५ जून २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली भाषा मे कृषि एवं वित्त क्षेत्र केर लेख-शोध केर संग्रह आ एनएलपी प्रोजेक्ट ऊपर भारतीय विज्ञान संस्थान द्वारा तकनीक विकास करबाक कार्य निरन्तरता मे अछि। ई जनतब बीटेक तृतीय वर्षक छात्र श्री हेत पटेल मैथिली जिन्दाबाद केँ करौलनि। एहि क्षेत्र केर विभिन्न शब्दावलीक प्रयोग करैत लिखल गेल आलेख व प्रकाशित पुस्तक, शोध सामग्री व अन्य स्रोत-संसाधनक मांग सेहो ओ कयलनि। हुनक मांग अनुसार मैथिली जिन्दाबाद केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा सामाजिक संजाल मे उचित सूचना सहितक अपील जारी कयल गेल अछि।
अपील के उतारः
मैथिली भाषा सरोकारी सँ अपील

Respected sir,
I am Het Patel and I am currently in 3rd year of my B.Tech degree. In my current internship at IISc Banglore, we are working on an NLP project, which aims for the more accessible technology in the native language for the respective people. We initially need to collect data in the Maithili language. In the process of search of newspapers in the Maithili Language, I came across the newspaper “Maithili Jindabaad”, which publishes various articles and news in the Maithili language. I am currently looking for every source that I could get around the Maithili language, so will you be able to share any resources regarding the Maithili Language that you might have in domain of agriculture and finance? Also is there any possibility that you can write any articles regarding finance and agriculture in Maithili language. That would be a great help from you.
Thanking you in advance.
Looking forward to your response.
Best regards,
Het Patel
हमरा सच मे बहुत प्रसन्नता भेटल जे मैथिली लेल सामग्री (contents) तकबाक क्रम मे तकनीकी क्षेत्र मे कार्यरत युवा केँ www.maithilijindabaad.com अपन उपयोगिता ठीक ओहिना पूरा कयलक जेना हम बेर-बेर सपना देखैत आबि रहल छी। नव पीढी केँ अपन भाषा मे समुचित सामग्री उपलब्ध कराओत त हमर मातृभाषा मैथिली दीर्घजीवी बनत।
हेत संग बातचीत मे पता लागल जे सिर्फ दू गोट वेबसाइट मैथिली मे समुचित शब्द भंडारक संग हुनका अभरलनि, एक मैथिली जिन्दाबाद आ दोसर ई-समाद। ओ ईहो शिकायत कयलथि जे ई-समाद केर सम्पादक हुनका एखन धरि कोनो उत्तर तक नहि देलखिन अछि। हमर ई लेख सँ हुनकहु (आशीष झा व कुमुद सिंह) लोकनिक ध्यानाकर्षण होइन्ह आर एहि परियोजना मे मैथिली भाषा मे कृषि एवं वित्त सम्बन्धी शब्द पर कम सँ कम ५०-५० वाक्य केर आलेख जुटेबाक प्रयास मे लागि जाइथ।
हम एहि पोस्ट केर मार्फत सँ सूचित करय चाहब जे साहित्य अकादमी, दिल्लीक मैथिली संयोजक श्री अशोक अविचल (Ashok Avichal), नवाराम्भ प्रकाशन केर संचालक श्री अजित आजाद (Ajit Azad), मैथिलीक इन्साइक्लोपीडिया रूप मे सुपरिचित नाम तथा घर-बाहर पत्रिकाक सम्पादक डा. रमानन्द झा रमण, मैथिली अकादमी, पटनाक अध्यक्ष (सम्भवतः पूर्व अध्यक्ष आब… हमरा ठीक सँ पता नहि अछि) श्री दिनेश चन्द्र झा, नेपाल सँ मैथिली विकिपीडिया लेल अनेकन महत्वपूर्ण सामग्री जुटेबाक कार्य करनिहार युवजन लोकनि श्री विप्लव आनन्द एवं श्री पंकज देव केर सम्पर्क सूत्र जुटेबाक संग किछु महत्वपूर्ण वेबसाइट केर लिंक, किछु विश्वविद्यालय सँ सम्पर्क करबाक सुझाव हुनका उपलब्ध कराओल अछि। आशा करैत छी जे हुनका वांछित आ समुचित सामग्री उपलब्ध करेबाक स्रोत (लिंक, पुस्तक, शोधपत्र वा ग्रन्थ, आदि) केर सूचना भेटतन्हि आर ओ उचित रूप सँ उपरोक्त परियोजना मे करोड़ों मैथिलीभाषीक बोली-शैली आधारित तकनीक केर विकास कय सकथि।
आइ एहि पोस्ट केर माध्यम सँ अपनहुँ लोकनिक ध्यानाकर्षण कय रहल छी जे वित्त व कृषि क्षेत्र मे प्रयुक्त शब्दावली पर केन्द्रित छोट-पैघ लेख/आलेख/शोधपत्र आदिक सम्बन्ध मे कोनो जानकारी हुए त कृपया हमरा ईमेल आईडी [email protected] या व्हाट्सअप नम्बर +9779801722981 पर उपलब्ध कराबी। हम स्वयं सेहो ओहि लेख सभ केँ मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित करब आ श्री हेत पटेल केँ सेहो उपलब्ध करेबनि जाहि सँ उपरोक्त जनहित कार्य शीघ्रातिशीघ्र पूरा हुए।
विदित हो जे श्री हेत पटेल कहलथि जे मगधी, भोजपुरी सहित अन्यान्य भाषाक सामग्री सब दुर्लभता सँ उपलब्ध भऽ रहल अछि। मैथिली के अवस्था सेहो बड नीक नहि कहल जा सकैत छैक, कारण मात्र २ टा वेबसाइट आ किछेक अन्य जाहि पर अत्यल्प सामग्री सब प्राप्त भऽ रहल अछि, एकरो नीक कोना कहबैक। संगहि कन्टेन्ट्स डेवलपमेन्ट केर कतेको प्रोजेक्ट मे स्वयं महत्वपूर्ण योगदान करनिहार युवा अभियन्ता श्री संजोग देव (राजविराज) सँ सम्पर्क कयला पर पता लागल जे वित्त आ कृषि क्षेत्र मे एखन धरि उपलब्धिमूलक कोनो काज हेबाक बात हुनकहु संज्ञान मे नहि एलनि अछि। अतः मैथिली लेखन मे एहि क्षेत्र मे सेहो अधिक सँ अधिक लेखन हुए, ताहि लेल लेखक सब आगू आबथि, से मुख्य रूप सँ ध्यानाकर्षण करय चाहैत छी।
आशा अछि जे समस्त सरोकार रखनिहार मैथिली प्रेमी एहि अपील केँ सार्थक रूप सँ स्वीकार करैत अपन-अपन योगदान देब।
हरिः हरः!!
(तस्वीर – श्री हेत पटेल केर, मैथिलीभाषी अनेकों युवा लेल प्रेरणा प्राप्त हेतु राखल अछि। ई काज अहाँ सभक प्रथमतः थिक, एहि तरहक महत्वपूर्ण कार्य मे अहाँ सब सेहो सजग रही।)