मिथिला चित्रकला संस्थान एवं मिथिला ललित संग्रहालय भवन केर सौराठ मे शिलान्यास आ कार्यारंभ

१३ नवम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मधुबनीक सौराठ गाम मे मिथिला चित्रकला संस्थान एवं मिथिला ललित संग्रहालय भवनक शिलान्यास मुख्यमंत्री द्वारा
 
१० जनवरी २०१९ केँ मधुबनीक सौराठ गाम स्थित संस्कृत महाविद्यालयक साढे-सात एकड़ जमीन मे मिथिला चित्रकला संस्थान एवं मिथिला ललित संग्रहालय भवन केर निर्माण लेल शिलान्यास बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर कर-कमल सँ सम्पन्न भेल। बिहार राज्य भवन निर्माण निगम लिमिटेड, पटना द्वारा कार्यान्वित भवन केर शिलान्यासक संग कार्यारंभ सेहो कयल गेल अछि। विदित हो जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि कार्य लेल २०१२ मे घोषणा कएने छलाह।
कार्यक्रमक वीडियोः
 
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा मिथिला चित्रकला संस्थान केर भवन निर्माण केर शिलान्यास कयल गेल अछि। एहि अवसर पर सभा केँ संबोधित करैत मुख्यमंत्री मिथिला चित्रकलाक महत्व, एकर विश्वव्यापक लोकप्रियता आ एहि मे महिला समाजक अगुवाई आदि कइएक महत्वपूर्ण बात बतौलनि। मुख्यमंत्री अपन संबोधन मे कहलनि, “सब सँ पहिने कला-संस्कृति एवं युवा विभाग केँ बधाई जे ई लोकनि मिथिला चित्रकला संस्थान एवं मिथिला ललित संग्रहालय केर निर्माण आरम्भ कयलनि अछि। हम २०१२ मे आयल छलहुँ, ताहि समय मिथिला पेन्टिंग केर जे आधार अछि से देखय लेल किछु गाम मे गेलहुँ। सब किछु देखलहुँ कलाकारो सब सँ भेटलहुँ। पद्मश्री पद्म सुन्दर देवी सँ सेहो भेटय लेल गेलहुँ। राँटी व जितवारपुर गाम गेल रही, लोक सब सँ बात केलापर ई बुझय मे आयल जे मिथिला पेन्टिंग लेल एकटा प्रशिक्षण संस्थान खोलल जाय।”
 
पंडित ताराकान्त झा केँ विशेष स्मरण करैत एहि संस्थानक स्थापनाक लेल हुनका द्वारा कयल चर्चा केँ सेहो स्मरण करैत मुख्यमंत्री संस्थान हाल लेल किरायाक मकानहि सँ चलैत रहबाक बात कहलनि। वर्तमान मे दुइ कोर्स – एक सर्टिफिकेट कोर्स – ६ महीनाक ट्रेनिंग आ दोसर डिग्री कोर्स – ३ वर्षक ट्रेनिंग देबाक काज संस्थान द्वारा कयल जायत। एहि मे निःशुल्क होस्टल, निःशुल्क मेस, सर्टिफिकेट कोर्सवला लेल १००० टका मासिक आर्थिक सहायता तथा डिग्री कोर्स वला लेल १५०० टका मासिक केर आर्थिक सहायताक बात सेहो जानकारी करौलनि। एखन १३ गोट मे ११ गोटा महिला प्रशिक्षु एहि संस्थान सँ जुड़ल छथि। मुख्यमंत्री कहलनि जे एहि चित्रकला मे बेसी महिला लोकनि जुड़िकय काज करैत छथि, पढेनिहार प्रशिक्षक लोकनि सेहो बेसी महिले रहती। राष्ट्रीय आ राज्य स्तर पर सम्मानित व्यक्तित्व लोकनि द्वारा प्रशिक्षण देल जायत। हाल मधुबनीक किरायाक मकान मे ई चलैत रहत, २०२० केर अगस्त धरि २ टा भवन केर निर्माण पूरा भऽ जायत।
 
मुख्यमंत्री एकटा रोचक प्रसंग केर चर्चा करैत अपन जापान यात्रा आ ओतय चलि रहल मिथिला चित्रकला संग्रहालय मे घुमय जेबाक इच्छाक बारे सभा केँ जनतब देलनि। जापान मे मिथिला पेन्टिंग केर संग्रहालय कतय अछि से जानकारी लेलहुँ, ओ काफी दूर छलैक लेकिन, ओकर नाम ‘मिथिला म्युजियम’ छलैक, एकर संस्थापक टोकियो हाशिगावा – टोका मार्की सिटी मे एकर स्थापना कयलनि। ओहि मे एक सँ बढिकय एक संग्रह सभ रहबाक बात पता लागल। बाद मे भारतक राजदूत केर मध्यस्थता सँ टोकियो मे प्रदर्शनी कयल गेल आ ताहि मे मिथिला पेन्टिंग ओतहि सँ आनल गेल। संस्थापक हाशिगावा सेहो एलाह। काफी प्रसन्नता भेल। मुख्यमंत्री अपन संबोधन मे बतेलनि। हाल चयनित प्रशिक्षु सभक दिलचस्पी देखय लायक छल। एहि चित्रकलाक तीन गोट विधा, हम बहुत रुचिपूर्वक एहि संस्थानक स्थापना करय चाहि रहल छलहुँ। एकर परिणाम काफी सुखद होयत। मुख्यमंत्री अपन संबोधन मे बजलाह।
 
एहि अवसर पर मुख्यमंत्रीक संग डा. प्रेम कुमार, कृषि मंत्री, महेश्वर हजारी, भवन निर्माण मंत्री, विनोद नारायण झा, पीएचईडी मंत्री, कपिलदेव कामत, पंचायती राज मंत्री, हुकुमदेव नारायण यादव, मधुबनी सांसद तथा कार्यक्रमक अध्यक्षता कृष्ण कुमार ऋषि, कला-संस्कृति एवं युवा विभाग मंत्री केर छलन्हि।
 
हरिः हरः!!