जे हमरा सब केँ वोट देलनि सेहो हमर, जे विरोध कयलनि सेहो हमरः मोदी
एनडीए द्वारा सर्वसम्मति सँ नरेंद्र मोदी केँ चुनल गेल नेता, सेंट्रल हॉल मोदी-मोदी केर नारा सँ गूंजायमान भेल

अपन पीएम कार्यकाल केर दोसर पारी शुरू करय जा रहला मोदी जी अपन संबोधन मे सांसद लोकनि केँ काफी सुझाव सेहो देलनि आर जनादेश लेल देशक जनताक प्रति आभार प्रकट केलनि। ओ बजलाह “जे जनता हमरा सब केँ चुनलक अछि आर जे हमरा सब केँ वोट देलक अछि ओहो हमर थिकाह, जे विरोध केलनि अछि, ओहो हमरे थिकाह, हमरा सब केँ सभ केँ समेटिकय चलबाक अछि।” अल्पसंख्यक दिश विशेष इशारा करैत मोदी जी बजलाह जे हुनका सभक संग छलावा भेलनि अछि, हुनका सब केँ वोट बैंक टा बुझल गेलनि, डराकय राखल गेलनि, हुनका लोकनिक यथार्थ विकास नहि कयल गेलनि। आब एहि छल केँ भंग करबाक लक्ष्य अछि हमरा सभक। एहि कारी बादल मे छेद करबाक जिम्मेदारी हम सब कियो बुझी। सभक संग, सभक विकास आ सभक विश्वास – आब हमरा सभक ई सूत्र थिक काज करबाक।
मोदी जी देशक जनता प्रति उद्गार व्यक्त करैत अपन मोनक बहुत रास सैद्धान्तिक बात सेहो रखलनि। ओ कहलखिन जे देशक जनता सत्ताभाव केँ नहिये स्वीकार करैत अछि आर नहिये ओकरा पचा पबैत अछि, हम चाहे बीजेपी छी वा एनडीए, जनता हमरा सभक सेवाभाव केर कारण स्वीकार केलक अछि। हमरा लोकनिक पास देशक उज्ज्वल भविष्य लेल एक्के गोट मूल मंत्र अछि सेवा भाव, एहि सँ पैघ कोनो दोसर मार्ग नहि भऽ सकैत अछि। संविधान केँ साक्षी राखि ई प्रण लेबाक चाही जे सब वर्ग केँ नव ऊँचाई धरि लय जेबाक अछि। जाति या कोनो दोसर मुद्दा पर भेदभाव नहि हेबाक चाही। हमरा लोकनि मंत्र वैह अछि, सबका साथ, सबका विकास और सबका विश्वास।
सभा मे उपस्थित भाजपा सहित एनडीए केर विभिन्न राजनीतिक दल आ नेतागण केँ सेहो संबोधित करैत ओ आश्वस्त करैत बजलाह जे गठबंधन केर राजनीति देशक विकास लेल आवश्यक अछि। एकर सफलतम प्रयोग अटल बिहारी वाजपेयी कएने छलाह, आइ ओ बहुत प्रसन्न हेता। एहि सभागार मे सेहो हुनकर तस्वीर लागल अछि। गठबंधन केँ हमरा लोकनि केँ आदर्श केर हिस्सा बनाबय पड़त। एनडीए केर दुइ मजबूती अछि एक एनर्जी और दोसर सिनर्जी, भारत केर लोकतंत्र लेल सब पार्टी केँ जोड़िकय चलब समय केर मांग थिक। एना मे एनडीए मात्र एक गोट गठबंधन बनल जे सफल भेल। सरकार केँ दलित, गरीब, पीड़ित, वंचित और आदिवासी सभक प्रति समर्पित रहबाक चाही। पांच साल धरि हम सब गरीब सभक लेल सरकार चलेलहुँ आर हम संतोष केर संग कहि सकैत छी जे ई सरकार देशक गरीब जनता द्वारा ठाढ कयल गेल अछि।
मोदी जी अपन गरिमामयी संबोधन मे रामकृष्ण परमहंस, महात्मा गांधी, पंडित जवाहरलाल नेहरू, अंबेडकर, दीनदायाल उपाध्याय सँ लैत राममनोहर लोहिया तक सब केँ याद कयलनि। ओ बजलाह जे आजादी केर लड़ाई मे सब कौम, जाति, पंथ केँ बिसरिकय कंधा सँ कंधा मिलाकय काज केने छल। देशक लेल हमरा सभक दायित्व बनैत अछि जे वैह भावना केँ जिन्दा राखल जाय।
मोदी जीक भाषण सँ पहिने अकाली दल केर नेता प्रकाश सिंह बादल द्वारा मोदी जी केँ एनडीए केर नेता बनेबाक प्रस्ताव कयलनि आर जेडीयू प्रमुख नीतीश कुमार, लोजपा नेता रामविलास पासवान, शिवसेना प्रमुख उद्धव ठाकरे, अन्नाद्रमुक से पलन्नीसामी सहित अन्य नेता लोकनि द्वारा एकर अनुमोदन कयल गेल। एहि दरम्यान सेंट्रल हॉल मोदी-मोदी केर नारा सँ गूंजैत रहल। मोदी जी हाथ जोड़िकय सभक अभिवादन करैत रहलाह। बड़-बुजुर्ग नेतागण केर चरण छुबि प्रणाम करबाक आ सहकर्मी मित्र राजनेता लोकनि केँ गला तक मिलैत मोदी जी अपन खुलल अन्दाज मे प्रस्तुत होइत देखाइत रहलाह।
बहुत लोक मोदी जी प्रति कुवचन आ शंका-आशंका सब जे व्यक्त करैत रहल छल तेकरा सब केँ चुप करेबाक लेल ओ अपन संबोधन सँ पहिने सभागार मे राखल भारतक संविधान केर पोथी केँ सिर झुकाकय प्रणाम कएने छलाह। नवागन्तुक सांसद सँ लैत मंत्री पद लेल आतुर कतेको नेतागण केँ पर्यन्त घुमा-फिरा ओ कतेको तरहक नसीहत दैत सेहो देखेलाह। संगहि जनप्रतिनिधि द्वारा जनता प्रति सेवाक भाव मे समर्पित रहबाक मंत्रणा करैत बेर-बेर देखल गेलाह।
हरिः हरः!!
(Photo & News Courtesy: News18 Hindi)