माँगरूपी दहेज केर प्रतिकार करू, स्वेच्छाचार धर्म केँ बढावा दैत आपस मे कुटमैती जेहेन पवित्र सम्बन्ध कायम कय आगाँक पीढी-सन्तति केँ धराधाम मे आबय दियौक।
– दहेज मुक्त मिथिला अभियान
दहेज मुक्त मिथिला केर आह्वान पर एक सहयोग एहनो!

नीक लागल जे झंझारपुर केर एक उद्यमी ‘प्रियांशी कार्टेज वर्ल्ड’ द्वारा एहि तरहक काज केँ अपन प्रतिष्ठानक नाम वला बैनर मे प्रयोग कयल गेल अछि।
एक समय ‘मिथिला आवाज’ मैथिली दैनिक समाचार पत्र द्वारा सेहो गाम-गाम मे एहि तरहक बैनर बनबाकय लगाओल गेल छल। हमरो नियोक्ता कम्पनी अपन उत्पाद केर प्रचार मे दहेज मुक्त मिथिलाक स्लोगन सँ गाम-गाम केर लोक मे जागरुकता लेल सहयोग करैत आबि रहल अछि।
ई मैसेज जे सब देखि रहल छी, कृपया ध्यानपूर्वक दहेज मुक्त मिथिला लेल एतेक सहयोग जरूर कय केँ अनुगृहित करी।
हरिः हरः!!