कि याद अछि दरभंगाक दहेज हत्याकांडक ओ वीभत्स कथा

१८ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

दरभंगा दहेज हत्याकांडक पीड़िता-मृतक स्व. रंजना झा केर ओ तस्वीर जे राखी पर ओकर भाइ द्वारा सोशल मीडिया पर दय करोड़ों मिथिलावासी केर आँखि मे नोर भरि देने छल

समाज मे नीक आ बेजा घटित होयब स्वभाविक छैक। पिछला वर्ष दरभंगाक एकटा दहेज हत्याकांड काफी चर्चा मे रहल। एक दरोगा जी अपन बेटीक विवाह दोसर दरोगा जीक बेटा सँ करौलनि। कथा-वार्ता दुइ समान हैसियतक परिवार मे केना होइत छैक मिथिला मे सब केँ बुझले होयत। बेटीक परिवार पर लगभग सारा जिम्मेदारी तय कय देल जाइत छैक जे दुनू तरफक सम्पूर्ण खर्चा अहीं केँ करबाक अछि। ई परम्परा पहिने एतेक वीभत्स आडंबरी रूप मे नहि छलैक, ताहि कारण एकर ओतेक असर समाज पर नहि पड़ैत छल। हाल किछेक वर्ष मे विदेहराजक मिथिलाक लोक मे भीषण भौतिकवादी लोभ-लालच प्रवेश कय गेलैक आर विवाह सम्बन्ध बनेबाक लेल कइएक तरहक देखाबटी खर्चा आ व्यवहार मे दुनू परिवार फँसैत देखल जाइत अछि। रंजना झाक पिता सेहो एहि तरहें एकटा समकक्षी पुलिस अधिकारीक बेटा सँ अपन बेटी लेल नीक सपना देखिकय विवाह कएने रहथि। लेकिन रंजना सासूर जाइत देरी अपन पति, सासु, ससूर, ननैद आदिक मुंह सँ अपना लेल कहियो नीक वचन सुनब त दूर, पहिने सँ कयल गेल लेन-देन पर तरह-तरह के उलहन उपराग सुनैत रहल। कतहु-कतहु बेटीक साधु-प्रकृतिक कारण सासूरवला केँ आरो बेसी सताबय मे मजा अबैत छैक, सैह हाल भेलैक रंजना केर। ओ बेचारी सब बात चुपचाप सुनि लेल करय, हजार बात सुनलाक बाद एक बात अपन पक्ष मे सफाई दैत बाजय… लेकिन ताहि पर ओकर सासु, ननैद आ बाद मे पति द्वारा ओकरा काफी प्रताड़ित कयल जाइत छलैक। रंजना एहि सब सँ काफी पीड़ा मे डूबि गेल छल। एक दिन ओ समय निकालि अपन पीड़ा केँ नैहराक लोक पिता, भाइ आ माय सब केँ संबोधित कय पत्र लिखि देलक। कतेक मोस्किल सँ ओकर ओ पत्र नैहर तक पहुँचियो गेलैक। एम्हर नैहरक लोक सेहो आवश्यकता सऽ बेसी साधु जे चिट्ठी पढलाक बादो बेटीक अवस्था केँ मनन कय नव-नव सासूर मे परेशानी होइत छैक से सोचि प्रतिक्रिया नहि दय सकलाह। आर एक दिन…. रंजना केँ कुहरा-कुहरा कय मारल गेलैक, ठेहुन, पीठ, डाँर्ह, देह – सौंसे तोड़ि देल गेलैक क्रूर पति ओ परिवारजन द्वारा आर अन्त मे जखन ओक प्राण चलि गेलैक तकर बाद वैह क्रूर आ दम्भी-दानवी दरोगा जी कहेनिहार सासूर परिवार ओकर लहास केँ ठेगाना लगबय लेल कतेक कुत्सित प्रयास केलक… जीबिते रंजना केँ धमकौनिहार दरोगा जी आब हड़बड़ी मे चलि गेलाह जे कोहुना एकरा सलटा… लेकिन से सब सफल नहि भेलनि। आइ पक्का जेल मे हेबाक चाही ई सम्पूर्ण परिजन। हमर आजुक मेमोरी मे स्वर्गीया रंजनाक एकटा सुन्दर-सलोना तस्वीर हुनकर भाइ शिव द्वारा शेयर कयल आयल अछि। एक जेठ भाइ आ दहेज मुक्त मिथिला अभियान केर संचालकक रूप मे सिर्फ ई कथा-पटकथा अपन पाठक लोकनि केँ बेर-बेर मोन राखय लेल एतय राखि रहल छी। रंजनाक प्रति सोशल मीडिया मे देल किछु श्रद्धाञ्जलिक शब्द संगः

श्रद्धाञ्जलि सुमन रंजना झा

दहेज मुक्त मिथिला अभियानक एक जमीनी संघर्षक कथा
 
दरभंगाक एहि वीभत्स दहेज हत्याकांड केँ मोन पाड़ैत आजुक ई फेसबुक मेमोरी एक बेर फेर मानवीय संवेदनाक तार केँ झनझना कय राखि देलक। दहेज लोभी समाज कोना पहिने अपन शान बघारैत बेटाक विवाह करबैत अछि, केना कोनो बेटीवला ओकर छद्म सोहरतक जाल मे फँसैत अछि आर फेर केना-केना एकटा निठल्ला बेकाजक जमाय ओहि बेटीक मार्फत ओकर माता-पिता सँ अपन ‘बुलेट एनफिल्ड’ चढबाक सख पूरा करय लेल दबाव बनबैत अछि, फेर ओतबे लोभ नहि पूरा भेलाक बाद केना एक बेटी पर अत्याचार करैत अछि, अन्त मे अत्याचारक पराकाष्ठा नांघिकय ओकरा तड़पा-तड़पाकय मारि दैत अछि, मारलाक बादो ओहि दहेज लोभी परिवारक मनोकांक्षा पूर्ण नहि होइत छैक त ओहि लहास केँ लय जा सड़क दुर्घटना देखेबाक असफल प्रयास करैत अछि, धरफरायल-हड़बड़ायल आ अंजान भय सँ आतुर हत्यारा परिवार लहास सँ डेराकय कोनो तेसरे ठाम लय जा कय लहास जरेबाक असफल प्रयास करैत अछि, लेकिन ओहि बेटीक आत्मा आ परमात्माक लीला देखू जे ई सब बात एक कान सँ दस कान होइत आखिरकार ओ हत्याकांडक पर्दाफाश भऽ जाइत अछि, ओहि पीड़िता आ मृतक रंजनाक लिखल चिट्ठी अपन माय-बाप-भायक सोशल मीडिया मे सरेआम बाहर आबिकय वायरल भऽ जाइत अछि आर तेकर बाद शुरू होइत अछि सोशल मीडिया एक्टिविस्ट लोकनिक ‘न्याय-संघर्ष’…. जे एकटा फिल्मक पटकथा सँ कनिकबो कम नहि य लेकिन ई सच्चाई आधारित घटना थिक।
 
रंजनाक पुण्यात्मा लेल पुनः प्रार्थना – भगवान् अहाँक आत्मा केँ चिर शान्ति प्रदान करथि।
 
पीड़िताक परिवार सँ फेर निवेदन जे एहि केसक वर्तमान अवस्था पर आवश्यक सूचना उपलब्ध करबथि।
 
हरिः हरः!!