मिथिलांचल के दरभंगा जिल्ला के मोहन पासवान के बेटी ज्योति बहुत समझदार और जुझारू छैथ। ज्योति कुमारी एक बेर फेर स राष्ट्रीय स्तर पर जिल्ला के मान बढ़ेने छैथ। ज्योति अहि बेर प्रधानमंत्री राष्ट्रीय बाल पुरस्कार – २०२१ स सम्मानित हेति।
भारत के बेटी सब केकरो स कम छैथ की! पूर्व स पश्चिम आ उत्तर स दक्षिण तक बेटी सब देश के मान ऊपर बढ़ा रहल छैथ। बेटी बचाओ –
बेटी बढ़ाओ के नारा देश में सार्थक होइत देखा रहल अछि। समाज में आई चेतना, जागरूकता के बीच में, हजारों बेटी सब भारत केर नया युग में अद्भुत सहभागिता जनेने छैथ। हुनक सभक सहभागिता और सकारात्मक ऊर्जा के आई पूरा विश्व चर्चा कैर रहल अछि। बेटी सब परिवार स ल क विश्व के हर एक कठिनाई के चिंता छोइर, संभावना स भरल नव मार्ग के तरफ ल जा रहल छैथ। अहि तरहक स्वभाव स भरिपूर्ण एक बहादुर बेटी स नरेंद्र मोदी अपने संवाद करैत नजर एता।
राष्ट्रीय बाल पुरस्कार के लेल चयनित भेल छैथ अपन सभक बेटी ज्योति।
अहि बेटी के बात करि त मिथिलांचल के दरभंगा जिल्ला के रहनिहार मोहन पासवानक बेटी ज्योति बहुत समझदार और मेहनती छैथ। ज्योति एक बेर फेर स राष्ट्रीय स्तर पर जिल्ला के मान बढ़ा अपना सबके गौरान्वित केने छैथ। ज्योति के अहि बेर प्रधानमंत्री राष्ट्रीय बाल पुरस्कार- २०२१ स सम्मानित कएल जेताईन। ज्योति के ई सम्मान हुनका द्वारा ई कोरोना काल मे कएल गेल साहसिक कार्य के लेल भेट रहल छैन।
अहि दुआरे, पीएम ज्योति स वर्चुअल संवाद के द्वारा ज्योति स बातचीत करबाक निर्णय केने छैथ। पीएम, अपन सभक बेटी ज्योति के अहि साहसिक कार्य पर चर्चा करता। जिल्ला प्रशासन द्वारा सेहो आयोजन के सब तयारी भ चुकल अछि। पिछला शनि क जिल्ला अधिकारी डॉ त्यागराजन एसएम ज्योति और हुनक पिता स अहि संदर्भ में संवाद केने छेला। गर्व के बात अछि जे National Bravery Award के ल के एक बेर फेर देशभैर में बच्चा सभक बहादुरी के कहानी वायरल भ रहल अछि।
ज्योति के बहादुरी के कहानी।
गर्व के बात अछि जे कोरोना संक्रमण काल में ज्योति हरियाणा के गुरुग्राम स अपन जोखिम पिता के ल क १६ अप्रिल क दरभंगा स्थित अपन गाम पहुँचल छेली। अहि बीच ओ बिना कोनो मदद के १२०० किलोमीटर के यात्रा तय केने छेली। अहि बेटी के पितृ भक्ति और श्रद्धा के कायल पूरा दुनिया भ गेल छल। पीएम मोदी सेहो अहि बेटी के भरपूर तारीफ संग आशीर्वाद देने छेला। अहिना फेर स प्रधानमंत्री संग ज्योति के बातचीत हेबाक सूचना भेटैत देरी बिहार समेत पूरा देशक ध्यान बेटी ज्योति पर आकर्षित होईत नजर आईब रहल अछि। २६ जनवरी यानी गणतंत्र दिवस स पहिने सभक मुँह पर ज्योति के बहादुरी और हौसला के चर्चा भ रहल अछि।