“सफाई :- जे जाहि रूप सं देखै”

261

वंदना चौधरी                       

मनन करै योग्य किछ बात 🙏

आय हम भोरे भोर अपन घर के सोचलौं किछ विशेष सफाई करै छि ,किएकि किछु दिन स देखैत रही घर में अनावश्यक समान और कूड़ा कचड़ा सब बहुत जमा भ गेल छल ,जहि स घर अस्त व्यस्त और दुर्गंधयुक्त सेहो भ गेल छल।किछ समान त एहेन जेकर कहियौ उपयोगे नै भेल ,त देरी कथिके सोचलौं लैग जाय सफाई में ।जखन सफाई करय लगलौ त देखै छि किछ कीड़ा मकोड़ा सब सेहो कोन कोन में, अपन घर बना लेने अछि।
आब किछ के त कीटनाशक दवाई प्रयोग क क घर स बाहर केलौं, किछ कचड़ा के कूड़ा दान में फेंके लेल एक तरफ रखलौं, किछ के अपन बाड़ी में खाद बनबै लेल अलग क देलियै और किछ के आगी लगा क जरबै लेल अलग स राखी देने रही साइड में।
अंदर कमरा के सफाई लगभग भ गेल छल और आब सबटा कमरा के सफाई करैत हम मुख्य द्वार पर पहुँचल गेल रही ,हम बहुत संतुष्ट रही और प्रसन्न सेहो जे हमर घर आब साफ भ गेल बस ई मुख्य द्वार पर स हटेनाय बाँकी अछि ,कि एतबे में एकटा पाहुन आबि गेलैथ और हुनका हमर घर के ई हालत देखिक मोन घबड़ा गेलैन ,ओ अपन मुँह पर रुमाल राखिक बजलैथ जे अहाँक घर त बहुत अस्त व्यस्त अछि ,अंदर कोना आबि सेहो जगह नै अछि।हम ताहि पर जवाब देलियेंन जे ,जे घर बाहर स अहाँक अस्त व्यस्त नजर आबि रहल अछि, हमरा त ओ घर अंदर स पूरा साफ सुथरा और शांत लैग रहल अछि।हम त आय बहुत ख़ुशी छि जे हमर घरक सब अनावश्यक वस्तु,कूड़ा कचड़ा,और कीड़ा मकोड़ा सब बाहर भ गेल।आब बस सबके यथास्थान पहुँचाब के अछि।
और से कहैत हम द्वार परक सबटा गंदगी के सेहो हटा देलियै ,लेकिन ओ पाहुन बहुत आश्चर्य और दुःख स हमरा दिस एकटक स तकैत कहला जे अहि में त बहुत रास निर्दोष जीव जन्तु सेहो छल,और किछ समान एहनो छल जे हमर उपयोग में आबय वला छल।तखन हम फेर हुनका जवाब देलियेंन जे ,जे जखन घरक अंदरूनी और वार्षिक सफाई होइत अछि त अहिना होइ छै,ई जीव जंतु बहुत रास रोग के कारण सेहो भ सकैत छल ,और जे समान अहाँ लेल उपयोगी छल ओकर उपयोग हम कहियो करबे नै केलौं ।अहाँ एतेक दुःखी नै होउ आ ,हमर साफ सुथरा और शांत घर में प्रवेश क क आराम स बैसु ,हुनका से कहैत हम शांत चित्त स पानि और चाय के व्यवस्था में लैग गेलौं ।
आशा अछि अहाँ सब कहानी के सारांश जरूर बुझि गेल हेबई और एखुनका जे परिस्थिति अछि ओई स घबड़ेब नै बल्कि सर्वशक्तिमान के जे मनसा छैन्ह ओकरा बूझय के प्रयास करबै😊🙏