मैथिली जिन्दाबाद पर प्रकाशित समाचारक असर – भूल सुधार कयलनि पुष्पानि म्यूजिक कम्पनी

२४ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली जिन्दाबाद समाचार केर असर
 
काल्हिये ई समाचार प्रकाश मे आयल छल जे पंडित मधुकान्त झा ‘मधुकर’ केर साहित्यिक रचना केँ अपना नाम सँ जोड़िकय पुष्पानि म्यूजिक द्वारा राहुल मिश्र केर गायन मे एकटा गीत रिलीज कयल गेल अछि। एहि पर मधुकर बाबाक दोभित्र कुमुदानन्द झा प्रियवर विरोध जनबैत गीतकारक आ म्यूजिक कम्पनी सँ बात कएने रहथि। संगहि मैथिली जिन्दाबाद पर एहि तरहक काज केँ रोकबाक लेल समाचार सेहो पठौने रहथि। वार्ता सँ नीक परिणाम आयल अछि जे गीतकार अपन संकलन मे रहल रचना केँ गीतकार नाम देबाक भूल केँ स्वीकार करैत असली गीतकार मधुकर केर नाम लिखि देलनि अछि। ओहि पोस्टर मे आवश्यक परिवर्तन करैत म्यूजिक कम्पनी सेहो भूल-सुधार कयलनि अछि। एहि तरहें आरो-आरो गलती कयनिहार अवश्य प्रेरणा लैत अपन भूल सुधार करता से अपेक्षा राखल जा रहल अछि। प्रियवर एहि तरहक उदार प्रवृत्ति लेल गीतकारक नाम देनिहार सज्जन डा. रविन्द्र मिश्र तथा पुष्पानि म्यूजिक कम्पनी प्रति कृतज्ञता व्यक्त करैत ईहो कहलनि जे कोनो रचनाकार केर नाम मात्र देला सँ वर्तमान समय मैथिलीक दिनमान नीक हेतैक। ओ आशा जतेलनि जे मैथिली गीत-संगीत आ फिल्म मे एतेक कमाय बढैक जे कहियो रचनाकार आ अन्य सहयोगी योगदानदाता लोकनि केँ हुनकर मेहनतिक पारिश्रमिक सेहो देल जेबाक अवसर बनत। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ सेहो यैह कहल गेल अछि जे भोरक बिसरल साँझ घर घुरि जाय तँ ओकरा भटकल-बिसरल नहि कहल जाइछ, बस क्षणिक त्रुटि बुझि एकर पुनरावृत्ति दोसर बेर नहि होइक, यैह आशा कयल जा सकैत अछि।