सहरसा । रजनीश शेखर। मैथिली जिन्दाबाद, जुन २१, २०१५.
सहरसाक होटल कोशी निवासमे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर प्रेस वार्ता आयोजित कयल गेल। एहि अवसर पर पार्टी संयोजक रत्नेश्वर झा कहलनि जे हम सब मिथिलाक कुल १२९ विधान सभा क्षेत्र मे चुनाव लड़ब। निर्मल मिश्र केँ कोशी प्रमंडलक संयोजक आ सुभाष चन्द्र झा केँ प्रदेश सचिव मनोनीत कएल गेल। प्रदेश महासचिव उमेशचन्द्र भारती आ केन्द्रीय उपाध्यक्ष आ महादेव यादव सेहो पार्टी केर एजेन्डा पर अपन तर्क रखलनि।
२०१५ केर विधानसभा चुनाव मे मिथिला पार्टी अपन नीति मुताबिक चुनाव मैदान मे फेर उतैर रहल अछि। भारतीय गणराज्य मे चुनावी तंत्र भ्रष्ट राजनीतिक दल केर अनाप-शनाप पैसा खर्च आ दारू-तारीक वितरण सँ अनपढ-गँवार मतदाताक बीच अनावश्यक पैठ बनेबाक चुनौती आइयो ओहिना ठाढ अछि, तथापि अपन सिद्धान्त सँ मिथिलाक मुक्ति लेल अखिल भारतीय मिथिला पार्टी एहि बेरुक विधानसभा चुनाव मे कुल १२९ सीट पर चुनाव लड़बाक निर्णय कएलक अछि, ई जानकारी सेहो महासचिव झा मैथिली जिन्दाबाद केँ करौलनि।
सहरसा मे हिनका लोकनिक स्वागत लेल मैथिली-मिथिला अभियानी आ स्वयं सहरसा निवासी किसलय कृष्ण द्वारा कैल गेल। चुनाव मे गठबंधन संस्कृतिक सम्मानक संग जतेक तक संभव होयत ओतेक समर्थन जुटेबाक वचनबद्धता श्री किसलय कृष्ण द्वारा संयोजक श्री झा केँ देल गेल। चुनावी रणनीतिक गूढतम सवाल पर झा बतौलनि जे आगामी समय मे फेर सँ प्रेस वार्ता करैत अपन पत्ता खोलब।