विराटनगर, २३ सितम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!

आजुक बैसार मे उपस्थित विभिन्न सदस्य सँ एहि विषय पर विचार राखल गेल। एकर संचालन आयोजक संस्थाक सहयोगी राजेश झा कयलनि। एहि मे रामचन्द्र यादव, प्रवीण नारायण चौधरी, प्रीति झा, सुधा कर्ण, भारती यादव, कमलेश झा, रंजू झा, वडा सदस्य सहित आरो-आरो वक्ता लोकनि अपन विचार रखैत वसुन्धरा झाक राखल मांग केँ जायज ठहराबैत हुनकर आ आरो-आरो सक्रिय संस्थाक अगुवाई मे चलि रहल अभियानमूलक कार्यक्रम सभक वास्ते राजकीय कोष सँ समुचित आर्थिक सहयोग करबाक लेल महानगरपालिकाक मेयर व प्रशासन सँ अनुरोध करबाक पहल लेल वडाध्यक्ष केँ अधिकार देल गेल। तहिना आगामी २९ गते आसिन केँ महानगरपालिकाक सभागार मे वृहत् विमर्श करबाक संग दशहराक शुभकामना आदान-प्रदान करबाक निर्णय सेहो कयल गेल।
प्रमुख अतिथि माधवराज वाग्ले अपन संबोधन मे बैसारक उद्देश्य नीक आ आवश्यक होयबाक बात कहलनि। लेकिन कोरोना महामारीक कारण एहि वर्षक कार्यक्रम आ नीति मे बहुत रास कटौती करैत पहिने महामारी सँ कोना सभक जान बचत ताहि दिशा मे बेसी चिन्ता-चिन्तन कयल जेबाक कारण सामाजिक अन्य सरोकारक बात सब कटौती होयबाक जानकारी सेहो करौलनि। संगहि ओ कहलनि जे तैयो वार्ड केर अधिकार आ कार्यक्रम अन्तर्गत स्थानीय संस्था सभक मार्फत जे कोनो काज करायल जा सकैत छैक ताहि मे ओ अपन विराटगढ परोपकार समाज व अन्य मैथिली संस्था केँ वार्ड मे पंजियन अनुसार निश्चित सहयोग करता आ ताहि लेल प्रस्ताव आमंत्रित सेहो कयलनि। संगहि ओ आश्वासन देलनि जे पूर्व मे पास कयल गेल सहयोग राशि जेकर एहि वर्ष कटौती कयल गेल अछि तेकरा लेल सेहो अपना सँ ऊपर पदाधिकारी संग विमर्श कय किछु न किछु प्रावधान जरूर बनौता।
सभाध्यक्ष सुशीला ओझा सेहो अपन अध्यक्षीय संबोधन मे मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति देशक प्राचीन आ महत्वपूर्ण अंग रहबाक कारण वांछित हर तरहक सहयोग लेल प्रयास करबाक वचनबद्धता प्रकट कयलीह। कोरोना महामारी सँ जल्दी समाज मुक्त हुअय तेकर सदिच्छा रखैत ऐगला वर्षक महानगरपालिकाक नीति-कार्यक्रम तय करयवला बैसार मे उल्लेखनीय बजट प्रावधान लेल स्वयं प्रयास करती से वचन देलीह। मैथिली एसोसिएशन नेपाल केर अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा नेपाल सरकारक तीनू तह केर सरकार मैथिली भाषा आ मिथिला संस्कृति केर संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन लेल काफी सकारात्मक रहबाक बात कहैत स्वयं मैथिली भाषाभाषी सरोकारवाला द्वारा प्रस्ताव सहित समुचित प्रतिनिधिमंडल संग विभिन्न तहक सरकार धरि अपन बात रखबाक अनुरोध करैत स्वयं सेहो एहि लेल सब तरहक सहकार्यक वचन देलनि। अन्त मे संस्थाक अध्यक्षा वसुन्धरा झाक धन्यवाद प्रस्ताव संग आजुक बैसार सम्पन्न कयल गेल।