिक और आईसीयू-इनडोर प्रशिक्षण केर सम्मिश्रण छले आर कोविड-१९ क्रिटिकल केयर सँ संबंधित छल।

स्वास्थ्य विभाग केर अपर सचिव डॉ कौशल किशोर केर अनुरोध पर पटना एम्स, USAID RISE, Jhpiego केर सहयोग सँ सात दिवसीय प्रशिक्षण केर पहिल बैच संपन्न भेल जाहि मे बिहार केर कुल ६ जिला सँ ३६ प्रतिभागी भाग लेलथि। एहि मे १२ नर्सिंग ऑफिसर और ५ डॉक्टर केँ प्रशिक्षक केर रूप मे सहभागिता भेल। ई प्रशिक्षित स्वास्थ्यकर्मी लोकनि पुनः एहि अभियान केँ अपन जिला मे जाय कय आईसीयू व्यवस्था सुचारू ढंग सँ चलेता। तेसर वेभ केर तैयारी हेतु चिकित्सक और नर्सिंग ऑफिसर केँ प्रशिक्षण सेहो ई लोकनि देता। चयनित स्रोत व्यक्तिक रूप मे सिंह अनूपमा जिला अस्पताल अरवल, नूतन जिला अस्पताल किशनगंज, रीमा कुमारी जिला अस्पताल बेगूसराय, पूजा कुमारी जिला अस्पताल बेगूसराय, अनीता जिला अस्पताल जमुई, बबीता जिला अस्पताल जमुई, पवन कुमार जिला अस्पताल अरवल, नीरू सिंह जिला अस्पताल अरवल, रंजू जिला अस्पताल किशनगंज, रंजू जिला अस्पताल मधुबनी, संजू कुमारी जिला अस्पताल अरवल – ई सब अपन जिला मे नर्सिंग ऑफिसर केर पद पर कार्यरत छथि। तहिना डॉ जयंत आशीष जिला अस्पताल सहरसा, डॉ अरविंद कुमार जिला अस्पताल जमुई, डॉ ओम प्रकाश कुमार जिला अस्पताल सहरसा, डॉ राजीव कुमार सिंह जिला अस्पताल मधुबनी जे चिकित्सक केर रूप मे अपन-अपन जिला मे कार्यरत छथि। हिनका सब केँ ट्रेनिंग केर श्रृंखला केँ आगू बढेबाक जिम्मेदारी सेहो देल गेलनि अछि।

प्रशिक्षण मे जतेक प्रतिभागी आयल रहथि हुनका सभक उत्कृष्ट प्रदर्शन देखैत उचित प्रमाणपत्र सेहो प्रदान कयल गेलनि। ई सर्टिफिकेट निदेशक पटना एम्स डॉ पी के सिंह द्वारा देल गेलनि अछि।