अस्तित्व मेहता, मुम्बई। अगस्त १९, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली फिल्ममे साहित्यक संदर्भ पर मुम्बईमे आयोजित भेल सेमिनार

कार्यक्रमक मुख्य अतिथि छलाह मैथिली लेखक संघक महासचिव विनोद कुमार झा संगहि विशिष्ट अतिथिक आसन पर मैथिली फिल्म सस्ता जिनगी महग सेनूरक सर्वप्रिय नायक ललितेश अपन गरिमामय उपस्थिति दर्ज केलनि । कोलकातासँ आयल मैथिली फिल्म समीक्षक भास्करानन्द झा भास्करक अध्यक्षता आ युवा फिल्मकार आ लेखक किसलय कृष्णक ओजपूर्ण संचालनमे सर्वप्रथम बीज वक्तव्य प्रस्तुत केलनि हिन्दीक चर्चित फिल्म अनारकली ऑफ आराक मुख्य सहायक निर्देशक जीतेन्द्र नाथ जीतू । जीतू मैथिली सिनेमा निर्माण लेल कैकटा महत्वपूर्ण विन्दुकेँ चिन्हित केलनि ।
कवि कल्पनासँ चर्चामे आयल अभिनेता भास्कर झा मैथिली सिनेमाक नाम पर भ’ रहल लौल प्रति अपन भावुकता भरल आक्रोश प्रकट केलनि । प्रसिद्ध रंगकर्मी आ युवतम अभिनेता संजीव पूनम मिश्रा अपन विचार रखैत आपसी सामंजस्यक आवश्यकताकें रेखांकित केलनि । शिम्मर फिल्म्स इंटरनेशनलक कर्ताधर्ता युवा निर्देशक सुमित सुमन मिथिलाक साहित्य आ लोककथा पर फिल्म बनेबाक विचार देलनि । प्रसिद्ध अभिनेता गौरव झा कहलनि जे तेलुगू, कन्नड़ मे मैथिली साहित्यक अनुवाद पढ़ाओल जाइत अछि, त’ मैथिली साहित्य पर सिनेमा किएक नहि ?
अभिनेत्री रंजना देसाई तमाम व्यस्तताक अछैत मातृभाषा मैथिली लेल काज करबाक वचनबद्धता रखलनि । वॉलीवुडक चर्चित कैमरामेन नवीन वी मिश्रा कहलाह जे साहित्य केन्द्रित सिनेमा बनलासँ मैथिली फिल्मक अन्तरराष्ट्रीय पहिचान बनि सकैत अछि । अभिनेता मनोज पाण्डेय कहलनि जे मैथिली फिल्मक विकास लेल मिथिलाक सभ क्षेत्रक समन्वय आवश्यक अछि ।
युवा प्रयोगधर्मी संगीतकार प्रवेश मल्लिक सार्थक मैथिली फिल्म लेल सकारात्मक टीम निर्माणक आवश्यकता पर बल देलनि । गोपाल पाठक भविष्यमे सकारात्मक काज करबाक बात केलनि । निर्देशक रूपक शरर साहित्य आ सिनेमाक अंतर्संबंध विस्तारसँ विचार रखलनि । अभिनेता ललितेश अपन विभिन्न अनुभवकेँ साझा केलनिं।
मुख्य अतिथि मैथिली लेखक संघ केर महासचिव विनोद कुमार झा सिनेमा लेल नीक कंटेंटक होयब जरुरी बतौलनि । मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल केर माध्यम सँ मैथिली फिल्म पर भऽ रहल निरन्तर चिन्तन तथा ताहि मे उपस्थित साहित्यकार एवं फिल्मकार बीच आपसी समन्वयक हवाले आगामी समय मे एहि तरहक सेमिनार सेहो महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करत ओ कहलनि।
अध्यक्षीय वक्तव्य प्रस्तुत करैत भास्करानंद झा भास्कर मैथिली सिनेमाक विभिन्न पहलू पर गप्प केलाह । हाल धरि कतेको रास फिल्म पर अपन कलम चला चुकल भास्कर सेमिनार केर आयोजन लेल आयोजक केँ हृदय सँ धन्यवाद सेहो कयलनि आर कहलनि जे एहि तरहक आयोजन लगानीकर्ता वर्ग केर लोक केँ सहभागी बनाकय करबाक विशेष जरूरत अछि।
सम्पूर्ण कार्यक्रमक व्यवस्थापन सम्हारैत वॉलीवुडक लाइन प्रोड्यूसर कुणाल ठाकुर धन्यवाद ज्ञापन करैत एहेन आयोजनक निरन्तरताक बात कहलनि । अन्तमे पूर्व प्रधानमंत्री वाजपेयीजीकें श्रद्धांजलि स्वरूप दू मिनटक मौन राखल गेल ।