मिथिलाः उत्पत्ति एवं नाम
– डा. उपेन्द्र ठाकुर (प्रसिद्ध इतिहासकार)

एहि भूमिक हेतु प्रयुक्त ‘विदेह’ तथा ‘मिथिला’ नामक उत्पत्ति विशुद्धतः पौराणिक अछि। जूलियस एग्लिंगक अनुसार प्राचीनकालमे ई भू-भाग आर्यलोकनिक निवासस्थल अतिपूर्वमे छल। कहल जाइछ जे उक्त प्रदेश अपन नाम सरस्वती तीरसँ आगत राजा विदेघ माधव अथवा विदेह माधवसँ पओलक। शतपथ ब्राह्मणक अनुसार विदेघ माधव अपन पुरोहित गोतम राहुगणक संग सरस्वतीक तटसँ सदानीराक (गण्डकीक) तटपर आबि सर्वप्रथम अग्निकेँ प्रज्वलित क’ एहि भूमिकेँ पवित्र कयलनि। ई सत्य जे माधवक आगमनक पश्चात् अनेक ब्राह्मण एतय अयलाह। फलतः एहि भूमिपर कृषि प्रारम्भ भेल तथा यज्ञ द्वारा अग्निकेँ सन्तृप्त कयल गेल। महाकाव्य तथा पुराणसभक वंशावलीमे द्वितीय राजाक रूपमे परिगणित मिथि वैदेह माधव विदेघक परिलक्षक थिक। पौराणिक वंशावलीक अनुसार अयोध्यापति मनुक पुत्र निमि एहि यज्ञ-भूमिमे अयलाह। हुनकर पुत्र मिथि अपन नामपर मिथिला नामक राज्यक स्थापना कयलनि। नगर निर्माणक क्षमता रखबाक कारणेँ ओ ‘जनक’ नामसँ प्रख्यात भेलाह। ईहो कहल जाइछ जे मन्थनक बाद उत्पन्न होयबाक फलस्वरूप हुनक नाम मिथि राखल गेलनि। असामान्य जन्मक कारणेँ ओ जनक कहओलनि तथा पिताक अशरीरी रहबाक कारणेँ विदेह। एहि तरहेँ हुनक नामक आधारपर एहि प्रदेशक नाम मिथिला पड़ल।
क्रमशः… एहि भूमिक उद्भवक एकटा रोचक कथा विष्णुपुराण मे भेटैछ….
हरिः हरः!!