प्रिय दहेज मुक्त विवाह करनिहार युवा लोकनि,

बंधुगण! हरेक बेटीपक्ष केर मोन मे ई बात त रहबाके चाही जे हुनकर बेटी अहाँक संग सफल आ सुखमय दाम्पत्य जीवन बिताओत… अहाँ केँ सेहो एहि लेल सब तरहक आश्वासन देबहे टा के चाही। लेकिन जखन ‘दहेज मुक्त विवाह’ करबाक स्वघोषणा करैत छी त बहुतो कन्यापक्षक मोन मे दुविधाक स्थिति आबि जाइत छन्हि जे कहीं कोनो खोट-वोट त नहि छैक लड़का मे… अनेकों प्रकारत शंका-उपशंका मे घेरायल ओ लोकनि अहाँक आसपासक लोक सँ, अहाँक चिन्हनिहार लोक सब सँ, अहाँक आफिस आ नियोक्ता प्रति जानकार लोक सँ… कइएक तरहक छानबीन करैत छथि। आइ-काल्हि त कतेको कन्यापक्ष खुलेआम ईहो पूछि बैसैत छथिन जे ‘लड़का केर पैकेज कतेक के भेटि रहल छन्हि’। अहाँक स्वघोषणा जे दहेज नहि लेब, ई प्रयोग होइत देरी प्रश्न आ जिज्ञासा बढि जाइत छन्हि हुनका सभक। अहाँ झल्लायब, खींझब, खौंझा जायब, कटाह बनि जायब… कय टा सिन्ड्रोम अहाँ पर आबि सकैत अछि। मुदा प्लीज, कनेक थिर मोन सँ अहाँ हँसिकय हुनका सभक लीला – चमत्कार – संचार – आचार आ विचार पर नजरि बनौने रहब त बाद मे कनियाँ केँ मोन पाड़य लेल कइएक टा संस्मरण स्टौक मे भरि जायत। कनियाँ सेहो खूब चहकती आ फुदकती – कारण हुनका सेहो अपन माय-बाबू आ परिजन-बंधू सभक ई किरदानी खूब खौंझबैत रहैत छन्हि। ओना जे झगड़ाउ टाइपक आ कनेक बेसिये एडवांस टाइपक कनियाँ होइत छथिन त ओहो दहेज मुक्त वर सब पर किछु बेसिये बिगड़ल रहैत छथिन… कारण हुनको ई सन्देह होइत छन्हि जे जरूर कोनो कारण छैक जाहि सँ ई दहेजक मांग नहि कयलनि। मुदा सामान्य तौर पर अहाँ केँ ९७% लड़कीक मोन मे अहाँक त्याग करबाक नियत पर सवाल नहि रहतनि जेना हमरा बुझाइत अछि। ताहि लेल, कृपया शान्तिपूर्वक आ मुस्कुराइत अपन सासूर पक्षक लीला सभक आनन्द लेल करू।
आर हँ… अन्त मे ईहो कहब… जे जँ अपनहु मोन मे पाप पोसब आ छक्का-पंजा खेलाय लागब सासूर पक्ष संग त सम्बन्ध कतहु भऽ कय नहि रहत। ताहि हेतु, हे दहेज मुक्त दूल्हा लोकनि… कृपया अपन आदर्श पर सुदृढ बनल रहिकय स्वर्णिम भविष्य लेल भगवती सँ प्रार्थना करब। आइ-काल्हि कनियाँ सेहो जिबैत-जागैत भगवतिये होइत छथिन, हुनकहु प्रार्थना जरूर कयल करब। देखिते हेबैक जे “पत्नी चालीसा” व्हाट्सअप सब पर पेजे-पेजे घूमैत रहैत छैक, से विवाहक बाद लेल सीखि लेब। कारण भाव-बट्टा हुनका लोकनिक तेज चलि रहल छन्हि। पैकेज मे सेहो अहाँ सब सँ ओ लोकनि आब पाछू नहि छथि, सेहो ध्यान राखब। विशेष कि कहू! जतबे सच्चा रहब ततबे बच्चा सब नीक आओत एहि धराधाम मे अहाँ आ अहाँक कनियाँ सँ… छक्कल-बक्कल वला रहब त फेर वैह…. तूँ तेरी सी मैं मेरी सी वला ईगो सँ फूच्च फुचड़ा सब जन्म लेत आ ई मानवीय संसार मे सब किछु नीक नहि भऽ पाओत। से कनेक हमर विनती सुनि लेब… एकदम सच्चा आ ईमानदार आ भक्तमान व्यक्ति बनल रहब, कारण अहाँ दहेज मुक्त आ आदर्श युवा थिकहुँ… ई असाधारण डिग्री केँ कतहु हेरायब नहि। अस्तु… कोनो दिक्कत हुअय त हमरा सब सन अनुभवी दहेज मुक्त दूल्हा सब सँ बिना कनियाँ केँ बुझय देने सब किछु राय-सलाह कय लेब। ॐ तत्सत्!!
दहेज मुक्त मिथिला लेल,
प्रवीण
हरिः हरः!!