Search

फ्रिज मे कि सब नहि रखबाक चाही

स्वास्थ्य सम्बन्धी सचेतनाक लेख

– प्रवीण नारायण चौधरी

फ्रिज मे कोन-कोन सामान नहि रखबाक चाही
 
गर्मी आ बर्खा के समय तैयार खाना जल्दी खराब भऽ जाइत छैक। हरियर तरकारी, फल, दूध, दही, आदि सेहो सामान्य तापक्रम मे जल्दी खराब हेबाक सम्भावना छैक। कोल्ड ड्रिंक, आइसक्रीम, माछ, माँस, आदि अनेकों खाद्य वस्तु केँ सुरक्षित रखबाक लेल फ्रिज एकटा सुलभ साधन बनि गेल अछि। फ्रिज मे कि सब रखबाक चाही, कि नहि रखबाक चाही एहि बातक जानकारी सब केँ नहि रहैत छैक। दोसर बात, आयुर्वेदक सिद्धान्त अनुसार फ्रिज मे राखल गेल वस्तुक मूल तत्त्व सुरक्षित नहि रहि जेबाक एकटा विशेष खतरा केँ सेहो सर्वसाधारण लोक नजरंदाज करैत अछि।
 
कहबाक तात्पर्य ई जे वर्तमान युग मे खाद्य, उर्वरक रासायन, कीटनाशक विषादि, आदिक प्रयोग करैत प्राप्त कृषि उपज (खाद्यान्न, सब्जी, साग, आदि) उपभोग कयला सँ लोकक स्वास्थ्य मे अनेकों नव-नव बीमारी प्रवेश कय रहल छैक, ताहि पर सँ ई फ्रिज मे यथाभावी स्टोरेज कयला सँ ओहि खाद्यवस्तुक पोषक तत्त्व आर बेसी खराब होइछ, एहि सब विषय मे आम लोक केँ जागरूक बनब बहुत आवश्यक अछि।
 
एहि सन्दर्भ मे हेल्थ टिप्स देनिहार विज्ञजन व डायटिशियन आदिक कथन बहुत स्पष्ट छन्हि जे फ्रिज मे किछु खास वस्तु केँ एकदम नहि राखल जेबाक चाही, अन्यथा एकर असर हमरा सभक स्वास्थ्य पर प्रतिकूल पड़ि सकैत अछि।
 
सामान्यतया फल केर ताजगी बनल रखबा मे फ्रिज सहायक होइछ, एहि लोभ मे हम सब बाजार सँ कीनिकय आनल कोनो फल केँ फ्रिज मे राखि देल करैत छी। लेकिन एहि क्रम मे केरा, काटल आम, कटहर, तरबूज या खरबूज आदि फ्रिज मे नहि रखबाक चाही। केरा रखला सँ ओकर असर अन्य वस्तु पर पड़ैत छैक आर एकर काफी प्रतिकूल असर हमरा लोकनिक स्वास्थ्य पर पड़ि सकैत अछि। तहिना काटल आम, कटहर, तरबूज कि खरबूज रखला सँ सेहो फ्रिज मे राखल अन्य वस्तु पर ओकर असर पड़ैत छैक।
 
कतेको एहेन सब्जी अछि जेकरा फ्रिज मे राखिकय प्रयोग मे अनला सँ ओकर तात्त्विक लक्षण नष्ट भऽ गेल करैत अछि। प्रयास ई करबाक चाही जे बाजार सँ ओतबे सब्जी आनू जे फ्रिज मे नहि राखय पड़य। फ्रिज मे बिसरियोकय आलू, प्याज आ लहसून नहि रखबाक चाही। आलू केँ व्यापारी कोल्ड स्टोर मे रखैत अछि लेकिन घरक फ्रिज मे एना करब सही नहि होइत छैक। एना कयला सँ डॉयबिटीज पेशेंट्स केर समस्या बढ़ि सकैत छैक कियैक तँ ठंढा सँ आलू केर स्टार्च शुगर मे बदैल जाइत छैक।
 
अपना सभक गाम मे पहिने देखी जे कोनो ठंढा रूम मे जमीन पर आलू छितराकय राखि देल जाइक। आलू केँ कोनो पेपर बैग मे राखिकय खुलल जगह पर रखबाक चाही। तहिना प्याज और लहसुन केँ सेहो फ्रिज मे नहि रखबाक चाही कियैक तँ एकर गन्ध दोसरो सामान मे पहुंचि जाइत छैक।
 
कोरोनाकाल मे अहाँ सेहो इम्यूनिटी बढेबाक वास्ते मधु (शहद) केर प्रयोग करैत होयब। किछु लोक मधु केँ खराब होयबाक डर सँ फ्रिज मे स्टोर कय दैत छथि। लेकिन एना करब गलत छैक। अहाँ केँ मधु केँ फ्रिज मे स्टोर नहि करबाक चाही। फ्रिज मे रखला सँ मधु मे क्रिस्टल बनय लगैत छैक। एहेन मधु केँ खेला सँ अहाँक स्वास्थ्य केँ फायदाक जगह नुकसान भऽ सकैत अछि। तहिना ब्रेड केँ सेहो फ्रिज मे नहि रखबाक चाही। ठंढ़ा ब्रेड खेला सँ सेहो अहाँक सेहत केँ नुकसान भऽ सकैत अछि।
 
(साभार ‘जी-लाइफस्टाइल’ केर आलेख पढला सँ भेटल प्रेरणा ओ सूचना पर आधारित लेख)
 
हरिः हरः!!

Related Articles