२५ अप्रैल २०२०, मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रकाश झा – मैथिलीक एक महान गीतकार आइ दहेज मुक्त मिथिला पर लाइव औता
एडमिन वंदना चौधरी ई जानकारी शेयर करैत दहेज मुक्त मिथिला समूह केर सदस्य लोकनि सँ आइ २५ अप्रैल रातिक ८ बजे उपस्थित रहबाक निवेदन कयलीह अछि।
विदिते अछि जे दहेज मुक्त मिथिला एक चिर-परिचित अभियानक परिचायक नाम थिक। एहि समूहक योगदान मैथिली-मिथिलाक अनेकों अभियान मे सहयात्रीक रूप मे सुविख्यात रहल अछि।
वर्तमान समय लौकडौन केर माहौल मे घरहि बैसल समय बितेनाय एकटा गम्भीर चुनौती सिद्ध हेबाक कुबेर मे मैथिली सृजनकर्म अपन उत्कर्ष केँ सिद्ध कय रहल अछि। आन घड़ी अफीमी नशावत हिन्दी, पंजाबी व भोजपुरी आदिक नशा मे आकन्ठ डूबल मिथिला समाज लेल ई लौकडौन अपन विस्मृत हनुमानी शक्ति केँ पुनर्स्मरण लेल रामबाण सिद्ध भऽ रहल अछि।
प्रकाश झा केर गीत-रचनाक प्रसिद्धि के नहि जनैत अछि

ओ ईहो कहलनि जे पराम्बा जानकीक असीम अनुकम्पा सँ जाहि तरहें हम सब कियो मिलिजुलि अपन मिथिला केँ दहेज कुप्रथा सँ मुक्त करबाक एकटा संकल्प आ अभियान चलौने छी, ताहि मे प्रकाश भाइ केर योगदान काफी महत्वपूर्ण डेग होयत। एकर आडियो उपलब्ध भेलाक बाद वीडियो सेहो तैयार करबाक लेल हम सब कियो अपन लुक्खी प्रयास करब। ओ गीत जतय-जतय बाजत, हमरा पूर्ण उम्मीद अछि जे केहनो कठोर हृदय लोक दहेज मुक्त हेबाक लेल तुरन्त शपथ लय लेता। आउ, प्रकाश भाइ केँ सुनैत छी लाइव मे। पापा बिसरय नै छी कोरा – अहाँक चकलेट वाला झोरा… https://www.youtube.com/watch?v=5TW7vrqeK6c – ई हमरा बड नीक लगैत अछि।
सुतू-सुतू बौआ राति बड़ भेल…. अनेकों गीत जेकर ई रचना कयलनि अछि से सबटा बहुत उच्चकोटिक अछि। बहुत गम्भीरता सँ उत्कृष्ट कार्य करब हिनकर विशिष्टता रहलनि अछि। मैथिली संसार मे एहि तरहक उच्चमूल्यक योगदान देनिहार अत्यल्पे भेला अछि, लेकिन ओ सब एहेन-एहेन महान कार्य कय देलनि अछि जे आगामी कतेको पीढी धरि याद कयल जायत। भारतक एक सँ बढिकय एक प्रसिद्ध गायक यथा उदित नारायण, अल्का याज्ञनिक, आदि द्वारा मैथिलीक गीत गायन करेबाक रेकर्ड सेहो प्रकाश जीक नाम मे सुरक्षित अछि। निरन्तर नीक कार्य करनिहार मे मैथिली मीडियाक चर्चित चेहरा थिकाह प्रकाश झा। मैथिलीक मौलिकता केँ सदिखन उच्च महत्व दैत हिनका द्वारा रचना लिखबाक संग-संग स्वयं गायन सेहो कयल जाइत अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक शुभकामना!!