दिवस विशेष सन्देश
– प्रवीण नारायण चौधरी
डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ केर जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना
मिथिलाक प्रणेता आ नेता डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ केर आइ जन्मदिन होयबाक सूचना फेसबुक नोटिफिकेशन सँ प्राप्त भेल अछि। जनक-जानकीक मिथिला, विद्यापतिक मिथिला, सलहेश-दीनाभद्रीक मिथिला, कर्पूरी-लोहियाक मिथिला, डा. लखन बाबू आ जानकीनन्दन सिंह केर मिथिला, बाबूसाहेब चौधरी आ विलट पासवान विहंगम केर मिथिला, डा. रामभरोस कापड़ि ‘भ्रमर’ आ रामरिझन यादव केर मिथिला, राजीव झा आ श्यामसुन्दर यादवक मिथिला – ओहि युग सँ एहि युग धरिक मिथिला, भारत ओ नेपाल केर मिथिला, सीमा सहित आ सीमा रहित मिथिला – मिथिलाक एकटा अत्यन्त खास दिवाना आ अपन छात्र जीवन सँ वर्तमान ६६म वर्षक जीवनकाल धरिक यात्री डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू केँ हुनकर कइएक सिद्धान्त, सादगी, श्रेष्ठता आ सम्पूर्णता लेल हम प्रवीण प्रणाम करैत जन्मदिनक विशेष शुभकामना दय रहल छी।
सर्वप्रथम मोन पाड़ब २०११ ई. विराटनगर मे आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोह २०६८ जेकर संयोजक स्वयं रही, जाहि मे भारत आ नेपाल केर कइएक दिग्गज समाजसेवी, विद्वान्, राजनीतिज्ञ, कवि, लेखक, विचारक, गायक, कलाकार, चित्रकार, रंगकर्मी आदिक महाकुम्भ लागल छल, मैथिली-मिथिलाक इतिहास मे चिरकाल धरि स्मरणीय एहि आयोजनक मुख्य अतिथिक रूप मे नेपालक तत्कालीन उपराष्ट्रपति परमानन्द झा आयल छलाह आर एहि मे डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ आमंत्रण स्वीकार कय उपस्थित भेल छलथि – ससमय पहुँचि भोरका नगर-परिक्रमा सँ लैत कार्यक्रमक उद्घाटन सत्र धरि अपन समय देने रहथि – मैथिली भाषा आ मिथिला सभ्यता पर सारगर्भित विचार रखने रहथि – सब किछु प्रेरणास्पद लागल छल। तदोपरान्त २०१२ सँ मिथिला राज्य निर्माण वास्ते दिल्लीक जन्तर-मन्तर पर भारतीय संसदक प्रत्येक सत्रक आरम्भ दिवस पर राखल जा रहल धरना मे सहभागिताक समय संगत, २०१३ केर मिथिला राज्य निर्माण यात्रा (प्रथम) मे अपूर्व सहयोग आ संग, मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि अनेकों स्थान पर हुनका संग सहकार्य, राजविराज, जनकपुर, विराटनगर सहित मैथिली-मिथिलाक वास्ते तपोभूमि लगभग प्रत्येक स्थान पर आ विशेष रूप सँ दहेज मुक्त मिथिलाक स्मारिका विमोचन लेल ऐतिहासिक स्थल ‘सौराठ सभागाछी’ मे प्रत्यक्ष भेंटघांट सदिखन उत्साहवर्धन कयलक। हुनक एक कप चाहो तक नहि पीबाक मुदा घंटों धरि एक्कहि आसन मे डटल रहबाक अनुपम छवि-छटा काफी प्रेरित करैत रहल अछि।
महादेवक परमभक्त डा. बैजू जखन अपन स्वर मे बाबा बैद्यनाथ केँ याद करैत छथि, ताहि समयक जिला परिषदक उपाध्यक्ष भरत भूषण यादव केर चेम्बर मे ओ प्रस्तुति अविस्मरणीय अछि। संयुक्त मिथिला राज्य संघर्ष समिति केँ पुनः सक्रिय करबाक एक अनुरोध आ समस्त एकजूटता लेल सभ केँ एक मंच पर अयबाक आह्वान प्रति पूर्ण समर्थन देबाक सहजता – हर बात लेल डा. बैजू हमरा लेल एक पूज्य आ अविस्मरणीय महान नेता छथि। जा धरि जियब, डा. बैजू समान मार्गदर्शक आ मिथिलावादक प्रखर समर्थक प्रति अपन समर्पण बनौने रहब। पिछला दुइ गोट अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जे क्रमशः राजविराज आ जनकपुर मे आयोजित छल, ताहि मे सहभागिता आ डा. बैजू संग सहकार्यक सेहो अलगे अनुभूति भेटल। तदनुसार २०१९ केर अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन एहि विराटनगर मे अपन संयोजन मे करबाक सौभाग्य भेटल अछि… अपना भरि सब किछु करय मे लागल छी, शेष जानकी जी देखथिन। डा. बैजू प्रति जाहि निष्ठा आ समर्पण आइ बनल अछि, से हमरे भाग्य केँ बढा रहल अछि। अपन नेताक प्रति समर्पण निश्चित एकटा कठोर तपस्या जेकाँ होइत छैक। अपन अनुशासन एहिना ता-उम्र बनल रहय, एतबहि पराम्बा जानकी सँ प्रार्थना। डा. बैजू दीर्घायु होइथ, स्वस्थ आ कुशल रहथि – हमरा सभ केँ सदिखन सद्मार्ग पर चलबाक लेल सहयोग आ उत्साह दैत रहथि।
हरिः हरः!!