Search

मैथिली संग-संग हिन्दी भाषा-साहित्यक महान कवि बुद्धिनाथ मिश्रक जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना

परमादरणीय मैथिलीस्रष्टा सूर्य “श्री बुद्धिनाथ मिश्र” सर केर जन्मदिवस पर प्रवीण शुभकामना
 
संलग्न तस्वीर छी “मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल” केर कवि सम्मेलनक गीति-काव्य सत्रक। प्रवीणक सौभाग्य जे बैसबाक जगह भेटल सम्माननीय सत्राध्यक्ष श्री बुद्धिनाथ मिश्र सरक बाम भागक कुर्सी पर, आर हमर बाम भाग मे छथि बहुप्रतिभावान मित्र-भाइ-ओझा “हेमन्त झा”। आजुक अवसर थिक सम्माननीय महापुरुष बुद्धिनाथ सरक जन्मदिनक।
 
सर ७१ वर्ष पूरा कयलनि। लेकिन हृदय आ मोन दुनू हिनकर कोनो २५ वर्षक युवा सँ कहियो कम नहि भेल आ ने होयत। सर जखन हँसैत छथि त हृदयक तार हिलबाक अनुभूति सोझाँ बैसल लोक केँ सहजहि भऽ जायल करैत छैक। अत्यन्त रसीला स्वभावक, मुदा धीर-गम्भीर आ ज्ञानवान् व्यक्तित्व छथि जिनका संग संगत पाबि हम सब धन्य भेल छी।
 
सर द्वारा रचित मैथिली गीत मे जे प्रवाह छैक आर जाहि तरहक हृदयस्पर्शी भाव छैक से हमरो सनक हरमूठ साहित्यप्रेमी बुझि जाइत छैक। बड बेसी रहस्यमयी आ घुमघुमौआ जाल फेंकि चतुर मल्लाह बनैत कतेको कवि शिरोमणि केँ देखल, मुदा सर केर प्रस्तुतिक एक-एक लाइन मे दर्शक दीर्घाक जन-जन केँ तारतम्य मिलबैत देखल, ताहि दिन बुझल जे वास्तव मे काव्यक मर्म कतेक तीक्ष्ण होइत छैक जे सोझाँ बैसल दर्शकक मोन केँ कतेक पहिने भाँपिकय एहेन-एहेन महान कवि-गीतकार सब रचने रहैत छथिन। सर केर रचना प्रति पूर्ण समर्पणक संग मैथिलीक जय-जयकार करनिहार महान सृजनकर्मीक रूप मे हम हृदय सँ हिनका प्रणाम करैत जन्मदिन पर शीश झुका पैर छुबि प्रणाम करैत शुभकामना दैत छियनि। ईश्वर हिनका सदिखन एहिना राखथि जेना ई छथि।
 
सेन्स अफ ह्युमर केर सम्राट – हमेशा आशीर्वाद देबाक अभयमुद्रा मे ठाढ – अभिभावकत्व सँ ओतप्रोत – बच्चा आ युवाक भविष्य निर्माण प्रति विशेष लगाव रखनिहार – हमर आ समस्त मैथिली संग हिन्दी भाषाक चर्चित संरक्षक आ साहित्यिक विकासक संग राष्ट्र ओ मानवताक राजनीतिक – सामरिक विकास प्रति जागरुक महापुरुष केर रूप मे अपनेक परिचिति आ हमरा सभक संगत सच मे आह्लादकारी रहल, आगुओ एहिना रहय, आशीर्वाद दैत रहब। भगवती अहाँ केँ पूर्ण स्वस्थ आ मैथिलीक यज्ञादि मे सक्रियतापूर्वक संग दैत रही, यैह कामना संग पुनः जन्मदिनक अशेष शुभकामना सर!
 
अपनेक अनुगामी – अनुजवत् प्रवीण
 
हरिः हरः!!

Related Articles