Search

दहेज प्रथा, बाल-विवाह तथा महिला हिंसा विरुद्ध जनचेतनाक प्रसार हेतु दुहबी मे विशाल जनसभा

दुहबी, सुनसरी, नेपाल। २५ नवम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपालक सुनसरी जिलान्तर्गत दुहबी नगरपालिका मे काल्हि शनि दिन ‘अपन विराटगढ परोपकार समाज, विराटनगर’ द्वारा आयोजित दहेज प्रथा, बाल विवाह तथा महिला हिंसा विरुद्ध जनचेतना कार्यक्रम मे उपस्थित हजारों जनमानस द्वारा संकल्प लेल गेल। एहि अवसर पर प्रमुख अतिथि दुहबी नगरपालिकाक मेयर वेद गच्छदार द्वारा महिला समाज केँ एकजुट बनि शिक्षा आ संस्कार सँ संघर्ष करबाक लेल आह्वान कयलनि। तहिना दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा भारत-नेपाल केर विभिन्न स्थान पर संचालित अभियानक अर्थ बतबैत स्वेच्छा सँ अपना-आप केँ दहेज मुक्त बनेबाक मूल मंत्र ‘न दहेज लेबय, न दहेज देबय! न अपन धियापुता मे लेबय-देबय! न दहेज लेनिहार-देनिहार ओतय विवाहक कार्यक्रम मे सहभागी बनबय’ ई संकल्प लियाओल गेल।

आयोजक संस्था अपन विराटगढ परोपरकार समाजक अध्यक्षा वसुन्धरा झा केर अध्यक्षता मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे आम जनसमुदाय बैढ-चैढकय हिस्सा लेलनि। एहि अवसर पर संतोष कुशवाहा, नवीन झा, शिवम मिश्रा प्रशान्त, डा. एस. एन. झा, वन्दना चौधरी, वन्दना रौनियार, बबीता रौनियार, सबिता माझी, जयराम यादव यदुवंशी, प्रतिभा झा सहित अनेकों विशिष्ट वक्ता लोकनि उपरोक्त जनचेतनाक विषय पर अपन विचार रखैत समाज केँ एहि कूरीति सँ मुक्त करबाक लेल एकजूटताक आह्वान कयलनि। जनचेतना प्रसारक संग मैथिली भाषाक विभिन्न नामी कलाकार यथा गायक विरेन्द्र झा, गायक कैलाश झा संग थारू एवं राजवंशी लोकसंस्कृतिक गीत-संगीत-नृत्य आदिक प्रस्तुति सेहो कयल गेल। दुहबी नगरपालिका स्थित राधेकृष्ण मन्दिर परिसर मे भव्य पंडाल आ हजारों लोकक उपस्थिति एहि बातक संकेत कय रहल छल जे भाषा-संस्कृतिक संग समाजक विकास लेल लोकमानस मे एकटा छटपटाहट अछि जे नेपालक नव संविधान आ संघीयता मे मैथिलीभाषी कतहु सँ पिछड़ल नहि कहाय। उपस्थित जनमानस द्वारा आयोजकक भूरि-भूरि प्रशंसा कयल गेल जे एहि तरहक जनचेतनामूलक कार्यक्रम सँ लोकक टूटल विश्वास पुन: मजबूत होयत आर समाजक विकास सुनिश्चित होयत। सभाक संचालन राजेश झा द्वारा कयल गेल छल।

Related Articles