Search

फेस्टिवल अफ इंडिया इन नेपालः आइ १८ मार्च नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान मे मैथिली गीत-नृत्यक प्रस्तुति

१८ मार्च २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

विगत एक मास सँ ‘फेस्टिवल अफ इंडिया इन नेपाल’ कार्यक्रम अन्तर्गत नेपाल मे भारतीय राजदूतावास एवं संस्कृति मंत्रालय भारत केर संयुक्त तत्त्वावधान मे विभिन्न आयोजन सब कयल जा रहल अछि। आइ १८ मार्च २०१९ केँ काठमांडूक कमलादि स्थित नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान मे मैथिली गीत-नृत्य केर प्रस्तुति कयल जेबाक कार्यक्रम अछि। दूतावास सँ आबद्ध गोविन्द साह जानकारी करबैत कहलनि अछि जे एहि कार्यक्रम मे काठमान्डू मे रहनिहार समस्त मैथिली भाषाभाषी एवं मित्र भाषाभाषी यथा भोजपुरी, अबधी, हिन्दी व नेपाली सब कियो आमंत्रित होयबाक जानकारी अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत करौलनि अछि। कार्यक्रमक पोस्टर सँ स्पष्ट होइत अछि जे ई प्रस्तुति लेल प्रांगण समूह भारत सँ आबि रहल अछि। एहि कार्यक्रम मे प्रवेश लेल कोनो पास अथवा टिकट आदिक जरूरत नहि अछि, सब कियो खुला रूप सँ आमन्त्रित छथि।

फेस्टिवल अफ इंडिया इन नेपाल अन्तर्गत आइ सँ पहिने कइयो चरण मे भिन्न-भिन्न प्रस्तुति कयल जा चुकल अछि जाहि मे नेपालक पूर्व राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव सँ लैत वर्तमान नेपाल सरकार केर कइएक मंत्री तथा उच्च ओहदाधारी पदाधिकारी लोकनिक मुख्य अतिथिक रूप मे सहभागिता रहल। १९ फरवरी सँ २१ मार्च धरि कुल ९ शीर्षक सँ भारतीय कला एवं संस्कृतिक प्रस्तुति मे मैथिली गीत-नृत्य केँ सेहो समेटल गेल अछि। एहि सँ पहिने कन्टेम्परेरी डान्स सुमित ग्रुप द्वारा, मृदंगवादन पंडित येल्ला वेंकटेश्वरा द्वारा, पंजाबी लोकनृत्य हरिन्दर पाल एवं अन्य द्वारा, सु-समान्नया समूह द्वारा नाटक, गाँधीजीक जीवन पर आधारित प्रदर्शनी (एक सप्ताह धरिक), डा. हरिप्रिया द्वारा कत्थक नृत्य, महात्मा गांधी पर वाचन प्रतियोगिता – एतेक रास कार्यक्रम भिन्न-भिन्न तारीख एवं कार्यक्रम स्थल पर अलग-अलग तरहक दर्शक केर सहभागिता सँ जोरदार सफलताक संग आयोजन सम्पन्न भऽ गेल अछि। आजुक मैथिली गीत-नृत्य उपरान्त १९ सँ २१ मार्च धरि संस्कृत पर सेमिनार होटल रैडिसन मे होयत। भारत एवं नेपाल केर बीच जेहेन साझा संस्कृति, भाषा आ समाज केर स्थिति अछि ताहि मे एहि तरहक कार्यक्रम मीलक पाथर समान प्रभावकारी होयत जाहि सँ दुइ राष्ट्रक बीच केर सम्बन्ध आरो प्रगाढ आ जनसम्पर्क बढबाक संग-संग आपसी सहकार्य सेहो गतिशीलता प्राप्त करत।

Related Articles