कीर्ति आजाद: सांसद (लोकसभा), दरभंगा – खेल सँ राजनीति धरिक यात्रा – सुस्पष्ट आ निर्धक्क बाजय मे माहिर – सूझबूझ भरल दृष्टिकोण आ राष्ट्रहित चिन्तन लेल सदैव राष्ट्रवादी विचारधाराक प्रबल समर्थक – बाल्यकाल सँ प्रतिभाशाली, क्रिकेट मे रुचि – विद्यालयक टीम सँ भारतीय राष्ट्रीय टीम मे प्रवेश – भारत द्वारा पहिल विश्व कप जितबाक ऐतिहासिक टीमक गौरवशाली अलराउन्डर खेलाड़ी – पिता सँ विरासत मे राजनीति केर ज्ञान लेकिन विचारधारा मे स्वतंत्रतापूर्वक पिताक समर्थित दल काँग्रेसक विरोधी खेमा मे शामिल होइत अनेको बेर दरिभंगा संसदीय क्षेत्र सँ विजय प्राप्त कएनिहार सांसद – कीर्ति आजाद; जतेक सकारात्मकता तकबाक हो ताकि सकैत छी, नकारात्मकता ओना तऽ व्यक्तित्व मे कतहु नहि, मुदा अपन ठेसल बोली आ कड़क व्यवहारक कारणे आलोचकक नजरि पर चढल रहबाक अप्रतिष्ठा झेलैत रहैत छथि।
पारिवारिक पृष्ठभूमि मे पर्यन्त देशसेवा आ स्वतंत्रता सेनानीक भूमिका मे पिता सहित परिवारक अन्य सदस्यगण सँ सिखल संस्कार, कीर्ति आजाद केँ अपन भावना प्रकट करबाक समय तेल-मालिश करैत बाजब संभव नहि होइछ। दोसर, दरभंगा संसदीय क्षेत्र लेल कैल अनेको प्रयास पर राजनैतिक प्रतिद्वंद्वीक राज्य शासन-प्रशासन संग मिलि छवि धूमिल करबाक अनेको कुचेष्टाक शिकार भेला कीर्ति आजाद सदैव अपन काज, विचार आ भविष्य लेल दृष्टिकोण निर्माण मे लगबैत छथि।
हालहि मैथिली जिन्दाबाद संग संछिप्त सहकार्य मे जानकारी करौलनि जे “मिथिलाक समग्र विकास हेतु जानकी पर्यटन सर्किट आ ताहि लेल व्यवसायिक उड़ान दरभंगा धरि होयब आवश्यक अछि। शीघ्रहि एहि दिशा मे समुचित जनजागरण आ आन्दोलनक घोषणा करब जाहि मे समस्त मैथिली-मिथिलाक हित चाहनिहार सहभागी बनैथ।”
हिनक पार्लियामेन्ट्री परफर्मेन्स अनुसार ९९% उपस्थितिक संग १२ बहस मे भाग लेनाय, १३५ टा प्रश्न लोकसभा द्वारा स्वीकार केनाय आ एकटा प्राइवेट मेम्बर बिल सेहो लोकसभा मे रखबाक श्रेय सांसद कीर्ति आजादक नाम अछि। मिडियाक नजरि मे सेहो सांसद कीर्ति आजाद सँ राष्ट्रीय मुद्दा आदि पर चर्चा आम बात थीक। दरभंगाक सांसद नामहि सँ बहुत उच्च छथि ताहि मे कोनो दुइ मत नहि, लेकिन जनकल्याणकारी योजना जे लम्बित छल ताहि केँ क्रियान्वयन हेतु जमीनी संघर्ष केँ कतेक सफलतापूर्वक अंजाम तक पहुँचाबैत छथि ई देखय लेल बाकिये अछि। विगत मे काँग्रेसक केन्द्र सरकार आ नितीशक वैमनस्य राज्य सरकारक कारणे कतेको महात्वाकांक्षी योजना पर कार्य नहि कैल जा सकल छल, लेकिन वर्तमान राजग सरकार आ ताहि मे अपनहि पार्टी सत्ता-संचालनक मुखिया रहबाक कारणे कतेक जल्दी आ कतेक बेसी कार्य भऽ पबैत अछि ताहि लेल जनमानस मुह बौने निहारि रहल अछि। निश्चित रूप सँ दरभंगा केँ वायुमार्ग सँ जोड़ला पर पटनाक अतिरिक्त उड़ान संभव होयत आ एहि सँ पर्यटनक विकास सुनिश्चित होयत। कतेको लोक जानकीक जन्मभूमि देखय लेल लालायित अछि, मुदा वायुमार्ग सँ ई क्षेत्र कटल रहलाक चलते हाल धरि कोनो उल्लेखनीय पर्यटकीय यात्रा संभव नहि भऽ सकल अछि।