विचार
– प्रवीण नारायण चौधरी
सचेतना आ सावधानी लेल जनहित मे जारी!!

Photo: File (Just Symbolic)
मिथिला मे ‘लव-जेहाद’ आ ‘मिथिलावाद’ केर नाम पर राजनीतिक दलाली केर संगीन आरोप लगबैत गोटेक सूचना प्राप्त भेल अछि।
विस्मित त छी लेकिन हैरान नहि छी! सामान्यतया केकरो बारे मे चरित्र चित्रण करब अपना सूट नहि करैत अछि, कारण सूप दूसलनि चालनि केँ जिनका मे अपने बहत्तर टा छेद से बात अपनहि अनेकों दुर्गुणक कारण बुझैत रहल छी।
बुरा जो देखन मैं चला बुरा मिला न कोई
जब दिल खोजा आपना मुझसा बुरा न कोई
किछु एहि दोहा जेकाँ अपनहि मे अनेकों दुर्गुण रहबाक कारण कोनो आन व्यक्तिक नाम लैत दूसब उचित नहि लगैत अछि। तथापि, समय-समय पर किछु व्यक्ति, किछु संस्था आ किछु मुहिम वा अभियान पर हम बहुत पहिने सँ लिखैत रहलहुँ अछि। बड़ा बेवाकी सँ राय तखनहि दैत छी जखन उचित-अनुचितक सब बात पता लागि जाइत अछि।
घटनाक पृष्ठभूमिः
आइ हमर मोबाईल पर किछु रास फोटो आ वीडियो मैसेज आयल, संगहि पठेनिहार एक छोट भाइ फोन नंबर लय अन्तर्राष्ट्रीय फोन करैत ओहि फोटो आ वीडियो सँ जुड़ल गोटेक बातक जानकारी देलनि। किनको नाम लिखब सँ एहि लेख मे बचि रहल छी, एहि प्रतीक्षा मे जे सत्य-तथ्य जँ हमर विचार आ हमरा भेटल समाचार सँ भिन्न हो तँ ओ आरोपित व्यक्ति अपन स्पष्टीकरण पठा देता आ यथास्थिति सँ अवगत करा देता। घटना निम्न प्रकारक अछिः
१. मिथिलाक एक चर्चित छात्र संगठन मे विभिन्न पद आदि देबाक प्रलोभन दैत महिला सदस्य केँ पहिने संगठन मे जोड़ल जाइत अछि, तदोपरान्त ‘लव’ आ ‘पर्सनल अफेयर्स’ मे गाम-समाजक भोली-भाली लड़की सब केँ फँसायल जाइत अछि। युगक प्रभाव, नंगापन आ कामुकता सँ भरल अनेकों तरहक मूवीज, कैमेराक उपयोग-दुरुपयोग सँ बढि रहल युवा भटकाव आर अभिभावक द्वारा लैंगिक विभेद अन्त करबाक उत्कृष्ट परिस्थितिक गलत लाभ उठबैत गाम-समाजक पढनिहाइर छात्रा सब संग मटरगस्ती सँ प्रेमजाल बिछा-बिछा ओकरा सभक संग आपत्तिजनक हाल मे फोटो आदि बहला-फुसला या चोरा-नुका खींचिकय राखि लेनाय आर फेर ओकरा सब केँ भयादोहन, शारीरिक शोषण, यौन शोषण आदिक खतरनाक खेल खेलायब… एहि तरहक घृणीत कार्य सब कयल जेबाक रिपोर्ट भेटल अछि।
२. सबसँ खेदजनक रिपोर्ट ई अछि जे एकटा हिन्दू समाजक लड़की केँ संगठनक मुसलमान लड़का अपन प्रेमी बनाकय अपना संग कोनो शहर मे लय जाइत अछि आर ओतय ओहि लड़का केँ मारि-पीटि ओकरा सँ ओ लड़की हथियाकय अन्य मुस्लिम मनचला लड़का सब हप्तों-हप्तों धरि ओहि असहाय प्रेमी लड़कीक शारीरिक शोषण जबरदस्ती करैत अछि। माय-बाप सँ दूर ओ बच्चा जखन पढाईक नाम पर शहर प्रवास मे रहि एहेन गलत डेग उठा लैत छैक तखन ओकरा पास आब केकर सहारा रहि गेलैक आर अपना संग घटि रहल वीभत्स शारीरिक दोहनक न्याय ओ केकरा सँ मांगत, एहि तरहक अत्यन्त दारुण स्थिति अछि, ओ शिकायतकर्ता भाइ कहलनि।
३. युवा-युवती केँ एहि खेला-वेला मे फँसाबय लेल नोट (टका) देबाक काज कहाँ दिना बड़का-बड़का राजनीतिक दल द्वारा कयल जाएछ। एहि युवा-युवती छात्र-छात्रा केँ रंगी-चंगी टीशर्ट आ आन्दोलनक अत्याधुनिक साजो-समान सँ लैश करा अपन पार्टीक एजेन्डा पर नाराबाजी, विरोधीक विरुद्ध बयानवाजी आ जनता केँ प्रभावित करयवला आन्दोलन सब करायल जेबाक समाचार प्राप्त भेल अछि। हलाँकि, ई सब काज ततेक नुका-चोरा होएत अछि जे एकर कोनो ठोस प्रमाण सहजहि त नहि मुदा तर्क-कुतर्क सँ भेटैत अछि। आब जेना कोनो संस्था पहिने जनहित केर बात कय अपन छवि बनाबय आ फेर राजनीतिक दल सब सँ सौदाबाजी करय लेल अपन नेतृत्व केँ बड़का-बड़का नेताक जड़े भेंट कराबय, केकरो सँ स्कोर्पियो त केकरो सँ गोटेक लाख टका कोष हथियाकय कतहु फ्लैट खरीदल जाय, कतहु लड़की सप्लाई केर संगीन जुर्म करैत सौदाबाजी कयल जाय, एहि तरहक बहुत रास आरोप एक संग लगायल गेलैक अछि।
के सही के गलत?
एम्हर संगठन द्वारा खुद केँ बदनाम करय लेल ई सब गलत आ मनगढंत आरोप आ सदस्य लोकनिक आपसी प्रेमालाप आदि केँ व्यक्तिगत जीवन आ बात-विचार आदि कहिकय टारल जेबाक नियति सेहो देखि रहल छी। हमरा अपना एखनहुँ एना लगैत य जेना ई सब मनगढंत आरोप हेतय…. भगवान् करथि जे सैह होइक। लेकिन प्राप्त फोटो, वीडियो, कौल-रेकर्डिंग, खुफिया रिपोर्ट – ई सब बात किछु संगीन अपराध मिथिलाक धरती मे फलित हेबाक दिस इशारा कय रहल अछि। एहि दिशा मे राज्य सरकार आ समाजक हरेक निकाय केँ सतर्कता सँ काज करय पड़त। कारण, ई दुनू बात बहुत गलत आ दुष्प्रभाव केँ जन्म देबयवला बुझाइत अछि। जँ, धर्मान्तरण आ लव-जेहादक आरोप सच सिद्ध होयत तऽ मिथिला क्षेत्रक हिन्दू-मुसलमानक बीच जे सौहार्द्रता आइ कतेको सैकड़ा वर्ष सँ रहल तेकरा भड़केबाक काज होयत। तहिना राजनीतिक पैंतराबाजी मे जँ काल्हिक जन्मल धिया-पुता अपन उमेर, उर्जा आ जोश केँ एहि तरहें धूसि दैत अछि तऽ एकरो दुष्परिणाम एहिठामक युवातुर मे गलत परिपाटी सभक जन्म देत, दूषित राजनीति जाति-पाति मे समाज केँ पहिने सँ विखन्डित कयलाक बाद आब युवा सब मे अपराधक जन्म देत जे कथमपि मिथिला सन शान्तिपूर्ण, सहिष्णु आ सम्भ्रान्त सभ्यता-समाजक लेल कथमपि उचित नहि होयत। अतः सचेतनशील नागरिक लोकनि अपन क्षेत्रक सुरक्षा लेल तत्पर रहथि। अस्तु!
हरिः हरः!!

3 Comments
सर हमरा जतेक तक अहि बारे में जानकारी अछि ओहि अनुसार ई एकटा कुचक्र अछि मिथिला आ मैथिलीक नाम पर जमीन पर काज करनिहार लोक के बदनाम करबाक लेल. हमहू एकटा फेसबुक पेज ‘ हिन्दू है हम ‘ पर किछ एहेन आरोप लगाबैत देखलो आ ककरो निजी जिनगीक फोटो सोशल मीडिया पर प्रसारित करैत देखलहुँ,. हमर सवाल ई अछि जे ककरो निजी जीवन पर कीचड़ उछालबाक कोशिश सोशल साइट पर करबाक हिन्दू वादी संगठन के के अधिकार देलकय. दोसर बात जाहि संगठन के तरफ अहाँ ईशारा केलियै ओहि संगठन के मिथिलाक धरातल पर जाहि तरह सँ काज क रहल अछि चाहे शिक्षा ल के या मिथिला हितक बास्ते आ जाहि तरहक सफलता एकरा भेट रहल छैक, चाहे मिथिला युनिवर्सिटी दरभंगा हो या बिहार युनिवर्सिटी मुजफ्फरपुर ओहि से बहुत रास संगठन जकर उद्देश्य लोक के जाति में बाँटनाय, धरम केर नाम पर बाँटि के अपन राजनीति करबाक अछि ओकरा अपन जमीन खिसकैत बुझा रहल अछि आ ओ एहि संगठन के तोड़बाक लेल अनेको तरहक दुष्प्रचार में लागल अछि. अहि संगठन सँ लाखो युवा जुड़ल छै, पूरा मिथिला में एकर संगठन अपन काजक बल पर बढि रहल छै, ओहि सभ नीके हेतैक तकर गारन्टी नहि छै मुदा ककरो निजी जिनगी के सोशल मीडिया पर उछालि के ओहि संगठन के बदनाम करबाक हमरा उचित नहि बुझाइत अछि. उछालै बला ज नीक लोक रहतियै त कुनो लड़की के फोटो के सोशल मीडिया पर डालय सँ पहिने सौ बेर सोचतिये. ई बात निहायत ही एकटा कुप्रचार आ संगठन के बदनाम क के मिथिलावाद के जे आंदोलन शनै: शनै: पसरि रहल छै तकरा बदनाम आ कमजोर करबाक एकटा घटिया प्रयास छै. एकबेर जँ ई आंदोलन कमजोर होयत आ युवा एहि सँ दूर भागत त फेर मिथिला जे एक भ रहल अछि ओ दिवास्वप्न भ जायत आ सभ गोटे हिन्दु, मुसलमान, डोम चमार, ब्राह्मण, राजपूत अहि में लागल रहब. एकटा हमर आरो प्रशन अछि जे अगर कुनू संगठन सँ जुड़ल लोक कुनू गलत काज मैन लिय करैत छै त अपराध के जिम्मेदार ओ खास व्यक्ति होयत अछि कि पूरा संगठन ही अपराधी भ जाएत छै. कुन निजी बात में एकटा खास संगठन के लपेटब सँ समझि सकैत छी जे षडयंत्र कि इशारा क रहल अछि आ कतेक पैघ षडयंत्र भ रहल अछि मिथिलावाद के कमजोर करबाक लेल. हिन्दुवादी संगठन लेल हरेक मुसलमान आतंकवादी आ हरेक हिन्दू मुस्लिम प्रेम लव जिहाद होएत छै,. मिथिला के छोरि ई देखियौ जे ई संगठन सभ पूरा देश में कि क रहल छै. केरल वला हादिया केस में कोना संघ परिवार एकटा लड़की के निजी जिंदगी के पूरा देशक सामने नंगा क देलकै बाद में सुप्रीम कोर्ट के जाँच में गलत साबित भेल ई हिन्दुवादी संगठन सभ. ओ संगठन मानवताक बात कतय सँ करत जकरा लेल इंसानक जिनगी गाय के जिनगी सँ अधिक सस्ता छै.
गलती नहि अछि त आरोप अपन माथ कियैक लय रहल छी?
मिथिला मे लव-जिहाद आ राजनीतिक सौदाबाजीक आरोप लगबैत किछु रिपोर्ट विगत किछु समय सँ सोशल मीडिया पर पसैर रहल छल, हमरो पास किछु अभियानी लोकनि गोटेक फोटो, वीडियो, कौल-रेकर्डिंग आदिक आधार पर विस्तार सँ अपन आशंका रखैत मैथिल समाज केँ सही दिशा मे आगाँ बढबाक कार्य मे उचित संचारधर्म निर्वाहक अनुरोध कएने छलाह। ताहि अनुसारे काल्हि किछु तथ्यगत बात सब सोझाँ रखने रही। मिथिलाक हिन्दू-मुसलमान आ सामाजिक व्यवहार आदि पर प्रकाश दैत ईहो कहने रही जे माय-बापक सपना केँ पूरा करबाक लेल छात्र-छात्रा जाहि तरहक स्वच्छन्दता एखन पाबि रहल छथि तेकर दुरुपयोग कय एना प्रेम प्रसंग आ यौन व्यवहार मे नहि फँसैथ। आर, मिथिला पहिने सँ जाति-धर्म आधारित राजनीति सँ परेशान अछि, ताहि पर सँ एना युवा-युवती केँ गलत व्यभिचार आदि मे प्रश्रय दय राजनीतिक दाँव-पेंचक खेला-वेला खेलाकय एतय युवा समाज केँ आपराधिक गतिविधि मे नहि ठेली….!
लेकिन, काल्हिक राखल सामान्य विचार केँ एकटा संस्था ‘मिथिला स्टूडेन्ट यूनियन’ अपना सँ जुड़ल बुझि स्वयं आगाँ आबि अनेक तरहक बात रखलन्हि। स्वयं संस्थाक पदाधिकारी लोकनि एहि बात केँ स्वीकार कयलनि जे २ टा फोटो जे सार्वजनिक रूप सँ सोशल मीडिया पर किछु लोक द्वारा राखल गेल अछि से संस्थाक सदस्य आ सदस्याक थिक। तथापि ओहि सदस्य-सदस्या (पदाधिकारी) केँ संस्था सँ निकालि देल गेल अछि। किछु अन्य संगीन घटना सेहो हिनके सभ संग जुड़ल थिक वा नहि ताहि विन्दु पर एखन चुप्पी देखल जा रहल अछि। लेकिन राजनीतिक शक्ति संग सांठ-गांठ या केकरो लेल जमीन पर ठेकेदारी करबाक जिम्मा ई संस्था नहि लेने अछि, कोनो तरहक कोषक दुरुपयोग नहि कयल गेल अछि, एहि विन्दु पर ई लोकनि अपन स्थिति स्पष्ट कयलनि अछि। हम त कहब जे यदि अहाँ गलत नहि छी, अपन निष्ठा पर कायम छी, तखन फेर एना सामान्य बहस आ आशंका केँ अपन माथ पर एकदम नहि ली।
हरिः हरः!!
जखन लोक राजनीती म कदम रखैत छै तखने ओकर किछ निजी नै रैह जायैत छैक।और नेतागीरी क सहारा लए क गाँव क निर्बुद्धि बच्चा सब क बहका क अपन उल्लू सीधा केनिहार क बहुत जल्द अपन हाथ पैर समेट लेबाक चाही कीएक त मिथिला क संस्कार म ई सब नै आबैत छै।एकर समर्थन केनहार क कनी अपनों बारे में सोचबाक जरुरत छै।ओ दिन दूर नै जखन अपना घर तक बात पहुच जाई।