२१ जुलाई २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!
इंग्लैन्ड केर ओक्सफोर्ड युनिवर्सिटी द्वारा अप्रैल माह सँ लगातार टेस्ट कयल जा रहल कोरोना वायरस कोविड १९ बीमारी सँ लड़बाक लेल बनायल गेल वैक्सीन आखिरकार नीक परिणाम देखौलक अछि। मानव ऊपर कयल गेल परीक्षण मे एकर सकारात्मक परिणाम देखल गेलैक अछि। आगाँ ब्रिटेन सरकार केर तरफ सँ ८४ मिलियन स्टर्लिंग पाउन्ड केर अनुदान विश्वविद्यालय केँ उपलब्ध करायल जेबाक निर्णय लेल गेल अछि। विश्वविद्यालय आब इंग्लैन्ड अवस्थित ग्लोबल बायोफार्मास्युटिकल कंपनी एस्ट्राजैनेसा संग मिलिकय एकर कमर्शियल प्रोडक्शन लांच करय लेल तेजी सँ आगू बढि रहल अछि।
उपरोक्त बात विश्वविद्यालय द्वारा जारी फेज एक आ दुइ केर जाँचक परिणाम साइंटिफिक जर्नल मे प्रकाशित करैत कहल गेलैक अछि। The Lancet मे प्रकाशित एहि सूचना मुताबिक एहि वैक्सीन केर प्रयोग सँ रोग निरोधी क्षमता सशक्त होयबाक बात कहल गेलैक अछि।
वैक्सीन प्रयोग करबाक १४ दिन मे T cell बनैत देखल गेलैक, संगहि २८ दिन मे वैक्सीन लेल व्यक्तिक शरीर मे एन्टीबडी केर निर्माण सेहो होइत देखल गेलैक जाहि के आधार पर कोरोना वायरस सँ मानव मे सुरक्षा आ रोग सँ लड़बाक सामर्थ्यक विकास संभव हेतैक, से कहल गेल छैक। आगाँ ईहो जाँच कयल जा रहलैक अछि जे एहि वैक्सीन केर प्रभाव सँ SARS-CoV-2 संक्रमणक पुख्ता रोकथाम संभव छैक। प्रथम दुइ चरण केर जाँच मे ई बात देखल गेलैक जे वैक्सीन केर प्रयोग कयला उत्तर कोनो अनपेक्षित रिएक्शन नहि होइत छैक बल्कि वायरस सँ लड़बाक लेल वांछित एन्टीबडी केर निर्माण होइत छैक।
समाचार स्रोतः
हरिः हरः!!