साभारः ब्रहम साह, सिरहा, नेपाल केर फेसबुक रिपोर्ट – हम सब मैथिल छी ग्रुप सँ चयनित समाचार
हीर राँझा, लैला मजनुक बाद याद राखू ई प्रेमी जोड़ी केँ जे मिति २०७४ साल चैत २५ गतेक दिन मोहनपुर निवासी साह परिवार सँ ई सुन्दर लड़की और भगवानपुर २ नहरा रिगौल निवासी पासवान परिवार सँ ई अपांग (दिव्यांग) लड़का भगवानपुर केर प्रसिद्ध माँ बालासुन्दरी भगवती मन्दिर मे प्रेम बिबाह कय केँ सामाजिक और पारिवारिक बन्धन मे बाँधल गेलाह अछि।
सोशल मीडिया सँ एहि तरहक आदर्श स्थापित कयनिहार जोड़ी लेल आशीर्वादक आकांक्षा संग ई समाचार प्रसारित कयल गेल अछि। खास मनसाय यैह जे प्रेमक आगाँ केकरो शरीरक दुर्बलता कोनो तरहक चुनौती नहि दय सकैत अछि। संगहि, यदि दिल सँ दिल मिल गेल त फेर जातीय बन्धन आ सीमा केँ समाज द्वारा सेहो स्वीकार कयल जा सकैत छैक। नेपालक मिथिलाक्षेत्र सँ एहि तरहक उदाहरण केँ जगह-जगह चर्चा हेबाक चाही तथा सभक परिवार बसेबाक लेल एकटा सामाजिक सोच तथा हरेक नागरिक मे चिन्तन सेहो हेबाक चाही।

2 Comments
E nek kam ke lel hm ladki ke sda jiwan bhr khushi rhwak bhgwan sas binti krechhi
at post bhatavar
take vav