Search

मिथिलाक्षर एवं कैथी लिपि लेल राष्ट्रीय प्रशिक्षण सह कार्यशालाक आयोजन दरभंगा मे

189 भ्यूज

आशीष चौधरी, दरभंगा। जुलाई २३, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक्षरक संरक्षण आ संवर्धन पर विषय गोष्ठी

भारतीय भाषा संस्थान, मैसूर (उच्च शिक्षा विभाग, मानव संसाधन विकास मंत्रालय, भारत सरकार) केर स्वर्ण जयंती प्रशिक्षण श्रृंखलाक अन्तर्गत मिथिलाक्षर (तिरहुता) एवं कैथी लिपि केर “राष्ट्रीय प्रशिक्षण सह कार्यशाला” केर आयोजन दिनांक 21 जुलाई सँ 27 जुलाई 2018 तक महाराजा महेश ठाकुर महाविद्यालय सभागार, दरभंगा में “मैथिल साहित्य संस्थान, पटना” आ “इन्टेक, दरभंगा” केर सहयोग सँ आयोजित कयल जा रहल अछि।

कार्यक्रमक प्रथम दिन उद्घाटन समारोह में कार्यक्रम अध्यक्ष श्री रत्नेश्वर मिश्र, विशिष्ट अतिथि डा. डी. जी. राव (निदेशक, CIIL, Mysore), अतिथि डा. नारायण कुमार चौधरी (सहायक निदेशक, CIIL Mysore), कार्यक्रम समन्वयक श्री भैरव लाल दास, संयोजक श्री शिवकुमार मिश्र जी संग अनेक विशिष्टगण केर उपस्थिति में दू सय सँ बेसी छात्रगण संग प्रारंभ भेल। स्वागत भाषण डा. नारायण कुमार चौधरी (पोखराम, दरभंगा) संगहि CIIL के समस्त योजनाक संक्षिप्त विवरण डा. डी. जी. राव जी के द्वारा देल गेल।

श्री बैद्यनाथ चौधरी जी द्वारा अभिभावकीय उद्बोधन में ललित नारायण मिश्रा विश्वविद्यालय (LNMU) में मिथिलाक्षर केर पढ़ाई चालू होबाक जानकारी देल गेल संगहि एहि तरहक आयोजन में सदैव अपन सहयोग लेल प्रतिबद्धता व्यक्त कयल गेल। अपन अध्यक्षीय कार्यक्रम में उपस्थित अन्य अतिथिगण में पं. भीमनाथ झा, डा. अयोध्या नाथ झा, डा. विभूति आनंद, वैद्य गणपति नाथ झा, संगहि अन्य गणमान्य लोक उपस्थिति छलाह। एहि प्रशिक्षण शिविर में कैथी लिपि केर प्रशिक्षक छथि श्री विजय शंकर मल्लिक आ मिथिलाक्षर केर प्रशिक्षक छथि श्री भवनाथ झा।

Related Articles