आध्यात्मिक चिन्तन-स्वाध्याय
मूल लेखः पूजा सिन्हा, हर-जिन्दगी डट कम पर एडिटोरियल
(अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी)
Hanuman Jayanti 2020: हनुमान चालीसा केर पाठ करब तँ तनाव रहत अहाँ सँ कोसो दूर
अगर अहाँ सेहो अपन सपना केँ टूटैत और असफल होयबाक कारण तनाव सँ घेरायल रहैत छी तऽ परेशान नहि होउ कियैक तँ एहेन मे हनुमान चालीसा केर पाठ परेशानी सँ मुक्ति …

किछु दिन पहिने हम बहुत उदास रहल करी। हमर उदासी केँ देखिकय हमरा अक्सर बस मे भेंट दयवाली एक महिला रोज हनुमान चालीसा केर पाठ करबाक लेल कहली। पाठ कयला सँ कनिकबे दिन मे हमरा बहुत फर्क महसूस होबय लागल। आइ हम स्वयं केँ तनाव मुक्त पबैत छी और खुशी केर अनुभव करैत छी। एहि लेल हम अपन दोस्त लोकनिक संग ई खुशी केँ बाँटय लऽ चाहैत छी।
जी हां! अगर अहाँ सेहो अपन सपना केँ टूटैत और असफल होयबाक कारण तनाव सँ घेरायल रहैत छी तऽ परेशान नहि होउ कियैक तँ एहेन मे अहाँ केँ संकट सँ मुक्ति दियाओत हनुमान चालीसाक पाठ। यकीन मानू जे हनुमान चालीसा केर पाठ सिर्फ धार्मिक और पूजा-पाठ सँ संबंधित मात्र नहि अछि बल्कि ई अहाँ केँ मानसिक शांति देबाक संग-संग अहाँक हेल्थ लेल सेहो बहुत नीक अछि। खासकय हनुमान चालीसा केर चौपाई सभ तँ सेहत सँ जुड़ल कइएक फायदा अहाँ केँ दैत अछि। अगर विश्वास नहि भऽ रहल अछि तऽ अहाँ सेहो हमरा संग एकर बारे मे जानू आ अजमाकय देखू।
1. स्ट्रेस दूर भगाबय

आइ-काल्हि महिला लोकनि अकेले रहैत छथि। एहेन अवस्था मे हुनका सब केँ कइएक तरहक भय सतबैत छन्हि। हालांकि ई डर भूत केर वजह सँ नहि होइत अछि। लेकिन ई डर कखन तनाव केर रूप लय लैत अछि पते नहि चलैत अछि। और तनाव केर चलते नींद नहि एबाक समस्या होबय लगैत अछि। लेकिन एहि चौपाई केर जाप कयला सँ तनाव और भय दूर भऽ जाइत अछि। जेना कि हमरा संग भेल छल। रोज भोरे एहि चौपाई केर १०८ बेर जाप कयला सँ तनाव सँ मुक्ति भेटि जाइत अछि।
2. बीमारी दूर करय

कोनो महिला चाहे कतबो बीमारी सँ घिरल हो, एहि चौपाई केर जाप कयला सँ हर तरहक बीमारी दूर भऽ जाइत अछि। अगर कोनो महिला केँ बहुतो बीमारी छैक और काफी इलाज कयलाक बादो ओ ठीक नहि भऽ रहल अछि तऽ मंगल या शनि दिन केँ ओकरा हनुमान जी केर तस्वीर के सामने बैसिकय पूरा हनुमान चालीसा केर पाठ करबाक चाही, एहि सँ जल्दिये बीमारी सँ मुक्ति भेटि जाइत अछि।
3. आत्मविश्वास बढ़ाबय

अगर केकरो कोनो तरहक कठिनाई या दुःख दूर नहि भऽ रहल छैक आर समस्या आदिक समाधान नहि निकलि रहल अछि या जॉब लागय मे परेशानी भऽ रहल अछि तऽ एहि चौपाई केर पाठ करथि। ई चौपाई अंदर सँ शांति दैत अछि और इंसान मे आत्मविश्वास पैदा करैत अछि। तऽ लाइफ मे कहियो अहाँक कॉन्फिडेंस लूज हुअय तऽ रोज एहि पंक्ति केर जाप करू, अहाँ केँ बहुत फायदा होयत।
4. बुद्धि तेज करय

अगर अहाँ आजुक बात बिसरि जाइत छी, या अहाँ बच्चा केँ पढल किछुओ याद नहि रहैत अछि तऽ एहि चौपाई केर पाठ करबाक चाही। ई चौपाइ विद्या और धन पेबाक लेल कयल जाइत अछि। एहि चौपाइ केर पाठ सँ हनुमान जी केर आशीर्वाद भेटैत अछि। रोज १०८ बेर जे महिला एहि चौपाइ केर पाठ करैत अछि हुनकर बुद्धि ओ धन संबंधी सारा दुःख दूर भऽ जाइत अछि। एहि चौपाई केर अर्थ अछि जे हनुमान जी विद्यावान छथि और गुणवान छथि। हनुमान जी चतुर सेहो छथि। ओ सदैव श्रीराम केर काज केँ करबाक लेल तैयार रहैत छथि। जे कोनो व्यक्ति एहि चौपाई केर जप करैत अछि ओकरा हनुमानजी केर जेकाँ विद्या, गुण, चतुराई केर संगहि श्रीराम केर भक्ति प्राप्त होइत अछि।
5. कोशिश मे सफलता

जीवन मे एहेन कतेको बेर होइत अछि जे तमाम कोशिश केर बावजूद काज मे बाधा सब अबैत अछि। अगर अहाँ संग सेहो किछु एहि तरहक भऽ रहल अछि त एहि चौपाई केँ कम सँ कम १०८ बेर जप करू, फायदा होयत। एहि चौपाई केर अर्थ यैह अछि जे श्रीराम और रावण केर बीच भेल युद्ध मे हनुमानजी भीम रूप यानि विशाल रूप धारण कय केँ असुर-राक्षस सभक संहार कयलनि। श्रीराम केर कार्य पूर्ण करय मे हनुमान जी अपन महत्वपूर्ण योगदान देलनि। जाहि सँ श्रीराम केर सब कार्य सम्हरि गेलनि।
तखन अहाँ कहिया सँ शुरू कय रहल छी हनुमान चालीसा केर पाठ करब?

1 Comment
obviously enjoy your site, but a few of your postings use some editing for spelling and grammar. On the one hand, I will definitely return; on the other, I am really annoyed by how many of them have spelling mistakes.