मिथिला में मृत्युभोज नहि होइत छैक

मृत्युभोज मिथिला में नहि होइछ

कृपया ई विषय पर किनको दुविधा हो त पहिने बुझू मृत्युभोज के बारे में।

मिथिला में मृत्युभोज नहि होइत छैक। श्रद्धा पूर्वक पितर लेल श्राद्ध कयल जाइत छैक, अपन सामर्थ्य अनुसार समर्पण नहि कि कोनो सामाजिक बंधन कि एतेक करू भले जमीन बेचब या कर्ज करब।

मृत्युभोज भारत केर किछु हिस्सा में मृतक केर परिवार द्वारा अनिवार्य खर्च केर रूप में बान्हल रहबाक व्यवस्था केँ कहल जाइत छैक। जेना राजस्थान, उत्तरप्रदेश, गुजरात, मध्यप्रदेश आदि स्थान पर मृतक शरीर केर अंतिम संस्कार लेल दूर स्थान पर लय जेबाक आ ताहि में सहभागी सब लोक केँ भोजन करेबाक व्यवहार नियम बनि गेलैक, यैह मृत्युभोज कहाइत अछि।

शेष मैथिली जिन्दाबाद पर पढ़ि सकैत छी सर्च कय केँ!😊

हरि हर!!