मणिपुर हमलाक दोखी आतंकवादी समूह पर म्यांमार मे घूसिकय आक्रमण

भारतीय सेना द्वारा मणिपुर मे आतंक पसारनिहार पर म्यांमार केर सीमा मे घूसिकय आक्रमण, २० आतंकवादी मारल गेल, आतंकीक अड्डा सेहो ध्वस्त कैल गेल। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक एहि साहसिक फैसला लेल चौतरफा प्रशंसा आ पड़ोसी देश जतय सँ आतंक पसारल जाइत अछि तेकरा दुइ टूक जबाब।

sena pramukhभारत केर इतिहास मे ई पहिल बेर भेल जे कोनो आतंककारी समूह केर निशानदेही केला पर उच्चस्तरीय समन्वय सँ ९ जुन मंगल दिन भोरे-भोर कोनो दोसर देशक सीमा मे घूसिकय आतंकीक अड्डा केँ ध्वस्त कैल गेल आ करीब २० टा आतंकवादी केँ भारतीय सेना द्वारा मारि देल गेल। एहि लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केर चौतरफा चर्चा होमय लागल अछि। भारतक सूचना और प्रसारण राज्य मंत्री राज्यवर्धन सिंह राठौर कहलैन, “हमरा लोकनिक जे कोनो पड़ोसी हमरा लोकनिक देश मे आतंक फैलाबय चाहैत अछि, ओकरा लेल संदेश बहुत स्पष्ट छैक। प्रधानमंत्री एकटा साहसिक फैसला लेलनि आर सेनाकेँ म्यांमार (वर्मा देश) मे घूसिकय हमला करय लेल हरी झंडी देखौलनि।”

४ जुन केँ मणिपुरक चन्देल जिला मे मणिपुर सँ संबंधित आतंकी समूह द्वारा भारतीय सेनाक जवान पर हमला कैल गेल छल जाहि मे १८ जवान शहीद भऽ गेल छल। ताहि उपरान्त द्रुतगामी योजनाक संग आतंकी समूहक निशानदेही आ भारतीय सेनाध्यक्ष जे पहिने पूर्वी कमान्डक प्रमुख सेहो छलाह तिनकहि नेतृत्व मे कार्रबाईक योजना बनाओल गेल। देशक सीमापार आक्रमण करबाक लेल कूटनैतिक स्तर पर समन्वय लेल प्रधानमंत्री मोदी संग बांग्लादेशक यात्रा पर गेल राष्ट्रीय सुरक्षा सल्लाहकार अजित डोभाल बीच दौरा सँ प्रधानमंत्रीक संदेश सहित वापस आबि म्यांमार सरकार संग वार्ता करैत ओतुका सेनाकेँ सेहो विश्वास मे लैत ई हमलाक योजनाकेँ अंजाम तक पहुँचायल गेल। एहि सँ देश भरि मे एकटा नव आशा जागल अछि जे भारत आब चुप नहि रहत आ सीमा नंघबाक लेल सेहो कोनो समय डेग बढा लेत।