विराटनगर, १७ मार्च २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
“सखी-बहिनपा” एक क्रान्ति सिद्ध भऽ रहल अछि। मिथिलाक महिला लोकनि आब बेहिचक सखी-बहिन संग भेंटघांट आ भाषा-संस्कृति-समाज मे महिलाक योगदान सुनिश्चित करबाक लेल दिन-ब-दिन एकजूटता बढा रहली अछि। कहियो पाबनिक बहन्ने त कहियो विशेष आयोजनक बहन्ने, ई लोकनि पुरूष समाज सँ कतहु महिला पाछाँ नहि अछि मिथिलाक से बात सिद्ध कय रहली अछि। जाहि मिथिलाक महिला केँ घरक अन्दरक मलिकाइन मानल जाइत छल से आब बाहरो मे पुरूष समाज संग कंधा सँ कंधा जोड़िकय आगू बढबाक लेल उद्यत छथि। ई बात सब काल्हि ‘सखी-बहिनपा’ विराटनगर समूहक होली-मिलन समारोह मे सखी-बहिन लोकनि बजलीह। विराटनगरक महेन्द्र मोरंग कैम्पस केर हाता मे करीब २० गोटे सखी-बहिन आपस मे मिलि-बैसिकय होली मिलन समारोह एक-दोसर केँ अबीर लगाकय शुभकामना आदान-प्रदान करैत मनेलीह। एहि अवसर पर पुरी-पकवान आ कोल्ड ड्रिंक केर सेहो व्यवस्था अपन-अपन योगदान सँ करैत सखी-बहिनपा अपन आत्मनिर्भरता आ कमे मे बहुत बेसी सन्तुष्टताक नियतिक प्रदर्शन कयलीह। एकर अगुवाई करैत वन्दना चौधरी बतेलीह जे सखी-बहिन सब केँ जोड़ैत महिला शक्ति द्वारा निकट भविष्य मे आरो महत्वपूर्ण आयोजन सब कयल जायत। सखी-बहिनपा समूह केर संस्थापिका आरती झा प्रति विशेष धन्यवादक ज्ञापन करैत सब सखी-बहिन लोकनि एहि क्रान्ति केँ अविरल धारा निरन्तर बहैत रहबाक बात सेहो रखलीह। मौका पर एक सँ बढिकय एक महिला नेत्री लोकनि जमा भेल छलीह। एक-दोसरक व्यक्तित्व सँ बहुत किछु शिक्षा भेटबाक तथा मैथिल महिला लोकनि केँ सामूहिकताक लाभ भिन्न-भिन्न तरहें उठेबाक दिशा मे सेहो सखी-बहिनपा एक महत्वपूर्ण कार्य कय रहल अछि, सखी-बहिन सब अपन भावना सँ स्पष्ट कयलीह। बबीता झा, आभा अनुपमा, सुधा दास, विभा दास, राधा मंडल, आशा झा, प्रीति झा, अपर्णा कर्ण, अम्बिका कर्ण, निभा झा, मीना झा, सरिता साह, पूनम सिंह, संगीता झा, रीमा झा, लालती देवी, कल्पना दास आदिक सङ्गोर मे विराटनगर सखी-बहिनपा समूह आगू बढि रहल अछि।