श्रीलंका मे आतंकवादी हमलाक जिम्मेदारी आईएसआईएस लेलक

२३ अप्रैल २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

परसू रवि दिन श्रीलंकाक राजधानी कोलंबो सहित अन्य स्थान पर चर्च तथा होटल मे कुल ८ गोट सिलसिलेवार बम धमाका मे एखन धरि ३२१ लोकक जान गेल तथा ५०० सँ फाजिल लोक घायल अछि। एहि आतंकवादी घटनाक जिम्मेदारी तुरन्त कोनो पक्ष नहि लेने छल, लेकिन श्रीलंका सरकारक मंत्री आइ एक वक्तव्य मे न्युजीलैन्ड केर मस्जिद मे कयल गेल फायरिंग द्वारा सामूहिक हत्याक आतंकी घटनाक बदला लेबाक लेल कयल जेबाक बात कहलनि। एखन किछु समय पहिने इस्लामिक स्टेट (आईएसआईएस) द्वारा अपना सँ जुड़ल एक समाचार एजेन्सी ‘अमैक’ मार्फत एहि सिलसिलेवार बम हमलाक जिम्मेदारी लेल जेबाक खबरि आयल अछि। संगहि आइ मंगल दिन श्रीलंका पुलिस द्वारा जारी कयल गेल एलर्ट अनुसार जेहादी कोलंबो मे आगुओ हमला करबाक फेराक मे होयबाक बात कहल गेल य। श्रीलंका पुलिस द्वारा भारतीय सुरक्षा एजेंसीक तरफ सँ देल गेल खुफिया जानकारीक बाद ई एलर्ट जारी कयलक अछि।
 
जनतब भेटय जे श्रीलंका केर राजधानी कोलंबो सहित देशक अन्य भाग मे रवि दिन ईसाई धर्म-समुदायक पवित्र पर्व ईस्टर केर दिन चर्च तथा होटल केँ टारगेट बनबैत कुल ८ गोट धमाका कयल गेल। एहि धमाका मे एखन धरि ३२१ लोकक जान जेबाक खबरि अछि, ओतहि ५०० सँ बेसी लोक घायल छथि। एखन धरि एहि मामिला मे १३ गोटा आरोपी (आशंकाक आधारपर) पुलिस द्वारा पकड़ल गेल अछि। प्रारम्भिक अनुसन्धान आ भेटि रहल साक्ष्य केर आधार पर ई कहला जा रहल अछि जे बेसी रास धमाका आत्मघाती छल। मरयवला मे भारतीय तथा पाकिस्तानी समेत कुल ३५ गोटे विदेशी नागरिक सेहो छलथि। अमेरिका, भारत तथा विभिन्न खुफिया तंत्र एहि आतंकवादी घटनाक बाद आवश्यक जाँच मे सहयोग लेल आगाँ आबि गेल अछि। विभिन्न राष्ट्राध्यक्ष द्वारा श्रीलंका सरकार केँ संवेदनाक संग एहि आपात स्थिति मे संग रहबाक आश्वासन देल गेल अछि। देश मे सुरक्षाक दृष्टि सँ आपातकाल केर घोषणा कयल गेल अछि, वाक् स्वतंत्रता पर कोनो आपातकाल नहि लगेबाक बात कहल गेल छैक। सामाजिक संजाल केँ सेहो अस्थायी तौर पर कोनो गलत अफवाह नहि पसरबाक लेल बन्द कयल गेल अछि।