प्रो. उदयशंकर मिश्र, दरभंगा। मई १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
(मैथिली जिन्दाबाद पर पूर्व प्रसारित खबैड़ – रिपोर्ट राकेश झा पश्चात् आइ दरभंगा सँ प्रो. उदय शंकर मिश्र एहि पर जानकारी पठौलनि अछि)
पूअर होम केर अनियमितताक खिलाफ आइ अनसन समाहर्ता दरभंगाक सामने बैसल। डा. जयशंकर झा, प्रो. उदय शंकर मिश्र, डा. कबिश्वर ठाकुर, प्रतिभा राय, संजीब सिह, राममोहन झा, आर के दत्ता, मुकेश निराला, अंजू अग्रवाल, मौनी बाबा, आ सैकड़ों अनशनकारीक संग ई अनशन दिन भरि चलल। चन्द्रेशजी नेतृत्व कय रहल छलाह।
अनाथों की यही पुकार – पुअर होम का खोलो द्वारा – एहि तरहक कतेको नारा व दरभंगिया हिन्दी मे संबोधनक संग एहि अनशन मे गीत-संगीतक प्रस्तुति सब सेहो कैल गेल। विभिन्न समाजसेवी संस्था, बुद्धिजीवी व अनाथक पक्ष लेल पुअर होम दरभंगा मे पुनर्वासक माँग केर समर्थन मे लोक सब ई अनशन मे सहभागी भेल छला। डा. मुकेश प्रसाद निराला व पार्षद् प्रतिभा राय सेहो एहि मे सहभागी भेल छला।
अनशनक आलोचना सेहो कैल जा रहल अछि:
उपरोक्त अनशन पर चर्चाक दौरान एक प्रबुद्ध युवाजन द्वारा एहि आन्दोलनक अगुआ डा. जय शंकर झा पर पूर्व मे पुअर होम केँ बर्बाद करनिहार मे सँ एक कहि गौशालाक जमीन डकारनिहार हिनके मानैत आगुओ किछु एहि तरहक छूपल मनसाक संग ई आन्दोलन कैल जयबाक आरोप लगौलनि। मैथिली जिन्दाबाद एहि तरहक आरोप पर ध्यान दैत आरोप लगौनिहार युवा संग एहि सन्दर्भ आरो प्रश्न पूछलक जाहि पर जबाब आबय लेल बाकिये अछि। परन्तु प्रो. उदय शंकर मिश्र एहि तरहक आरोप केँ जैड़ सँ खारिज करैत अपन स्पष्टीकरण मे डा. जय शंकर झा केर प्रशंसा करैत कहलनि जे कहियो गौशाला मे डा. झा नहि रहैत समय सुगरक बास छल, आइ ओहि ठाम १०० सँ ऊपर गाय केर रेखदेख कैल जाइछ। प्रो. मिश्र उपरोक्त युवाकेँ उत्तर दैत अनेको सफेदपोश (कपड़ा उज्जर, काज कारी, यानि वर्तमान युगक नेतागण) द्वारा बिघाक-बिघा जमीन पर अतिक्रमण करबाक बात कहैत बिहार सरकार द्वारा ओकर सूची उच्च न्यायालय केँ सौंपल जेबाक उद्धरण सेहो उजागर कएलनि, ताहि अतिक्रमण कएनिहार मे डा. जय शंकर झा केर नाम कतहु नहि रहबाक बात सेहो कहलनि। एहि बीच एक अन्य प्रबुद्ध युवा पुअर होम केर हाल अत्यन्त पुअर रहबाक प्रतिक्रिया दैत वर्तमान नागनाथ सँ छुटकार लैत कोनो साँपनाथक हाथ नहि चलि जाय ताहि लेल दरभंगाक प्रबुद्ध समाजकेँ सचेत रहबाक आवश्यकता दिशि नजैर दियौलनि। जे भी हो! पुअर होम केर ई आन्दोलन मे आरो बहुत रहस्य भीतर सँ बाहर अयबाक कार्य होइत रहत। मैथिली जिन्दाबाद एहि पर निष्पक्ष भाव सँ नजरि बनौने रहत।