राजकमल चौधरी रचनावली केर दिल्ली मे होयत विमोचन

किसलय कृष्ण, सहरसा। जुन १४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

rajkamal choudhary rachanaavaliमैथिली तथा हिन्दीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार स्व. राजकमल चौधरीक ४९म पुण्यतिथि एहि बेर पहिने सँ बेसी भव्यताक संग मनाओल जयबाक समाचार अछि। एक तरफ १९ जुन केँ सहरसा मे भव्य समारोहक आयोजन करैत विभिन्न चरण मे दिन भरिक कार्यक्रम आयोजन कैल गेल अछि जाहि मे विशिष्ट अतिथि नेपाल व भारत सँ भाग लेता तऽ दोसर दिशि एहि दिन भारतक राजधानी दिल्ली मे ‘राजकमल चौधरी रचनावली’ ( 8 खण्ड मे ) डा. देवशंकर नवीन केर सम्पादन मे प्रकाशित रचनाक विमोचन साहित्य अकादमी सभागार, दिल्ली मे प्रख्यात आलोचक नामवर सिंह केर अध्यक्षता मे आयोजन कैल जायत। एहि विमोचन समारोहक विशिष्ट अतिथि इतिहासकार डी. एन. झा तथा मुख्य वक्ता मैनेजर पाण्डेय केर अतिरिक्त मृदुला गर्ग, मनीषा पाण्डेय आदि सहभागी बनता। तहिना एहि कार्यक्रम मे विशेष सान्निध्य स्व. राजकमल केर एकमात्र सुपुत्र आ स्वयं एक प्रखर कवि नीलमाधव चौधरी केर रहत। 

एहि समारोह मे विशेष रूप सँ भाग लेबाक लेल महिषी तथा बनगाँव सँ क्रमश: अमित आनन्द आ अभिमन्यु खाँ आ महिषी डट ओआरजी केर संस्थापक अमित चौधरी मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत स्व. राजकमल चौधरीक स्मृति मे भिन्न-भिन्न साहित्यिक गोष्ठी आयोजन पर खुशी जतबैत आगामी समय मे गामहु मे एहि दिवस केँ विशेष रूप सँ मनायल जयबाक समाचार देलनि। स्व. राजकमल चौधरीक लेखन शैली आ लेखनी सँ समाज मे व्याप्त दाकियानूसी विचारधाराक कठोर विरोध आइयो ओतबे प्रासंगिक अछि, श्री आनन्द कहलनि। सहरसा केर आयोजन लेल एकटा विशेष फेसबुक पेज निर्माण द्वारा बेसी सँ बेसी लोक केँ सहभागिता प्रति जिज्ञासा प्रकट करैत कार्यक्रम सफलतापूर्वक संपन्न हो से शुभकामना प्रकट केलनि।