Search

सम्भ्रान्त लोक के?

आजुक विचार 

विराटनगर, १६ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

सम्भ्रान्त केर सहज अर्थ लगैत छैक ओहि व्यक्ति सँ जेकर प्रतिष्ठा समाज मे स्थापित रहैत छैक, जे प्रतिष्ठित अछि, ओ सम्भ्रान्त अछि।

सम्भ्रान्तक परिभाषा पर साहित्यिक आ लौकिक दृष्टि राखू।

जिनका समाज सँ कोनो सरोकारे नहि, जे समाजक वास्ते कोनो तरहक योगदान देबाक लेल सचेष्ट तक नहि, तिनकर आउटर फैशन – बाहरी आवरण देखि कोनो तरहें सम्भ्रान्त कहब उचित नहि लगैत अछि।

सभक हित करय, हित लेल चिन्तन करय, नीक मार्ग पर चलय आ आरो केँ चलबाक वास्ते प्रेरणाक संचरण करय – वैह सम्भ्रान्त होइत अछि।

हरिः हरः!!

Related Articles