प्रधानमंत्री मोदीक ट्विट धरि पहुँचलाह प्रवेश मल्लिक

किसलय कृष्ण, सम्पादक, मैथिली जिन्दाबाद।

मिथिलाक युवा स्वरकेँ निरन्तर भेटि रहल ख्याति

#मैथिली_संगीतक_दीपमे_सार्थकताक_टेमी_उकसाबैत_युवा_प्रवेश_मल्लिक

https://www.facebook.com/187880940769/posts/10157057134490770/

मैथिलीमे आइकाल्हि प्रतिदिन यूट्यूब आ फेसबुकक माध्यमे दर्जनो गीत रिलीज भ’ रहल अछि, जाहिमे अधिकांशक शब्द, सुर, लय, ताल मथदुक्खी उठबय वला रहैत अछि आ संगीतक त’ बाते नहि कयल जाय…. हाँ किछु गीत अपन शब्द सामर्थ्य संग सेहो उपस्थित रहैत अछि, मुदा गीतकारक कयल-धयल पर पानि ढारि देश त अछि आयातित संगीत आ अनटेटल सन गायिकी… मैथिली गीत-संगीतक रिकार्डिंग युगक आरम्भ पं. विश्वनाथ झा, बालेश्वर मिश्र, डा. आनन्द मिश्र, रवीन्द्र-महेन्द्र, सरोज मिश्र, हेमकान्त, शारदा सिन्हा, सुरेश पंकज, ज्ञानेश्वर दूबे आदि सन माँजल स्वरसाधकक संग भेल छल आ छिटफुट गीणकेँ छोड़ि दी, त’ मैथिलीक सांगितिक मौलिकता अपन स्वरूप लेबाक बाट पर छल…. मुदा किछुए समयोपरान्त मैथिलीक ई निजत्व भरल बाट पैरोडीक काँटसँ भरय लागल आ क्षणिक लोकप्रियताक मकड़जालमे एकर पहिचान आन भाषाक संगीतमे मिझ्झर होइत चल गेल आ आइ स्थिति भयाओन सन अछि, जँ गायक-गायिकाक स्वरकेँ म्यूट क’ देल जाय तँ म्यूजिक ट्रैककेँ सुनैत कहब कठिन भ’ जायत जे ई कोन भाषाक संगीत थिक….. एहेन दुरूहकालमे सेहो किछु लोक मैथिली गायन आ संगीतक निजगुत पहिचान लेल सक्रिय छथि आ एहने एकटा नाभ थिक प्रवेश मल्लिक…
मूलरूपेण जनकपुरधाम वासी प्रवेश मल्लिक संप्रति मुम्बईमे रहैत वालीवुडक संगीत परिदृश्यमे सक्रिय नाम छथि । अप्पन अग्रज सुनिल कुमार मल्लिक संग सुनिल-प्रवेश नाम्ना हिनक जोड़ी मैथिली संगीतकेँ कैकटा लोकप्रिय एलबम प्रदान कयने छथि । मिथिलाक लोक संगीताधारित एलबम गीत घर घर के केर अपार लोकप्रियता उपरान्त मौलिक संगीतमे ई जोड़ी छौड़ा तोरा बज्जर खसतौ, अम्बे भवानी विनती सुनू, हमर धकधकी बढ़ैये आदि बहुचर्चित एलबमक संग खोंता सिंगार, लेहुआयल आँचर, नेहा आदि सार्थक कुछ सेट पूर्वहिमे परसि चुकल छथि । मुखियाजी, छूटत नहि प्रेमक रंग आदि फिल्ममे एहि जोड़ीक सांगितिक मौलिकताकेँ आइयो अकांल जा सकैत अछि । मुम्बई बसोवासक बाद प्रवेश मल्लिक स्वतंत्र रूपेँ काज आरमभ कयलनि आ कैकटा काज चर्चित भ’ चुकल छन्हि हिनकर । प्रेमक बसात (मैथिली), संरक्षण (नेपाली), जय गंगाजल(हिन्दी), चकल्लसपुर (हिन्दी) आदि फिल्ममे हिनक संगीत आ गायनकेँ बेस प्रशंसा भेटि चुकल छनि आ संप्रति कैकटा हिन्दी सिनेमाक संगीत निर्माणमे व्यस्त छथि । पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक कविता केँ प्रवेश अपन संगीतमे प्रख्यात पार्श्वगायक उदितनारायणकेँ स्वरबद्ध कयने छथि जे बेस चर्चित भेल । तमाम उपलब्धि आ व्यस्तताक अछैत प्रवेश अप्पन माटि आ मातृभाषासँ निरन्तर सिनेह राखयवला युवा छथि आ मैथिली संगीतक विशिष्टता लेल आकुल रहैत छथि । जनकपुरक मिथिला नाट्य कला परिषद ्सँ ल’ क’ दिल्लीक सान्निध्या ड ण्ड होइत मायानगरी मुम्बई धरिक हिनक काज करबाक उर्जाकेँ हम लगीचसँ अकानने छी । प्रवेश मल्लिक प्रोडक्शन माध्यमे निरन्तर मैथिली लेल किछु ंव करैत रहब हमरा सभकेँ एकटा भरोस दैत अछि । हालहि हिनक फगुआ गीत परदेसिया बात स लोकप्रिय भेल छल आ किछुए दिन उपरान्त एहि विकराल समयमे मैथिली गीतक विराट व्यक्तित्व राजेन्द्र विमलक ई सुच्चा प्रेमगीत वा गजल जे कहि ली से ल’ क’ प्रस्तुत छथि ।
आ आइ कोरोना वैरियर्सकेँ समर्पित हुनक गायन भारतीय प्रधान मंत्री नरेन्द्र मोदीक ट्विटर हैण्डिल धरि पहुँचि मिथिलाकेँ गौरवान्वित कयलक अछि ।