हेल्प मधेशी तथा साँझक चौपाड़िद्वारा दोहामे सम्पन्न भेल – विद्यापति स्मृति पर्व, परदेशी आखर लोकार्पण एवं रूपा-धीरू विशेष सम्मान समारोह
११/०१/२०२० दोहा न्युज, विन्देश्वर ठाकुर।
हेल्प मधेशी दोहा-कतार तथा साँझक चौपाड़ि दोहा कतार केर संयुक्त आयोजनामे दिनांक १०/०१/२०२० (बीतल शुक्र दिन) सनैया- ग्राण्डमल्लके ‘लालीगुराँस’ रेष्टुरेन्टमे विद्यापति स्मृति पर्व, परदेशी आखर नव अंकके लोकार्पण तथा आदरणीय साहित्यकार धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ हुनक अर्धाङ्गिनी रूपा झा जीक विशेष सम्मान समारोह सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि। कतारी समय रातिक ८ बजे सँ शुरु भेल एहि कार्यक्रममे हेल्प मधेसी दोहा-कतारक वर्तमान अध्यक्ष श्री रामकल्याण महतो जी द्वारा सभापतिक आसन ग्रहण कएल गेल छल। तहिना प्रमुख/विशिष्ठ अथितिमे साहित्यकार धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ श्रीमती रुपा झा जी छलनि। तहिना अतिथिक रुपमे हेल्प मधेशीक संस्थापक सदस्य गोबिन्द झा आ एहि संस्थाक वर्तमान सल्लाहकार ओ निवर्तमान अध्यक्ष पवन ठाकुर जी छलथि। एकर अतिरिक्त विभिन्न संघ-संथा सँ जुड़ल हेल्प मधेशीक सेवक सबहक सेहो घनगर उपस्थिती छल।
कार्यक्रमके पहिल चरणमे सभापति, विशेष अतिथि आ अतिथिलोकनिद्वारा मैथिलीक महाकवि बाबा विद्यापतिक प्रतिमा ऊपर माल्यार्पण क’ दीप प्रज्वलन कएल गेल छल। तकर उपरान्त मधेशक ज्ञात/अज्ञात समुच्चा सहिदसबप्रति एक मिनेट मौन धारण कएल गेल छल। कार्यक्रमके दोसर चरणमे हेल्प मधेशी दिस सँ शिवकुमार महतो, राम कल्याण महतो, गोबिन्द झा आ पवन ठाकुर जी द्वारा अतिथि द्वयके दोसल्ला ओढा’क’ सम्मानित कएल गेल छल। तहिना साँझक चौपाड़ि दिस सँ कवि वीरेन्द्र कुमार सिंह ‘कुसबाहा’, असरफ राइन, राम अधीन ‘सम्भव’, आ दिनेश कुमार जी द्वारा सेहो हिनका दुनूगोटेके दोसल्ला ओढा’ सम्मानित कएल गेल छल। एकर अतिरिक्त धनुषा सेवा समाज दोहा-कतार सँ देबेन्द्र ठाकुर आ प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा-कतार सँ कवि-समाजसेवी रवीन्द्र उदासी ‘माली’जी द्वारा सेहो दोसल्ला ओढा’ सम्मानित कएल गेल। तहिना हेल्प मधेशीक सेवक, इन्जिनियरिङ एशोसिएसन लगायतके अन्य संस्थासँ आबद्ध एक कुशल नेतृत्वकर्ता व समाजसेवी इन्जिनियर वीरेन्द्र कुमार साह जी द्वारा सेहो अतिथि द्वयके दोसल्ला ओढा’ सम्मानित कएल गेल।
एहि सम्मानके बाद कार्यक्रममे स्वागत मन्तव्य रखलनि संस्थाक संस्थापक सदस्य पवन ठाकुर जी। तहिना हेल्प मधेशीक बारे अपन परिचयसहितके जानकारीमूलक वक्तव्य देलनि संस्थाक वरिष्ठ उपाध्यक्ष सेवक श्री विशेश्वर प्रसाद यादव जी। कार्यक्रमके तेसर चरणमे कतार सँ बहराइबला मैथिली पत्रिका – ‘परदेशी आखर’ के लोकार्पण कएल गेल। अतिथि लोकनि पत्रिकाक रूप, रंग एवं स्तर देखि प्रसन्नता भेलनि। समुच्चा मैथिली क्षेत्रक पत्र-पत्रिका हिसाबे भलही छोट, पातर वा किछु काँच रहए मुदा परदेशी सबहक मेहेनेत आ पसीना बले बनल ई आखर कौल्हका मैथिलीक इतिहासमे चर्चाक विषय बनत से विशिष्ट अतिथि द्वय केर कहब छलनि। कार्यक्रमके चारिम चरणमे कविगोष्ठीक आयोजन कएल गेल छल। एहि सत्रमे कवि वीरेन्द्र कुमार सिंह ‘कुसबाहा, धनेश्वर ठाकुर तथा विन्देश्वर ठाकुर जी द्वारा कविता वाचन कएल गेल छल त युवा गजलकार असरफ राइन एवं राम अधीन ‘सम्भव’ जी द्वारा एक सँ बढिक’ एक दमदार गजलके वाचन कएल गेल। तहिना कवि चन्द्रमोहन पंडित आ दिनेश कुमार जी द्वारा मैथिली मुक्तक(कता) प्रस्तुत कएल गेल त गायक रवीन्द्र उदासी ‘माली’ द्वारा अपन प्रेयसीक इयादमे भावविभोर कर’बला गीत सुनाएल गेल छल।
कार्यक्रमके पाँचम चरणमे अतिथि गोबिन्द झाजी द्वारा संस्थाक सराहना करैत प्रेमर्षि जी आ रूपा जीक मैथिली गतिविधीमे सकृयता व समर्पणके खूब जमिक’ प्रशंसा केलनि। तकरबाद हमर सबहक आकर्षणके केन्द्रबिन्दु बनल द्वय अतिथि अपन-अपन बात कहब प्रारम्भ केलनि। सब सँ पहिने श्रीमती रूपा झा जी सात समुन्द्र पार रहियौक’ एहि मरूभूमिके मिनी मिथिला बना’ देबाक लेल सबगोटेके बधाई देलनि।तकराबाद प्रेमर्षि जीक लिखल आ रूपा जीक स्वर देल -“प्रीतम हम्मर कमौआ यौ, कते कमेबै ढौआ यौ” गीत गाबिक’ उपस्थित सबगोटेके भावबिभोर क’ देलनि। जिनगीक आओर बहुतो आयाम सबहक बात करैत आब अपनहि देश-कोसमे जा’ क सृजनात्मक व रोजगारीक गतिविधि करबाक लेल प्रोत्साहित केलनि। हिनक बाद मंचपर अएलनि हमर सबहक प्रेरक, समर्थक व मैथिलीक एक कर्मठ योद्धा साहित्यकार धीरेन्द्र प्रेमर्षि जी स्वयं। अपन अमेरिका भ्रमण समाप्तिक उपरान्त नेपाल घुरती बेर कतारमे ट्रान्जिट भेल आ एहि अवसरके लाभ उठेबाक हेतु सँ आयोजना कएल ई कार्यक्रम तथा आयोजना केनिहार संस्था ओ सम्पूर्णलोकनिमे धन्यवाद ज्ञापन केलनि। परदेशमे रहिक’ अपन व्यस्त समयके बावजूद अहाँसबद्वारा कएल जा रहल ई गतिविधिसब महत्वपूर्ण अछि संगे एकरा भावी इतिहास अवस्से इयाद राखत से हुनक कहब छलनि। मैथिली सबदिन सँ अपन देशके साथ-साथ प्रवासमे सेहो खूब नीक जकाँ पोसाइत रहलैए से प्रसंगमे कोटियबैत आगु सेहो हमरासबके एहि लेल सचेत आ संवेदनशील रहबाक चाही से जिज्ञासा रखलनि। हिनका द्वारा ‘रवीन्द्रनाथ ठाकुर’ जीक लिखल मर्मस्पर्शी गीत -“चिट्ठीके तार बुझू, बुढिया बेमार बुझू” गाओल गेल। तहिना ‘साहिल अनवर’ के रचल मिथिला-मैथिलीप्रति समर्पित गीत – “एतबे दुवा मंगैछी अल्लाह एकरा कबुल कइए लिह’, जनम-जनमधरि हमरा मौला मिथिलेमे तू जनम दिह’ हिनक दुनूगोटेक जुगलबन्दीमे गाओल गेल। गीत सुनिते सबगोटेक मोन गदगद भऽ उठल। कार्यक्रमके अन्तिम चरणमे हिनका दुनूगोटेके मिथिला-मैथिलीप्रतिक लगनशीलता, कर्तव्यनिष्ठा एवं तत्परताके कदर करैत हेल्प मधेशी संस्थाद्वारा सम्मान-पत्र वितरण कएल गेल। सम्मान-पत्र वितरण लेल हिनका दुनूगोटेके क्रमश: संस्थाक सेवक विशेष आदरणीय सतीश कुमार यादव जी तथा श्री प्रदीप ठाकुर जीद्वारा प्रदान कएल गेल।
कार्यक्रमके सफलतापूर्वक संचालन केलनि कवि विन्देश्वर ठाकुर जी। अन्तमे सभाक सभापति जीद्वारा कार्यक्रमके विधिवत समापन कएल गेल।