अद्भुत आ समर्पित युवा समाजसेवी मनोज शर्मा

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः मनोज शर्मा – दहेज मुक्त मिथिलाक दरभंगा संयोजक, एक अद्भुत समर्पित युवा समाजसेवी

– प्रवीण नारायण चौधरी

अभियानी हुअय त एहेन!
 
बात २०१७ ईस्वीक थिकैक। दहेज मुक्त मिथिला अभियान सँ प्रेरित भेनिहार मे २ टा मिथिलाक बेटा शामिल भेलाह। एकटा पूणे सँ, एकटा मद्रास सँ। दुनू वीर सपूत छथि अपन धरतीक। हिनका सभ मे मातृभूमि, मातृभाषा आ अप्पन मैथिल लोकक हितचिन्तन कुटि-कुटिकय भरल छन्हि। एक छथि श्री आरके दीपक आ दोसर छथि श्री मनोज शर्मा। जगज्जननी जानकीक परमकृपा सँ दुनू सपूत अपन-अपन क्षेत्र मे – रोजगार मे – परिवार मे आ समस्त सरोकार मे हिरो छथि। आर जखन हिरोक संग हमरा भेटि जाय त फेर नया-नया रेकर्ड बनिते रहल, बनिते रहत। दहेज मुक्त मिथिलाक मैराथन दौड़ सँ शुरू दहेज उत्पीड़नक केहनो केस केँ सुलझाबय मे ई लोकनि काफी सक्रियता सँ संग देलनि। दरभंगा जिलाक ई दुइ महानायक आ तेसर महानायक किशोर झा – तदोपरान्त त बनि गेल एकटा बड़का फौज आ दरभंगा-मधुबनी सौंसे दौड़ि-दौड़िकय देल जाय लागल सन्देश “दहेज भगाउ, बेटी बचाउ”।
 
एखन, आइ ई चर्चा फेर अहाँ लोकनिक सोझाँ एहि लेल आनलहुँ जे विगत किछु समय सँ दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसडर श्री आर के दीपक अपन रोजगार आ परिवार मे कनेक उलझल छथि, समय कम निकालि पेलाह, मुदा मनोज शर्मा निरन्तर अपन जिम्मेदारीक निर्वहन लेल दीपक भाइ, किशोर भाइ व हमरा संग सहकार्य करैत किछु न किछु अभियान केँ सक्रियता सँ संचालित करैत रहैत छथि। आब काल्हिये एकटा टूटैत परिवार केँ फेर सँ जोड़बाक कार्य करेबाक लेल मनोज भाइ शिकायत अनलनि आ उचित सलाह-मशवरा सँ ओकर निष्पादन कयल गेल। आदरणीय संजय सिंह भाइजीक अपूर्व सहयोग रहल, हमर प्रार्थना बाबा कुशेश्वर सँ आर तरकीब जे केना दुनू परिवार केँ सब बात करैत एकठाम बैसायल जाय… बस मनोज भाइ अक्षरशः ओहि तरहें सब संयोजन करैत कार्य केँ पूरा करौलनि। बाबा कुशेश्वरनाथक असीम कृपा सँ सफलता भेटल। ई सन्देश काल्हि सँ बहुतो लोक केँ प्रसन्नता देलकनि अछि। हम सब टीम मेम्बर त प्रसन्न छीहे। दुनू बिछड़ल पति-पत्नी आ दुनू परिवार सेहो प्रसन्न अछि। सौंसे समाज प्रसन्न अछि। कनी मेहनति आ समय देला सँ एकटा विपत्ति सँ परिवार केँ बचा देल गेल। परोपकार सँ ताहि लेल पैघ कोनो आन धर्म नहि मानल गेलैक अछि।
 
मनोज भाइ केँ भगवान् सदिखन प्रसन्न राखथि। हमर आशीर्वाद सेहो हिनका संग छन्हि। अपनहु लोकनि एहेन सपूत केँ आशीर्वाद दी आ आगाँ सेहो ई लोकनि नीक सँ नीक कार्य करैत अपन समाज केँ दहेज मुक्त करता ताहि लेल शुभकामना दिअनि।
 
हरिः हरः!!