बनल नव राजनीतिक दल: जनक्रान्ति अधिकार मोर्चा
एक-एक डेग अत्यन्त सूझ-बूझ संग बढा रहला मिथिलाक धरतीपुत्र मधेपुरा सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव बिहार मे आगामी विधानसभाक चुनावक समयक घोषणाक संगे अपन नव राजनीतिक दल केर स्थापनाक घोषणा काल्हि १७ मई, २०१५, यानि रवि दिन पटना मे कय देलनि। एहि सँ पूर्व ७ मई, २०१५ हुनका राजद सँ पार्टी-विरोधी गतिविधिक आरोप संग ६ वर्ष लेल निष्कासन कैल गेल छलन्हि जे कोनो अनपेक्षित नहि बल्कि स्वयं पप्पू यादवक राजनैतिक रणनीतिक क्रमिक अन्तराल पर बिल्कुल सही समय सँ हुनकर मनोनुकूल होएबाक बात राजनीतिक विश्लेषक बीच चर्चा मे अछि। राजनीतिक विश्लेषणक पटल पर ई साफ अछि जे पप्पू यादवक शुरुआती दबंगइ सँ राजनीति केर दौर शुरु भेल। फेर तरह-तरह केर केस-मुकदमा आ आपराधिक मामिला मे संलग्नताक आरोप आदि केँ झेलितो, जीवनक अनेको वर्ष जेल यातना मे बितेलाक बाद अन्त मे न्याय भेटलनि। ओतहि सँ शुरु करैत छथि राजनीति केर अपन दोसर पारी!
युवा शक्ति संगठन छल प्राथमिक आगाज: दलक गठन तक रणनीति सफल
दोसर पारीक शुरुहे सँ एहि बातक संकेत दैत आबि रहल छथि जे ई एक स्वतंत्र दृष्टिकोणक संग निष्पक्ष राजनीति मे रुचि लेता। ‘सामाजिक न्याय’ और ‘जात नहीं, जमात की राजनीति’ समान प्रखर नारा बुलन्द करैत ‘युवा शक्ति’ केर संगठन निर्माण हिनकर मजबूत रणनीति केर द्योतक थीक। सघन रोड शो आ प्रत्येक जिलाक मुख्यालय आदि पर जनसभाक आयोजन करैत जनमानस मे अपन स्पष्ट रुइख राखैत ‘सोराज’ केर संकेत समेत दैत जमीनी सरोकारक विषय आ समस्याक समाधान केँ कर्म-सिद्धान्त मे अपनेबाक सिद्धान्त संग बिहार केँ रसातल मे पहुँचेनिहार नेतृत्वकर्ता पर आक्रमण करैत आइ अपन अलग राजनीतिक पार्टी केर गठन कएलाह अछि। पार्टीक गठन मे सेहो अंक ‘७’ केँ समेटब किछु विशेष संकेत दैत छैक। नाम राखल गेल अछि जन क्रांति अधिकार मोर्चा – युवा शक्ति केर समस्त अधिकारी व सदस्यक संग अपन वरिष्ठ सल्लाहकार व शुभेच्छु-हितैषी लोकनिक समग्र रायकेर निचोड़ – रणनीतिक हाल धरिक अन्तिम पड़ाव, एहि पार्टीक निर्माण केँ मानल जा सकैत अछि। पार्टीक विधान वा घोषणापत्र आबयवला समय मे जे किछु बनय, लेकिन इशारा साफ छैक जे ‘निकम्मा राजनीतिकर्ताक नेकरपंथीक विरुद्ध’ एकटा ‘निष्पक्ष वैकल्पिक दल’ द्वारा बिहारक भविष्य केँ ‘विकास आ स्वच्छ समाज निर्माण’ लेल भेल अछि।
बिहार मे होयत दुइ प्रमुख गठबंधन बीच सत्ताक लेल चुनावी संघर्ष
कतेको पोलिटिकल पंडित एहि नव धाराक सृजनकेँ अपना तरहें देखैत अछि, लेकिन राजनीति केर लगभग समस्त रूप सँ बाखूब परिचित पप्पू यादव केर ई मोर्चा आगामी चुनाव मे जातिवादी नारा आ गठजोड़ सँ जनताक अधिकार पर बलात्कृत राजनीति कएनिहार केँ मुहतोड़ जबाब भेटबाक पूरा उम्मीद बढि गेल अछि। एकटा संभावना तऽ ई बनिये गेल जे समग्र बिहार मे जनता परिवारक नाम पर जनताकेँ जाति-पातिक आधार पर गोलबंदी करैत वर्षों-वर्ष धरि सत्ता पर कब्जा कएनिहार केँ ‘विकास आ समाजिक न्याय’ लेल जबाबदेह बनेबाक लेल एकटा मजबूत गठबंधन ठाढ भेल अछि। बिहारक उपचुनाव केर परिणाम भाजपा केँ अपन शक्ति आ मोदी-मोदी केर माहौल प्रमाणित कए चुकल छैक जे बिहार मे एखनहु जनता कोना बरगलाइत छैक। असगर भाजपा सँ ओ टक्कर भेटब शायद जनता परिवार केँ फरक नहि दितैक, लेकिन आब एकटा संभावना ई बनि गेल अछि जे राजग-संप्रग केर तर्ज पर बिहार मे दुइ मजबूत गठबंधन भविष्यक दशा-दिशा तय करत जाहि मे पप्पू यादवक ई नवगठित दलक भूमिका अहम होमयवला अछि।
पप्पूक परिपक्व राजनैतिक दृष्टिकोण
पप्पू यादव अपन आवाज बुलंद करैत जनमानस केँ संबोधन कय रहला अछि जे “भूत-वर्तमान-भविष्य सँ सब कियो अवगत छीहे, … चुनौति अबैत-जाइत रहल अछि, लेकिन जनमानसक भरोसा एकमात्र साथी सब दिन जनताक बीच बनौने रहल अछि। लाठी मे तेल पिलावन वला राजनीति केर समय नहि रहि गेल अछि। …. हम न ड्राइंग रुम केर पालिटिक्स करैत छी आ नहिये लठैती करैत छी। …. आगाँक संघर्ष केँ बैनर देबाक लेल हम रवि दिन पटना मे जनक्रांति अधिकार मोर्चा केर गठन करबाक घाेषणा केलहुँ। विश्वास राखू, शरीर मे खूनक अंतिम बूंद तक एकरा हम जाति-मजहब केर राजनीति सँ दूर राखब। बिहारक विकास हमर एजेंडा होयत। युवा तुर्क संघर्ष केर अग्रगामी होयत। किसान केर बात करब, छात्र केर भविष्य लेल लड़ब। महिलाक सम्मान केर लड़ाइ लड़ब, स्वास्थ्य सेवा मे सुधार केर संघर्ष केँ अंतिम मुकाम प्रदान करब। दलाल-बिचौलिया केर व्यवस्था केँ नष्ट कय देबाक अछि। हमरा भरोसा अछि जे आगाँक लड़ाइ मे हर स्तर पर सबहक सहयोग प्राप्त होयत। हम सब सँ अपील करैत छी जे जनक्रांति अधिकार मोर्चा सँ जुड़ू। बहुत जल्द एकरा सुगठित स्वरुप प्रदान करब, जाहिमे अहाँ सबहक भागीदारी सुनिश्चित कैल जायत।” निश्चित ई आगामी राजनीति लेल एकटा नव संकेत दय रहल अछि।