आधुनिक मिथिला मे नारी के योगदान

282

” #आधुनिकयुग मअ नारी कअ योगदान”

आधुनिक युग मअ नारी कअ बहुत योगदान यअ ।
घोर परिवार देखभाल सअ लो कअ,
“official work ” तक मअ निपुण छैथ ।
जखन औरत जन्म लै छेथ तअ ,
(1) पहीने ओ अपन बेटी – बहीन होए कअ फर्ज शकुशल निभाबैय छैथ ।
(2) ओकर बाद जखन हुनकर विवाह होए छैन ,
ओ नया घोर मअ प्रवेश करै छैथ एक गृह लक्ष्मी कअ रुप मअ ।
और ओही परिवार मअ अपन सुझ बुझ सअ ,
सब सदस्य कअ अपन कार्य कुशलता सअ संतुष्ट रखै छैथ ।
(3) ओकर बाद हुनकर मातृ कर्तव्य कअ ओ बखुबी निभा बैय छैथ ।
अपन बच्चा कअ पालन पोशन सअ लो कअ ओकर पढ़ाई लिखाई , ओकर उज्जवल भविष्य कअ बारे मअ सोची कअ कार्य रत्त रहै छैथ ।
हमेशा अपन परिवार ,अपन बच्चा सब कअ कुशल कामना कअ लेल प्रयास रत्त रहै छैथ ।
(4) अपन जीवन साथी कअ प्रति समर्पित रहै छैथ ।
हुनकर हर काज मअ ओ बैढ चैढ कअ भाग लै छैथ ।
चाहे ओ पारिवारिक काज हुअ ,
या आर्थिक ।
आथिर्क दृष्टि कोण सअ ओ हमेशा कोशिश करै छैथ जे अपन पती कअ बोझ कअ हम हल्का करी ।
और अए कोशिश मअ ओ हमेशा सफल रहै छैथ।
*आजुक माडर्न नारी कोनो “ऑफीस” या कोनो एहन कार्य नैय यअ जैय मअ ओ अपन योगदान नैय दोरहल छैथ *।
चाहे ओ लेबर कअ काज हुअ,या सीमा पार रक्षा कअ ।
ओ सब काज मअ निपुण छैथ ।

ओ साईकिल चलेनाय सअ लो कअ, हवाई जहाज तक चल बैय छैथ ।
ओ संसद सअ लो कअ , देश विदेश मअ कंधा सअ कंधा मिलाए कअ अपन कार्य कुशलता का परिचय दैए छैथ ।
कोनो एहन कला नैय छैन जे ,हुनका सअ छुटल हैत।
हुनकर कार्य योगदान कअ बहुत वर्णन छैन।
हम लिखा लागब तअ बहुत भअ जैत ।
हुनकर कार्य कअ वर्णन ब्रह्मांड मअ विख्यात अएछ।
ओ कंप्यूटर सअ कम नैय छैथ ।
एतबे पर हम अहा सब सअ छमा मांगैत हुनकर आवाहन कअ रहल छी।
*या देवी सर्वभूतेषु,
नारी रुपेण संस्थिता ,
नमस्तस्यै नमस्तस्यै नमस्तस्यै नमो नमः*
🙏🏻🙏🏻🙇🏻‍♀️
जय मिथिला 🙏🏻

नीलम झा