६ नवम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली भाषा एवं मिथिला संस्कृति संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन निमित्त मधेशी आयोग केँ ज्ञापनपत्र देल गेल
मैथिली साहित्यकार सभाक सभापाल (मुखिया) एवं मैथिलीक साहित्यकार-कवि प्रेम विदेह ललन मैथिली जिन्दाबाद सँ बातचीत मे कहलनि अछि जे पैछला दिन २ नवम्बर जनकपुर मे मैथिली भाषा संग-संग मिथिलाक बहुमूल्य संस्कृति आ लोकपरम्पराक संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन मे नेपालदेश मे गठित मधेशी आयोग केँ ज्ञापन पत्र सौंपबाक बात बतौलनि। ओ कहलनि अछि जे मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर संगहि आरो सात जिलाक संघ-संस्थादिक संलग्नता मे हस्ताक्षरित ज्ञापन पत्र मधेशी आयोगक अध्यक्ष श्री विजय कुमार दत्त केँ जनकपुरधामक जनक चौकपर सौंपल गेलनि। एहि ज्ञापन पत्र मार्फत सात सूत्रीय मांगपत्र सेहो सौंपल जेबाक बात ओ बतौलनि अछि।
गत जेठ १५ गते लोक सेवा आयोग द्वारा कएल गेल असमानुपातिक विभेदपूर्ण विज्ञापनक खारेजी, प्रदेश एक आ दूमे प्रदेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानक गठन, संविधानमे मातृभाषा सभक अनुसूचीक व्यवस्था, प्रदेश दू आ एकमे कामकाजी भाषा मैथिली, प्रज्ञा प्रतिष्ठानमे मैथिली विभागक संचालन, मातृभाषा मैथिलीमे आधारभूत शिक्षा, देशमे भाषा वैज्ञानिक सर्वेक्षण आ गणना सन महत्वपूर्ण मांग सब रहल अछि। मैथिली साहित्यकार सभाक सभापाल प्रेम विदेहक संयोजनमे गेल प्रतिनिधि मंडलमे मिथिला संस्कृति केन्द्र, जलेश्वरक अध्यक्ष प्रा. ताराकान्त झा, समाजसेविका शवनम खातुन, मैसासक कार्यपाल अरविंद कुमार यादव आ साहित्यकार/पत्रकार सुजीत कुमार झा सहभागी छलाह।
ज्ञापनपत्रमे सात जिलाक चौदहगोट संघ-संस्था सभक आबद्धता रहल अछि जाहिमे मैथिली साहित्यकार सभा, श्री रामानन्द युवा क्लव, मिथिला नाट्य कला परिषद, मैथिली विकास कोष, रंगवाटिका नेपाल, श्री राम युवा कमिटी, धनुषा जिला, मिथिला संस्कृति विकास केन्द्र, महोत्तरी जिला, नेपाल मिथिला प्रज्ञा प्रतिष्ठान, सर्लाही जिला, मैथिली साहित्य परिषद्, पर्सा जिला, संगोर मिथिला नेपाल, सिरहा जिला, मैथिली साहित्य परिषद् आ मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान, सप्तरी जिला, मैथिली सेवा समिति आ मैथिली एशोसिएसन नेपाल, मोरंग जिला अछि। आयोगक अध्यक्ष विजय दत्त जी मांगसब जायज रहलासँ पूरा करएबाक भरपूर प्रयत्न करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि।