साभारः घनश्याम झा
वीडियोः https://www.facebook.com/ghanshyamjha.jha.7/videos/1223105467872342/
मिथिला आदि काल सँ सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक धराक रूप में जानल जायत अछि । एतय अनेकानेक विद्वान अपन विद्वता सँ संपूर्ण विश्व के प्रभावित केलथि । मुदा सरकारक उदासीनता आ आमजनक घटैत रूचि के कारण मिथिला अपन संस्कृति केँ बिसरैत जा रहल अछि । किछु महान विभूति सभकेँ त याद अखनो धरि लोक सभ रखने छथि मुदा कतेको के नाम धरि नञ जानैत छथि । मिथिला स्टूडेंट यूनियन अहि ऐतिहासिक संस्कृति केँ पुनः जीवित करबाक प्रयास क रहल अछि । अहि क्रम में आजुक दिन एमएसयू केर टीम मिथिलाक महान विभूति मंडन मिश्र जिनक विद्वताक कहानी सुनि स्वयं शंकराचार्य शास्त्रार्थ के लेल मिथिला केर धरा पर आयल छलाह हुनक गुरू कुमारिल भट्ट केर डीह जे मनीगाछी प्रखंडक भट्टपुरा गाम में अछि ओहि ठाम पंहुचि अहि ऐतिहासिक धरा केर अवलोकन केलनि ।
अहि क्रम में टीम में आयल संतोष मिश्रा जनतव्य देलनि जे मंडन मिश्रक गुरू कुमारिल भट्ट के डीह सँ कलश में अहि ठामक माटि ल मंडन मिश्र केर डीह सहरसा जिलाक बनगांव महिषी तक रथ यात्राक माध्यम सँ ल जायल जायत । एमएसयू के राष्ट्रीय अध्यक्ष अविनास भारद्वाज कहलनि जे तीन दिनक अहि यात्रा में जगह जगह रथ यात्रा केर माध्यमे आम जन के अपन बिसरल एेतिहासिक संस्कृति सँ अवगत कराउल जायत । टीम मिथिलाक एकटा आउर विभूति अयाची मिश्रक जन्म स्थल सरिसवपाही गाम स्थित अयाची डीहक दौरा सेहो केलनि जतय अनेक एेतिहासिक जनश्रुति सँ अवगत भेलथि । रथ यात्रा सँ पूर्व स्थानीय युवा समाजसेवी अभय अमन सिंह के दिशानिर्देश में स्थानीय स्तर लोक सभक बीच बैसार क माध्यम सँ जानकारी प्रसारित कैयल जायत । अहि टीम में संतोष मिश्रा , डाँ. एमएम झा , अविनास भारद्वाज , सागर नवदिया , अमित ठाकुर , घनश्याम झा , जयवर्धने जी , स्थानीय समसजसेवी अभय अमन सिंह , पूर्व मुखिया श्याम मिश्र सहित अन्य लोक सामिल छलथि ।