सुभाषचंद्र झा, सहरसा। मई १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!
२०१० मे शिलान्यास राखल गेल नौगछियाक विजय घाट (कोसी नदी) पर १.८४ किलोमीटर – ३६ पाया पर आरसीसी ढलैया द्वारा पूल केर निर्माण लगभग १७ महीनाक देरी सँ संपन्न होइतो रवि दिन मुख्यमंत्री नितीश कुमार द्वारा उद्घाटन कैल गेल। मुख्यमंत्री कहलनि जे ई नहि केवल पूर्वी बिहारक दूरी भागलपुर सँ घटेलक, बल्कि अलग-अलग संस्कृतिक लोक केँ सेहो जोड़बाक महत्त्वपूर्ण कार्य एहि सँ पूरा होयत। ई हमर सरकारक प्राथमिकताक सूची मे सबसँ ऊपर छल जे आइ पूरा भेल।” मुख्यमंत्री द्वारा कहल गेल जे करीब ११ किलोमीटर केर फोरलेन एप्रोच रोड बननाय एखन बाकिये अछि, ताहि लेल अभियंता व निर्माण टोली केँ समुचित निर्देश देल गेल अछि। स्थानीय जनताक माँग जे लोकमानपुर मे एहि पूलक लिंक पूल केर निर्माण हो ताहू पर मुख्यमंत्री आश्वासन देलनि। उद्घाटन सभा मे भरल भीड़केँ संबोधित करैत मुख्यमंत्री पूरा चुनावी मूड मे नजरि पड़ला आ अपन सरकारक काज मे सड़क, संचार, संस्कृति-जुड़ावक बात कहैत आगामी समय मे आरो बेसी विकास दिशि ध्यान देबाक बात कहलनि।
एहि पूलक नामकरण स्थानीय जनमानसक लोकप्रिय लोकदेवता जिनका पोसा-पशु केर कल्याण हेतु पूजल जाइत अछि, तिनकहि नाम पर ‘बाबा विशु राउत’ नामकरण कैल गेल अछि। एहि पुल कय बनि गेला सँ भागलपुर, नौगछिया, मधेपुरा, सुपौल, सहरसा सहित अन्य लोक केँ आवागमन मे अत्यधिक सहजता होयत। भागलपुर सँ पूर्वी मिथिलाक्षेत्रीय कोसी प्रमंडलक जिला मधेपुरा, सहरसा आ सुपौल क्रमश: ७५, ५० आ ४० किलोमीटर केर दूरी कम भऽ गेल। संगहि झारखंड सँ सम्पर्क संचारक बाट सेहो आब सहज बनि गेल। यातायात व्यवस्था मे सुगमता भेला सँ विजयघाट पुल वरदान साबित होयत। मुख्यमंत्री उत्साह सँ भरल कहला जे “यह पूल लोगों को जोड़ेगा और इस क्षेत्र मे विकास की नई कहानी लिखेगा”।
कुल ३६८ करोड़ केर लगानी सँ ई पूलक निर्माण संभव भेल। पूर्व-निर्धारित बजट २२० करोड़क छल, मुदा जमीन अधिग्रहण मे आयल कठिनाई सँ समय सेहो बेसी लागि गेल आ करी १४८ करोड़ रुपयाक लागत सेहो बढि गेल से स्पष्ट कैल गेल छल। राष्ट्रीय उच्चपथ ८० और ३१ केँ जोड़ैत विक्रमशिला गंगा पूल मार्फत संचार-सम्पर्क स्थापित करबाक कार्य एहि पूल सँ होयत। एप्रोच रोड सँ फोरलेनकेँ जोड़बाक अलावे, रेलवे ओवरब्रीज, पूल ऊपर सँ चैल रहल हाइ-टेन्सन बिजलीक तार केर ऊँचाई बढेबाक कार्य तथा आरो बहुते सम्बन्धित कार्य सब पूरा होयबाक लेल एखन बाकिये अछि। नितीश कुमार अपन २००८ केर मधेपुरा यात्राक समय भूमि सुधार तथा राजश्व मंत्री द्वारा एहि कोसी पूल हेतु ध्यान दियेबाक दृष्टान्त दैत आब एहि क्षेत्र मे वाणिज्यिक-ब्यापारिक गतिविधि फूलित-फलित होयबाक आशा बढि गेल कहलनि। मुख्यमंत्रीक अलावे भागलपुर सँ सांसद बुलो मंडल, मंत्री नरेन्द्र यादव व स्थानीय विधायक गोपाल यादव आदि सेहो उपस्थित छलाह।