दिसम्बर २२-२३ केँ विराटनगर मे होयवला १७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन लेल दोसर बैसार

२९ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन, २२-२३ दिसम्बर, विराटनगर, नेपाल वास्ते दोसर वैसार सम्पन्न

२७ जुलाई २०१९ विराटनगर केर बखरी स्थित मैथिली स्टडी प्वाइन्ट मे १७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जे आगामी २२-२३ दिसम्बर २०१९ में आयोजित होयबाक नियार अछि ताहि वास्ते अमैस केर अध्यक्ष डा. महेन्द्र नारायण राम केर अध्यक्षता मे एकटा महत्वपूर्ण बैसार सम्पन्न भेल। एहि अवसर पर उपस्थित अमैस केर संस्थापक अध्यक्ष डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू द्वारा अमैस केर इतिहास आ आयोजनक आवश्यकता व महत्ता पर प्रकाश देल गेल छल। तहिना अमैस कोषाध्यक्ष प्रो. जीवकान्त मिश्र आयोजनक स्वरूप आ सहभागिताक पूर्वकालिक आयोजन सभक समीक्षात्मक प्रतिवेदन प्रकाशित कयलनि। विराटनगर मे प्रस्तावित १७म अमैस केर संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कार्यक्रमक प्रारूप आ आयोजकक जिम्मेदारी विषय पर प्रस्ताव विस्तृत रूप सँ बैसारक सभासद लोकनिक समक्ष राखल गेल।

एहि पर टिप्पणी दैत प्रो. ओम प्रकाश द्वारा अन्तर्राष्ट्रीय सम्मेलन सँ मिथिलाक महत्ता केँ दर्शेबाक निमित्त रामायण कालखंड, शंकराचार्य कालखंड, बुद्ध कालखंड, विद्यापति कालखंड एवं मैथिली शरण गुप्त कालखंड पर आधारित मिथिला केँ झाँकी केर माध्यम सँ दुनियाक सोझाँ राखय पर जोर देलनि। तहिना मैथिली साहित्यकार कर्ण संजय द्वारा मोरंग केर ऐतिहासिकता मे मैथिलीक सामर्थ्य आ एहि क्षेत्र केँ मानव बसोवास योग्य बनेबा मे योगदान केँ प्रदर्शन करबाक लेल विशेष परिचर्चा गोष्ठी आ विद्वानक कार्यपत्र रखबाक जरूरति पर जोर देलनि। कला-संस्कृति अभियन्ता प्रकाश प्रेमी एहि सम्मेलन सँ सगरो विश्व केर मैथिल समुदाय सँ कोनो एक विशेष दिन केँ अपन अस्मिता सँ जोड़िकय उत्सवक रूप मे मनेबाक घोषणा व आम अनुरोध जारी करबाक आग्रह कयलनि। तहिना कायस्थ समाज मोरंग केर अध्यक्ष अमलेश कर्ण द्वारा विराटनगरक मैथिलीभाषाभाषी केँ अपन भाषा आ वेशभुषा लेल ई अन्तर्राष्ट्रीय सम्मेलन एक अवसर बनैत एकजूटताक प्रदर्शन करबाक हिसाबे जुलूस-प्रदर्शन आयोजित भऽ सकय ताहि लेल प्रयास करबाक जरूरति पर जोर देलनि।

अपन विराटगढ परोपकार समाज केर अध्यक्षा वसुन्धरा झा द्वारा सम्मेलनक तार आम मैथिल समाजक निम्न तवका आ उपेक्षित समाज केँ आगाँ अनबाक दिशा मे कार्य करय ताहि लेल प्रयास करबाक विन्दु पर विचार देलनि। एहि परोपकार समाजक सचिव राजेश झा द्वारा कार्यक्रमक प्रारूप एहेन बनायल जाय जाहि सँ सब वर्ग आ समुदायक लोक केँ अपनत्वक भावना जागय आर ओ लोकनि एहि दुइ दिन केँ अपन कार्यक्रमक रूप मे लैत पूरा समय केना देता ताहि लेल प्रयास करबाक सुझाव देलनि।

विराटनगर आँखा अस्पताल केर प्रबन्धक पद पर कार्यरत वरिष्ठ मैथिली-मिथिला विभूति परमेश्वर कापड़िक जेठ बालक कुमार पृथु एहि सम्मेलन केँ ऐतिहासिक बनेबाक लेल आयोजन समिति मे जुड़ल प्रत्येक ऊर्जावान सदस्य केँ समर्पित भाव सँ काज करबाक लेल आह्वान कयलनि, संगहि एकर सफलता दूरगामी परिणाम दियए ताहि तरहक आयोजन करबाक लेल तन-मन-धन सँ सहयोग आ संग देबाक वचनबद्धता सेहो ओ प्रकट कयलनि।

प्रसिद्ध रेडियो उद्घोषिका राधा मंडल महिलाक सहभागिता मे सिर्फ चौका-बर्तन सँ ऊपर उठि हर क्षेत्र मे हिनका लोकनिक सहभागिता बढेबाक गारन्टी ई सम्मेलन करय जाहि सँ मिथिलानी सभक मोन मे बैसल हीनताबोध हँटतनि आर हुनका मे रहल योग्यता सेहो अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल लोकनिक बीच उजागर होयबाक संभावना बढत।

महिला अभियन्ता आ राजनीतिक नेतृ प्रीति झा सेहो उच्च मनोबल संग ई कार्यक्रम हरेक मैथिलीभाषी केँ एकटा सार्थक सन्देश दियए ताहि पर विशेष ध्यान देल जाय तथा सब कियो आपस मे कंधा सँ कंधा जोड़िकय कार्य कयला पर सफलता भेटत से मूल मंत्र याद रखबाक ओ आग्रह केलनि।

मैथिली फिल्म अभिनेता सह विराटनगर केर वार्ड संख्या ६ केर अध्यक्ष विजय कामत कार्यक्रमक प्रारूप आ एकरा सफल करय लेल भेल जुटानी सँ प्रसन्नता भेटबाक जनतब दैत ई आयोजन निश्चित रूप सँ विराटनगर क्षेत्र मे मैथिलीभाषाभाषी सहित आनहु लेल एकटा नव इतिहास रचबाक बात कहल गेल। संगहि बजट २० लाख होयबाक विन्दु पर ओ कहलथि जे जँ मैथिलजन आपस मे एकजूट रहिकय काज करता त एहि महानगर मे एतेक अर्थ जुटायब कोनो पैघ बात नहि होयत।

मैथिली विकास अभियान केर अध्यक्ष पंकज वर्मा एहि आयोजन केँ एकटा चुनौतीक रूप मे बुझि एकरा कोना उत्तम सँ उत्तम ढंगे पूरा कय सकब ताहि पर प्रकाश देलनि। ओ स्पष्ट पाड़लनि जे सहयोगक स्रोत मे स्थानीय निकाय, प्रदेश सरकार आ केन्द्र सरकार केर रवैया मैथिली कार्यक्रम प्रति विगत मे बहुत बेसी उदार नहि देखल गेल अछि, तेँ ई एकटा समस्या बाद मे जे बनत से पहिनहि सँ सब कियो एकजूट भावना सँ प्रेशर ग्रुप बनाकय आर्थिक संयोजन करब तखनहि सफल भऽ सकब।

विराटनगर केर वरिष्ठ चिकित्सक सह मैथिली सेवा समितिक वरिष्ठ उपाध्यक्ष डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव राखल गेल प्रारूप आ अनुमानित २० लाख टका केर बजट केर स्रोतक विषय मे जिज्ञासा रखलनि जाहि पर कार्यक्रम संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा अपेक्षित सहयोगी संस्था आ आयक स्रोत पर विस्तार सँ ब्रिफींग देलखिन। एहि समितिक महासचिव विपुलेन्द्र झा सेहो अनुमानित बजट, सहयोग व आय स्रोतक व्योरा तथा कार्यक्रम प्रारूप केर समर्थन करैत एहि लेल सभ कियो मिलिजुलि कार्य करब तखनहि ई महात्वाकांक्षी आयोजन सफल भऽ सकत कहलनि। मैथिली सेवा समिति केर अध्यक्ष डा. एस. एन. झा सँ मुख्य आयोजकक रूप मे यैह संस्था अगुवाई करबाक विन्दु पर कहल गेल जे संस्थाक विधान आ व्यवस्थापन सँ सम्मेलनक ध्येय आ संयोजन समय-समय पर मेल नहि खा सकैत अछि ताहि सँ मैथिली सेवा समिति सहित सब संस्था मिलिकय एक नव आयोजन समिति केर दर्ता करबैत ओहि नामक बैंक खाता खोलि सहयोगी निकाय सँ सेहो पत्राचार आ समस्त व्यवस्थापन करबाक जरूरति अछि। संगहि डा. झा वचनबद्धता प्रकट करैत आयोजन केँ भव्य सँ भव्यतम् बनेबाक बात सेहो कहलनि।

अन्त मे अध्यक्षीय संबोधन दैत डा. महेन्द्र नारायण राम बड़ा प्रसन्नचित्त सँ विराटनगर केर समस्त मैथिलीभाषाभाषीक एकजूटता आ सब समुदाय बीच आपसी सहकार्यक संस्कृति केर भरपूर प्रशंसा करैत सब गोटा केँ अग्रिम बधाई आ धन्यवाद ज्ञापन कयलनि। सब कियो अपन-अपन हिस्साक सर्वोत्तम योगदान देबाक सुनिश्चित कयला उत्तर ई आयोजन नव रेकर्ड बनायत ताहि लेल स्वयं आश्वस्त रहबाक भाव सेहो ओ व्यक्ति कयलनि।

कार्यक्रमक विशिष्ट अतिथि राजविराज सँ आयल दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक अध्यक्ष सम्पूर्ण नेपाल आ भारत केर मैथिल समुदाय लेल ई गर्वक अवसर होयत, सब कियो दिल खोलिकय सहयोग करता आ बजट कोनो चुनौती नहि रहि जायत ओ वचन देलनि। मैथिल कारपोरेट केर मालिक आ पैघ-पैघ संस्थान सब चलौनिहार मैथिल पूँजीपति पर सेहो ई जिम्मेदारी रहतनि जे अपन-अपन विज्ञापन मैथिली-मिथिला लेल दैत एहेन कार्यक्रम केँ चुटकी मे पूरा कय सकैत छथि। ओ सब सँ अपील करैत स्वयं द्वारा सेहो उल्लेख्य सहयोग प्रदान करबाक वचनबद्धता प्रकट कयलीह।

आजुक एहि बैसार मे ‘दहेज मुक्त मिथिला’ संगठनक शाखा विस्तार विषय पर सेहो संछिप्त चर्चा भेल। विराटनगर मे शाखा लेल भास्कर चौधरी केँ अध्यक्ष पद लेल मनोनीत आ नियुक्ति देल गेल। संगहि संस्था द्वारा अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी तथा संस्थापक अध्यक्ष करुणा झा केँ आजीवन संरक्षक केर पद पर विशेष सदस्यता सेहो प्रदान कयल गेल। विराटनगर मे ९ सदस्यीय कार्यकारिणीक गठन कयल गेल जेकर बैसार आगामी दिन मे कयल जायत।