टाटानगर, १० अप्रैल, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
(समाचार सोशल मीडिया सँ विभिन्न पोस्ट मार्फत संकलित)
प्रत्येक वर्षक भाँति अहु वर्ष टाटानगर अर्थात् देशक प्रसिद्ध औद्योगिक शहर जमशेदपुर मे मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा दुइ-दिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह यैह ७ तथा ८ अप्रैल २०१८ केँ सम्पन्न भेल अछि। एहि समारोह मे राज्यक नेता सँ लैत मैथिली भाषा-साहित्यक पुरोधा लोकनि आ कलाकार तथा समाज मे उत्कृष्ट योगदान देनिहार अनेकों व्यक्तित्व लोकनि सहभागिता देलनि। संगहि टाटानगरक हजारों मैथिल परिवार एहि अवसर पर दुनू दिन खूब नीक जुटान करैत अपन भाषाक मिठास मे सराबोर भेलाह।
दिनेश कुमार कार्यक्रमक मुख्य विन्दु पर प्रकाश दैत अपडेट कएने छथि जे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मिथिला सांस्कृतिक परिषद जमशेदपुर द्वारा आयोजित भेल अछि। ई आयोजन गोपाल मैदान बिस्टुपुर मे भेल। एकटा खूब नीक आयोजन छल। राज्य सरकार द्वारा मैथिली केँ द्वितीय राजभाषाक दर्जा भेटला सँ मैथिल समाज मे काफी उत्साहक माहौल देखल गेल। एहि बातक चर्चा आ राज्य सरकार प्रति आभार व धन्यवादक कृतज्ञता अनेकों वक्ता द्वारा प्रकट होएत रहल। एहि अवसर पर राज्य सरकारक दु-दु गोट मंत्री लोकनिक उपस्तिथि समारोहक खूब मान बढ़ौलक। तहिना आयोजक समिति द्वारा समाजक कल्याण व हित लेल कयल अनेको उत्कृष्ट योगदानदाताक सम्मान सेहो कयल गेल।
प्रसिद्ध साहित्यकार तथा अभियन्ता डा. रबिन्द्र कुमार चौधरी अपन अपडेट सँ जनतब देलनि जे “मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर द्वारा आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे झारखंड सरकारक वरिष्ठ मंत्री श्री सरयू राय अपन उदघाटन भाषणमे कहलनि- ‘मैथिली केँ झारखंडक द्वितीय राजभाषाक दर्जा भेटि गेल तँ झारखंड लोक सेवा आयोग मे सेहो मैथिलीकेँ विषयक रूपमे मान्यता भेटि जाएत आ मैथिली अकादमीक गठन सेहो भऽ जाएत।”
तहिना कवि अशोक पाठक स्नेही लिखने छथिः
“जमशेदपुर में 7 आ 8 अप्रैल केँ विद्यापति स्मृति पर्व होमय जा रहल अछि तकरे समर्पित ई कविता । बहुत दिन पहिने एकरा लिखने रही ।
विद्यापति स्मृति पर्व
हे महाकवि विद्यापति
अहाँक सुन्दर स्मृति
अहाँक गरिमामयी कृति,
सँ समृद्ध भेल अछि
मिथिलाक साहित्य एवं संस्कृति
विद्यापति स्मृति पर्व
अछि एक सुंदर अनुभूति
एहि सँ, मैथिल समाज के
भेटैत छैक अत्यंत शक्ति
आपसी प्रेम बढ़ैत छैक
भाषा के प्रति जागैत छैक
श्रद्धा एवं भक्ति
मिथिलाक उचित विकास के,
भेल अछि अपूरणीय क्षति
टूटल सड़क,
तकर कात में ,
ने बिजली नै बत्ती
सरकार नहि ध्यान दैत अछि
एक्कर विकास पर एक्को रत्ती
ऐना में,
अलग मिथिला राज्यक माँग “स्नेही”
एहि में नहिै अछि कोनो आपत्ति
विद्यापति स्मृति पर्व सँ
मैथिलजन छथि अति प्रफ्फुलित
सम्पूर्ण मैथिल समाजक,
श्रद्धासुमन अछि अहाँके
हे मिथिलाक महान विभूति
महाकवि विद्यापति !
महाकवि विद्यापति!
– अशोक पाठक “स्नेही”
मैथिली कवि शिव कुमार झा ‘टिल्लू’ द्वारा दोसर दिन यानि ८ अप्रैलक आयोजन मे जुटल अपार भीड़, रंजना झा केर गायन, कुञ्जबिहारी मिश्र, अरुणिता झा, माधव राय आदिक प्रस्तुतिक मादे विभिन्न जनतब देल गेल अछि। हर तरहें एकटा जनोपयोगी दुइ दिवसीय समारोहक रूप मे एहि कार्यक्रम केँ सफल आ उपयोगी मानल जा रहल अछि।