Search

मैथिली गायक महंत झा संग मैथिली जिन्दाबाद लेल वार्ता

mahant jha singerप्र0 – महन्त जी, नमस्कार! मैथिली जिन्दाबाद – संपूर्ण मिथिलाक समग्र समाचार वेब पोर्टल पर अपनेक स्वागत अछि!

उ – जी, अपनहु केँ नमस्कार सह धन्यवाद जे अपने हमरा एहि कार्यक्रम मे आमंत्रित कयलहुँ।

प्र0 – अपनेक जन्म कतय भेल आ शिक्षा-दीक्षा कतय सं प्राप्त केलहुँ?

उ – हमर जन्म मधुबनी जिलाक मरुकिया गाम मे एकटा साधारण परिवार में 1981 मे भेल आ हमर प्रारंभिक शिक्षा गामहि केर प्राथमिक स्कूल आ हाई स्कूल मे भेल। तकरा बाद इंटर आर के कालेज मधुबनी आ बी.काॅम(आॅनर्स) विनोवा भावे युनिवर्सिटी हजारीबाग सं केलहुँ आ ओहिक बाद मुम्बई आबि गेलोंह जोब करय लेल आ संग-संग मिथिला मैथिली‘क सेवा मे लागल छी।

प्र0 – गीत गेबाक रूचि अपनेक मुन मे कहिया सँ जागल?

उ – जखन हम नेन्ना क्लास मे रही तऽ ओहि समय हमरा गीत गाबैय मे बड रूचि छल। स्कूल कालेज मे सेहो हम गाबय छ्लोह आ क्लास मे पढैत रही ओहि समय सं हम गीत लिखबाक रूचि सेहो छल । हालांकि शुरूआत में हम फिल्मी धुन पर गीत लिखैत रही मुदा धीरे-धीरे अप्पन धुन पर गीत लिखबामे सेहो समर्थ भेलौं।

प्र0 – अपनेक द्वारा गायल पहिल एल्बम कोन छल?

उ – हम अपन जीवनक पहिल एल्बम महादेव गीत सं शुरू कयने रहि जेकर नाम छल “गौरी के बर बकलेल”, सरगम म्युजिक सँ रिलिज भेल। मधुबनी गुरुदेव स्टुडियो मे रिकार्डिंग भेल छल।

प्र0 – एखनधरि अपनेक गायल कय टा एल्बम आयल अछि?

उ0 – 3टा एल्बम आयल अछि। 1) गौरी के बर बकलेल 2)मिस काल 3) पलक पट खोलु हे मैया

प्र0 – अपने के गाओल चर्चित गीत कुन कुन अछि?

उ – 1) सुनियो बिपतिया ना 2)कोना क पूजा पाट 3) कथि लेल आहे मैया 4) बड़ निक लागया भौजी
आर सब बहुत रास अछि।

प्र0-मैथिली भाषा मे गीत गेनहार केँ जे अपन नामक लोकप्रियता भेटबाक चाहि ओ आइ धरि शायद नहि भेट सकलनि एकर पाछाँ कि कारण भऽ सकैत अछि?

उ- कारण ओना पुछब तऽ एहेन कुनु बात नय मिथिलो मे जे कलाकार छेथ सब नाम चिन्हैत छथि, जेना कि कुन्ज बिहारी जी हरिनाथ जी।दिलिप दरभन्गिया जी माधव राय ।मुदा कि होयछे अपन मिथिला के जनता सब भोजपुरी गीत आ हिन्दी गीत के बेसि मान्यता दय छथिन्ह्।जखन कि अपन मातृभाषा मैथिली अछि।

प्र0 – कोनो एहन टटका नव एल्बम के बारे बताव जे रिलिज भेल होय ?

उ – इखन नव साल मे रिलिज भेल सरगम म्युजिक सँ ‘मोबाइले मे सुट करबोऊ’ जे आजुक जमाना केँ देखैत गीत सब अछि। सब गीत हिट अछि।

प्र0- नवोदित कलाकार केँ अपने कोन तरहक सुझाव देबय चाहबनि जाहि सं मैथिली गीत गेबाक मे रूचि बढ़तैनि।

उ-मैथिली मे गीत गेबाक उद्देश्य मात्र टका कमेनाय नहि अपितु माँ मैथिली केर सेवा करबाक अभिलाषाक संग गेबाक चाही। निष्ठा सँ सेवा केनिहार केँ मेवा जरूर भेटैत छैक। मुदा नवोदित कलाकार सँ ई विशेष आग्रह जे भोजपुरी ट्रैक पर गाबय के बदला अपन मैथिली धुन पर गीत गाबथि जाहिसं मिथिलाक मान सम्मान बरकार रहि सकत।

प्र0-धन्यवाद ! महन्त जी अपने अपन बेसकिमती समय देलौं!

उ- अहुँकेँ बहुत-बहुत धन्यवाद!
http://www.mahantjha.com
Tel: 09921197960

Related Articles