Search

कथित मिथिलावादी राजनीतिक नेताक विचार – धमकी, क्रोध, आक्रोश – ई सब की देखबैत अछि?

२४ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

आदर्श मिथिला पार्टीक झंझारपुर संसदीय उम्मीदवार रत्नेश्वर झा मैथिली जिन्दाबाद केर उठायल प्रश्न पर तीक्ष्ण प्रतिक्रिया देलनि अछि। संपादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कयल गेल निम्न फेसबुक पोस्ट मार्फत शेयर कयल गेल विचार “मिथिलावादक मूल शत्रु के? निष्क्रियता आ शिथिलता या राजनीतिक नैराश्यता” – एहि पर प्रतिक्रिया दैत रत्नेश्वर झा द्वारा राखल गेल विचार मे धमकी सेहो देल गेल अछि। हुनकर धमकी भरल पोस्ट केर स्क्रीन शौट्स एहि समाचार – वार्ता लेल सुरक्षित राखल गेल अछि।

सब सँ पहिने अजित आजाद जी केर निम्न पोस्ट केर लिंक पर देखू ओ पोस्ट जे प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कयल गेल अछिः

https://www.facebook.com/ajit.azad.790/posts/1083328621864945?notif_id=1556091201155748&notif_t=comment_mention

“से नहि! हमरा ई बताउ जे मिथिलावाद लेल राजनीतिक ग्राउन्ड बनाबय लेल आइ धरि कि सब कयल जा सकल अछि?

मैथिली जिन्दाबाद पर एकटा महत्वपूर्ण आख्यान मोन पाड़ैत ई पूछि रहल छीः

http://www.maithilijindabaad.com/?p=12813

सिर्फ झुनझुन्ना बजेने हेतैक हजुर?

हरिः हरः!!”

एहि ठाम रत्नेश्वर झा – आदर्श मिथिला पार्टीक संसद उम्मीदवार अपन जबाब मे व्यक्तिगत आरोप लगबैत कहलनि अछिः

” Pravin Narayan Choudhary मूल शत्रु मैथिलक अपना पर विश्वासक कमी होयब। दलाल प्रबृत्ति लोकक समाज मे जुती चलब आ पेटपोशा सब के राजनीतिक भांड बनब। जहिया मैथिल जागि जायत, अपना पर विश्वास भ जेतै, भिखमंगी वाला घुन आ चिल्होइर जेँका जीवाक प्रबृत्ति खत्म भ जेतै, नव बाट सुरु भ जेतै। हमर अहि कमेंट पर जतेक पैघ बहस व इंटरव्यू अहाँ क सकी क लिय, जवाब तैयार, एना देखा देब।”

एहि विन्दु पर रत्नेश्वर झा केँ जबाब दैत प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि, “Ratneshwar Jha जमीन पर उतरियौ, 2020 मुख्य अछि।” तदोपरान्त रत्नेश्वर झा कोन तरहक भाषाक प्रयोग कयलनि अछि से यथावत राखल जा रहल अछिः

रत्नेश्वर झा धमकी दैत जे सब लिखलनि तेकरा जहिनाक तहिना कापी कयल गेल अछिः

  •  Pravin Narayan Choudhary अहाँ सूटूक सीताराम भ जाऊ।
  • Ratneshwar Jha खुलेआम कही रहल छी, कवि एकांत के सफल अनसन के बाद अहाँ सब स पैघ विध्वंसक छि।
    खूली क जेकर एजेंट छी तकर काज करू। खूली क़ हमर बिरोध करू।। खूली क मैंथिलीक विरोध करू।
    अजब अहाँ देखार भ रहल छी सावधान भ जाओ।See more
  • Ratneshwar Jha सांप जेना अपना बच्चाक स्पोला खाइत छै, तहिना भगवती सीता अपन विरोधी तत्वक संहार करै छथिन्ह।
    हम अहाँके सावधान करै छि।
  • Ratneshwar Jha दुखी मन से आई सत्य कहै पड़ल।
  • Pravin Narayan Choudhary Ratneshwar Jha हम सुटुक सीताराम आइ भेलहुँ!😊 2014 में एक बेर, फेर 2016 में मोन पाड़ि देने रही, तखन फेर सुटुक सीताराम भ गेलहुँ। 2019 के 27 जनवरी केँ किछ लोक केँ मोन पाड़ि देलियन, ओ सब सेहो सुटुक सीताराम रहलाह, तखन कहू जे हम केना सुटुक सीताराम नहि होइ। अपने धरि नीक सँ सीताराम येचुरी बनी, शुभकामना य। एना चुनाव टा में सीताराम येचुरी बनब तखन त अहाँ सँ बड़ बेसी नीक सुटुक सीताराम!😊
  • Ratneshwar Jha 10yehuri bv lel hm bbc aage kaafi chhi ekhno
  • Pravin Narayan Choudhary ओना खौंझ सँ नुकसान करब अपन, ई एजेंसी एतय क्रोध सँ नहि, युक्ति सँ चलबाक चाही। गुंडागर्दी वला हिसाब आर नुकसान देत। सीता जी सब केँ जनैत छथि।
  • Pravin Narayan Choudhary अपने आवेश में नहि स्थिर मस्तिष्क सँ मनन करी। एकांत केँ पीठ पर रहिकय सफल केलियैक। राह भटकल त नुकसान केलक। अपने सहयोगी रहलहुँ। लेकिन गलत आ कमजोरी केँ हम सही कहि देब ई हमर आदति नहि। आर हम एक्सपोज भ रहल छी से हमरा याचना करबाक कोनो बेगरता न पहिने रहल, न आगू होयत। ई कहि दैत छी, फेर जा धरि हम आगू नहि बढ़ब ता धरि अहाँ लोकनि सँ मिथिला के म तक नहि उठत। तीन चेन्ह वला चुनौती!😊

रत्नेश्वर झा द्वारा एहि तरहक आक्रोशित व्यक्तिगत टीका-टिप्पणी उपरान्त संपादक प्रवीण नारायण चौधरी हिनका टैग करैत फेसबुक लाइव पर एबाक आमंत्रण कयलनि। ओ लिखलनि, “मोदी जी केँ लाइव देखि इच्छा भेल जे रत्नेश्वर जी के लाइव इंटरव्यू करी। की सरकार? तैयार छी? 😊Ratneshwar Jha Ratneshwar Jha 4 बजे?” जेकर जबाब मे रत्नेश्वर झा द्वारा कयल गेल वार्ताक अंश यथावत राखल जा रहल अछिः

  • Ratneshwar Jha एकटा जीवन मृत्यु से लड़ी रहल मैथिलानी के सेवार्थ हम भोर स व्यस्त छि।
    28 स 4 मिथिलाक माटि पर प्रचार करब। ताहि समय क ली।
    काल्हि हम आनंदजीक पर्चा सब तैयारी करब।
    25 आ 26 यदि आमना सामनी interview हो स्वागत।
    ई लाइव tive में हमरा बेसी विश्वास नै।।अहाँक देल शब्द फुकास्टिंग हमरा ठीके नीक नै लगैत अछि।
    • Ratneshwar Jha Pravin Narayan Choudhary जहिया तक प्रवीण सन लोक आंदोलन में ट्रांसप्लांट कयल जायत आ ओ आबि क दोसरक सेवा में लागि जायत ई राजनीति भटकाव मे रहत।
      आब हम माटिक लोक के स्थानीय प्रतिनिधि बनायब, तमाम फ़ेसबुकिया स मुक्ति लेब।
      फेस तो फेस जे संपर्क मे छथि ओ आ हम अजब मिली नव रास्ता बनायब।See more
    • Pravin Narayan Choudhary भगवती अहाँ केँ सफल करथि। प्रवीण बिना कय टा आ कहिया-कहिया सक्सेस हासिल कयल ओना?
    • Ratneshwar Jha 2020 हम स्वयं बिहार विधानसभा में बेनीपट्टी, खजौली वा ओ विधानसभा जतय सब स बेसी मत आयत ताहि ठाम स लड़ब। ई घोषणा अहाँ मैथिली जिंदाबाद पर क सकैत छि।
    • Pravin Narayan Choudhary Ratneshwar Jha आर प्रवीण एक व्यक्तिक कारण अहाँ आ पार्टी आइडियोलौजी केना मटियामेट भेल, सेहो स्पष्ट कय दी।
    • Pravin Narayan Choudhary Ratneshwar Jha २०२० लेल शुभकामना दय रहल छी। लेकिन मूल बात अहाँ एखनहुँ नहि बाजि रहलहुँ अछि। अहाँक पार्टी जमीन पर संगठन उतारत या नहि? लोकक मूल सरोकार लेल राजनीति करत या नहि?
    • Pravin Narayan Choudhary चलू, आब लाइव मे भेटी!
    • Ratneshwar Jha Pravin Narayan Choudhary प्रति विधानसभा 165 व्यक्ति के नेताक समूह बनाओत आ अनवरत क्षेत्रीय मुद्दा पर आन्दोलन रत रहत।
    • Pravin Narayan Choudhary Ratneshwar Jha ग्रेट! ई भेल बात।
    • Pravin Narayan Choudhary जखन एहि तरहक सामर्थ्य विकसित होयत तखनहि होयत मिथिलावाद जिन्दाबाद!😊
    • चंदनकुमार झा प्रवीण जीसँ हमर लघुउत्तरीय प्रश्न-

      जे सभदिन मिथिला-मैथिली मे व्यस्त रहैत छथि, से कतेक गोटे छथि?
      ओ सब चुनावी राजनीतिमे किएक नहि भागीदार होइत छथि?
      की हुनका लोकनि केँ मिथिला भावना पर वोट माँगि अपन पसीनक दलकें अपहृत करबाक अधिकार छनि?
      रत्नेश्वर जी कि किओ अन्य व्यक्ति यदि मिथिलावादक लड़ाई केँ चुनावी राजनीति धरि पहुँचेबाक प्रयास करैत छथि तँ ताहि सँ मिथिलावादक निरन्तरता केँ नफा होइत छैक कि नोकसान?

       

      Pravin Narayan Choudhary रत्नेश्वर बाबू – हमरा त भेल जे आब अपनेक चुनाव खत्म भेल, आब फुर्सत मे होयब! ओना आनन्द जी लेल प्रचार मे जा रहल छी तखन त अपने व्यस्त भेलहुँ एखन। ओना हमरा एक बातक मूल रूप सँ जबाब द’ दी…. ई खाली चुनाव मे ठाढ भेने आ मिथिलावाद केर नाम पर वोट मंगबाक कि तर्क जँ हमरा लोकनि मिथिलावादक नाम पर निरन्तर सक्रिय राजनीति नहि कय पबैत छी?

एहि तरहें सम्पूर्व वार्ता मे एकटा संसद बनय लेल उम्मीदवारी देनिहार आ मिथिलावाद लेल राजनीति मे अग्रसर व्यक्तित्व द्वारा व्यक्तिगत आक्षेप केर बात कतेक उचित-अनुचित अछि से अपना जगह पर अछिये, धरि मिथिलावाद लेल २०२० केर समय सीमा आ प्रत्येक विधानसभा क्षेत्र मे १६५ गोट नेताक कार्यसमूह निर्माण कय क्षेत्रक लोक केर सरोकार पर काज करबाक आश्वासन अपना आप मे गणना योग्य जरूर अछि। मैथिली जिन्दाबाद उम्मीद करैत अछि जे एहि तरहें अपन लोक आ लोकक सरोकार सँ मिथिलावाद केँ जोड़ि देलाक बाद राजनीतिक संघर्ष मे जनता द्वारा जनप्रतिनिधिक रूप मे हिनका लोकनि केँ चयन कयल जेबाक वातावरण सेहो निर्माण होयत।

Related Articles