बीजिंग/वुहान, 14 जनवरी (एजेंसी)
विश्व स्वास्थ्य संगठन (WHO) कोरोना वायरस केर उत्पत्ति के पता लगेबाक लेल विश्व स्वास्थ्य संगठन के १३ अंतरराष्ट्रीय विशेषज्ञ वृहस्पति दिन चीन के वुहान पहुँचल अछि। ओहि ठाम टीम के अन्य २ गोटे कोरोना वायरस एंटीबॉडी के लेल पॉजिटिव भेलाक बाद सिंगापुर स वुहान के लेल रवाना नहि भऽ सकला। डब्ल्यूएचओ एक ट्वीट में ई जानकारी करेने छल जे “कोविड- 19 के लेल जिम्मेदार वायरस केर उत्पत्ति के जांच क रहल १३ वैज्ञानिक के टोली आइ चीन के वुहान पहुँचल अछि। विज्ञ सब अपन कार्य तुरंते शुरू करता और अंतराष्ट्रीय यात्री सभक लेल २ सप्ताहक पृथक-वास अथवा क्वारंटाइन में रहबाक नियम पालन करैत अहि कार्य केँ पूरा करता।”
ट्वीट के अनुसार, “दु कोरोना पॉजिटिव वैज्ञानिक एखनो सिंगापुर में छैथ और कोविड-19 संबंधी परीक्षण करा रहल छैथ। टीम के सब सदस्य के यात्रा स पहिने अपन गृह देश में उचित पीसीआर और एंटीबॉडी के जाँच भेल छल आर जिनकर रिपोर्ट नेगेटिव आयल छल, सिंगापुर में हुनका सभक पुनः जाँच कयल गेल जाहि में दु गोटेक रिपोर्ट पॉजिटिव आयल। रिपोर्ट के अनुसार, ‘स्क्रीनिंग प्रक्रिया में शामिल चीनी अधिकारी द्वारा प्रतिनिधिमंडल केर दु सदस्य के वुहानक उड़ान में यात्रा करै स रोइक देल गेल छल।’
चीन में १४ दिन के क्वारंटाइन में बसोबास के क्रम में विज्ञ सब वीडियो कॉन्फ्रेंस के माध्यम स अनुसंधान संस्थान समेत अस्पताल के लोग सब स सवाल जवाब करत और ओहि संग संक्रमण के शुरुआती प्रकोपक समय स संबंधित समुद्री जीव और पशु बजारक लोग सब स बातचीत करत से सूचित केने अछि। टोली में अमेरिका, ऑस्ट्रेलिया, जापान, ब्रिटेन, रूस, नीदरलैंड, कतर, और वियतनाम के अनेक विज्ञ सब छैथ। चीन के सीडीसी उपनिदेशक फेंग जिजियान कहला जे “कोरोना वायरस के वाहक, अथवा कोना इ वायरस जानवर स मनुष्य में फैलल, अहि प्रश्नक जवाब हमरा लग नहि अछि।”